गुरुवार, 18 अक्तूबर 2018

फेरसे लौटरहल हए कुस्तीमे जान, गरुडामे चलरहल कुस्तीमे हजारोके सहभागिता
कुस्ती खेलके आकर्षण फेरसे लौटरहल हए । करिब दू दशक पहिलेतक अत्यन्त लोकप्रिय रहल कुस्तीमे फेरसे जान आरहल हए । कुस्ती खेलेमे युवाके आकर्षण आ देखेबाला दर्शकके उत्साह दुनु बढलासे फेरसे कुस्तीके दिन लौटरहल देखलगेल हए । दुर्गा पूजा एवं मेलाके अवसरपर रौतहटके गरुडामे चलरहल कुस्तीमे हजारोके सहभागिता देखलजारहल हए । अइसही कुस्ती खेलेबालाके भी व्यापक सहभागिता होरहल हए । बुधवारसे सुरु भेल तीन दिवसीय कुस्ती प्रतियोगितामे नेपाल आ भारतके राष्ट्रियस्तरके कुस्ती खेलाडीके सहभागिता रहल हए । बुधबार सम्पन्न खेलमे पर्साके पहवारी यादव आ नयाँ दिल्लीके बिटु यादवके बीचके खेल बहुत रोमाञ्चक बनल हए । दिल्लीके बिटु पर्साके पहवारीके बहुत संघर्षके बाद पछारले हए । अइसही पटनाके विजय यादव आ दिल्लीके कौसर यादव बीचके खेल भी बहुत रोमाञ्चक देखलगेल हए । विश्वास ही नलागेबाला किसिमसे पटनाके खेलाडी दिल्लीके  पराजित कएले हए । नेपालके राष्ट्रिय प्रशिक्षक राजेश्वर यादव आ भारतके गोरखपुरके सहदुल राजाबीच भेल खेल दू दू मिनेटके भित्तरे प्रशिक्षक यादव अपनासे बहुत जब्बर भारतीय खेलाडी सहदलके पछारले हए । बुधवारके रेफ्री रहल गुरुजीसे हाथ मिलाके खेलेला खोजले सहदुलके गुरुजीके चेला ही राजेश्वर यादव ही आसानीसे पछारले हए । बिफेके दिन १८ जोडीके खेल भेल हए । शुक्रबार दशमीके दिन महिला कुस्तीबाजके भी खेल होएके आयोजक समितिके अध्यक्ष नागेन्द्रप्रसाद चौरसिया बतएले छत ।


गेडहीसहित विभिन्न गाँओमे भगवतीके सम्पन्न भेल हए गमाला पूजा
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ नैका गेडहीमे भगवतीके परम्परागत गमाला पूजा सम्पन्न भेल हए । हर सालके जइसन एई साल भी परम्परागत किसिमसे शान्तिपूर्ण ब्रहम भगवतीके सार्वजनिक पूजा सम्पन्न भेल हए । गमाला पूजाके प्रसादी घरघरमे बाँटेके चलन हए । अइसही शिवनगरमे भी गमाला पूजा सम्पन्न भेल हए । जिलाके विभिन्न गाँओमे भगवतीके बलि प्रदान करइत गमाला पूजा सम्पन्न भेल हए । दशैँके नवमीके दिन गमाला पूजा करेके चलन विभिन्न गाँओमे परम्परासे ही रहल हए ।

देवी भगवतीके हजारो बलि कएलगेल हए प्रदान
रौतहट विभिन्न शक्तिपीठमे हजारो बलि प्रदान कएलगेल हए । जिलाके मत्सरी, पिपरा, राजदेवी मन्दिर मुडबलवा, राजदेवी मन्दिर समनपुर आ हर गाँओके भगवती मन्दिरके साथे मेला तथा पूजा होरहल सभी जगहपर परेबा, खसी, भेँडा बलि प्रदान कएलगेल हए । जिलाभरमे हजारो बलि प्रदान कएलगेल हए । बिफेके दिन होएलाके बाद भी परम्परागत किसिमसे नवमीके दिन होएलासे हजारो बलि प्रदान कएलगेल हए । दशैँके नवमीके दिन परम्परासे ही शक्तिपीठमे बलि प्रदान करेके परम्परा रहल हए ।

जिंगडियाके वरिष्ठ समाजसेवी रामचन्द्र पालके भेल हए देहान्त
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ जिंगडियाके समाजसेवी रामचन्द्र पालके देहान्त भेल हए । अलगे सोच आ सिद्धान्तके रहल समाजसेवी पालके देहान्त बिफेके रातमे करिब साढे नौ बजे भेल हए । साँझमे निमनेसे रहल समाजसेवी पालके अचानक मृत्यु भेल हए । जिंगडियाके बीच गाँओमे अपन आठ कठा घडारी देके अपने नाओपर रामचन्द्र माध्यमिक विद्यालय स्थापना कएले पाल देशमे प्रजातन्त्र अएलाके बाद पहिलबेर भेल स्थानीय निकायके निर्वाचनमे नेपाली काँग्रेसके ओरसे उमेदवार होके गाविस अध्यक्षमे भी निर्वाचित भेल रहलन । धार्मिक प्रवृत्तिके समाजसेवी पालके अन्तिम संसार बिफेके दिन कएलगेल हए । पालिके देहान्त ७६ बरिसके उमरमे भेल बेटा गौरीशंर पाल बतएले छत ।

सबारी दुर्घटनामे एकजनेके हालत भेल हए गम्भीर
रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ स्थित चन्द्रपुर गौर सडक खन्डपर चन्द्रपुरसे सन्तपुरके जारहल ना ४७ प ८४७ नम्बरके मोटरसाइकिल ना २७ प ५३६८ नम्बरके मोटरसाइकिलके ठोकर देलापर ८४७ नम्बरके मोटरसाइकिलके पछाडि बैठल सन्तपुरके करिब २० बरिसके अन्जु चौधरीके पयरमे चोट लागल हए । युवतीके इलाज चन्द्रपुर अस्पतालमे होरहल हए । मोटरसाइकिल चलारहल सन्तपुरके ही २३ बरिसके मुकेश चौधरीके पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । घटनाके विषयमे पुलिस थप अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

रोकल सुमोमे टेम्पुके ठोकर मारलासे तीनजने भेल हए घाएल
रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ गौर चन्द्रपुर सडकके वैद्यनाथपुर चौकके नजदिक चन्द्रपुरसे गरुडाके ओर आरहल ना १ ह २३२० नम्बरके टेम्पो सडकपर रोकल अवस्थामे रहल ना १ ज ७९५८ नम्बरके टाटा सुमोमे पछाडिसे ठोकर मारलापर टेम्पुमे सबार तीनजने घाएल भेल हए । दारु पिके टेम्पो चलारहल डाइबरके पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । घटनामे चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ देउराली चोकके भीम कोइरालाके करिब ५ बरिसके लडका रिदम कोइराला, कोइरालाके ही ७ बरिसके बेटी विशिका कोइराला आ १० बरिसके बेटी रिषिका कोइराला घाएल भेल हए । घाएल तिनोजनेके अवस्था खतरामुक्त रहल प्रहरी जानकारी करएले हए ।

मोटरसाइकिलके ठोकरसे एकजने साइकिलयात्रीके भेल हए मृत्यु

रौतहटमे एकजने साइकिलयात्रीके मोटरसाइकिलसे ठोकर मरलापर साइकिलयात्रीके मृत्यु भेल हए । फतुवा विजयपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर १ स्थित सन्तपुरसे बरगिनियाके ओर जारहल बीआर ०५ एम ७८७४ नम्बरके इन्डियन मोटरसाइकिल स्थानीय भैरव दासके करिब १९ बरिसके लडका मिथिलेश दासके साइकिलमे ठोकर मारलापर गम्भीर घाएल भेल अवस्थामे इलाजके लेल जिला अस्पताल गौर पेठाबेल गेलापर गौर अस्पतालमे पुगेसे पहिले रास्तामे ही मृत्यु भेल हए । मृतक दासके लासके जिला अस्पताल गौरमे राखलगेल हए । मोटरसाइकिल चलारहल मौलापुर नगरपालिका वार्ड नम्बर १ मर्यादपुरके ५० बरिसके रामईश्वर पाण्डेसमेत भी घाएल भेल हए । घाएल पाण्डेके अवस्था खतरामुक्त रहल हए । पाण्डेके इलाज पुलिसके निगरानीमे होरहल हए । मोटरसाइकिलके पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । घटनाके विषयमे रौतहट पुलिस थप अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें