मंगलवार, 4 दिसंबर 2018


नेकपाके प्रदेश समितिमे रौतहटसे तेतीसजने सदस्य रौतहटसे भेल हए मनोनयन
नेकपाके प्रदेश समितिके मनोनयन भेल हए नेकपाके सचिवालय बैठकसे सभी प्रदेशके सदस्यके मनोनयन करइत प्रदेश समितिके पूर्णता देबेके काम भेल हए प्रदेश समितिके अधिकतम सदस्य संख्या २१५ तोकलगेल हए जेमे साबिक नेकपा एमालेसे १०६, साबिक नेकपा माओवादी केन्द्रसे १०६ पार्टी एकताके बाद प्रवेश कएले तीनजने रहल हए प्रदेश के नेकपाके समितिमे रौतहटसे ३३ जने मनोनयनमे परल हए आठगो जिलाके प्रदेश रहल प्रदेश मे सरदर सभी जिलामे २७ सदस्य पररहल हए लेकिन रौतहटसे ३३ जने सदस्यके मनोनयन भेल हए प्रदेश समितिमे एमालेके जिला अध्यक्ष कमल यादव मौलापुर नगरपालिकाके वर्तमान मेयर कविता साह एके नगरपालिकाके छत जेलमे रहल कटहरिया नगरपालिकाके मेयर सियाराम कुशवाहा फिरोज भी प्रदेश सदस्यमे मनोनीत भेल छत पूर्व ऊर्जाराज्य मन्त्री सत्यनारायण भगत बिन, साँसद रेखा झा, प्रदेश साँसद कुन्दन कुशवाहा, पूर्व साँसद अब्दुल कलाम आजाद, पूर्व साँसद अशोक जयसवाल, पूर्व साँसद देवेन्द्र पटेल, पूर्व साँसद विन्देश्वर यादव भी प्रदेश सदस्यमे मनोनयन भेल छत अइसही साँसदके प्रत्याशी उपेन्द्र साह प्रदेश समितिमे मनोनीत भेल छत अइसही गौर नगरपालिकाके मेयर पदके प्रत्याशी एवं सञ्चार उद्यमी शम्भु साह, बौद्धीमाई नगरपालिकाके मेयर प्रत्याशी त्रिभुवन साह, गरुडा नगरपालिकाके मेयर प्रत्याशी विपिन जयसवाल, चन्द्रपुर नगरपालिकाके मेयर प्रत्याशी उद्धवप्रसाद रेग्मी, गढीमाई नगरपालिकाके मेयर प्रत्याशी हरिनारायण यादव, चन्द्रपुर नगरपालिकाके उपमेयर प्रत्याशी देवकी नेपाल भी प्रदेश सदस्यमे मनोनयनमे परल छत अइसही एमाले माओवादी केन्द्रसे जिलाके चर्चित नेता जयचन्द्र पटेल, सच्चिदानन्द साह, जयरानीदेवी सहनी, दिलीपकुमार साह, गुलाम सरावर शेख, गिरधारी मिश्र, महेन्द्र चौलागाईँ, कमलेश झा, कपिलदेव पटेल, इन्द्रकुमार झा,  वीरबहादुर गोले, ओहिद अन्सारी, सुधीर यादव, विनोद काफ्ले, राजन यादव रामानन्द महतो भी प्रदेश साँसदमे मनोनीत भेल छत

मोटरसाइकिलके ठोकरसे गरुडामे एकजने महिला भेल हए गम्भीर घाएल
गरुडा नगरपालिकामे एकजने महिला मोटरसाइकिलके ठोकरसे गम्भीर घाएल भेल हए गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर स्थित गौर चन्द्रपुर सडक खन्डमे चन्द्रपुरसे गौरके ओर जारहल बीआर ३० एल ६५१५ नम्बरके भारतीय नम्बर प्लेटके मोटरसाइकिलसे स्थानीय ४० बरिसके अनिता यादवके ठोकर मारलापर गम्भीर घाएल भेल रहे यादवके मुडीमे कसके चोट लागल हए चोटसे स्थिति गम्भीर रहल यादवके इलाजके लेल वीरगंज पेठाबल गेल हए   ठोकर मारेबाला मोटरसाइकिल डाइबरके इलाका प्रहरी कार्यालय शिवनगर नियन्त्रणमे लेले हए घटनाके विषयमे पुलिस थप अनुसन्धान कररहल हए

प्रतिबन्धित दबाइसहित पर्सामे विभिन्न युवक परल हए पक्राउ
प्रतिबन्धित दबाइसहित पर्सामे विभिन्न युवक पक्राउ परल हए पर्साके वीरगंज महानगर पालिका वार्ड नम्बर १६ रनववा रजत जयन्ती चौकसे नियन्त्रित लागू औषधसहित तीनजने पक्राउ परल हए पक्राउ परेबालामे वीरगंज महानगर पालिका वार्ड नम्बर २४ के रहनिहार २० बरिसके उदय साह तेली कहाएबाला ओम साह तेली, १८ बरिसके ज्याउल अन्सारी मकवानपुर जिलाके हेटौँडा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर के रहनिहार विजय परियार रहल हए इलाका प्रहरी कार्यालय नगवासे खटल पुलिसके टोली ना ५४ ९३८६ नम्बरके मोटरसाइकिलके चेक जाँच करेके क्रममे मोटरसाइकिलपर सबार ओम साह तेली ज्याउल अन्सारीके पाससे नियन्त्रित लागू औषध प्रतिबन्धित दबाइ फेनारगन सय थान, डाइजेपाम सय थान नुरफिन सय थान रहल हए साथे प्रहरी चौकी इनर्वासे खटल पुलिसके टोली मकवानपुर जिलाके हेटौँडा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर के रहनिहार विजय परिवारके पाससे प्रतिबन्धित नाइट्रोभेट तीन सय थान फेला पारके पक्राउ कएले हए अइसही पर्सा जिलाके वीरगंज उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १५से नवलपरासीके रहनिहार १९ बरिसके मनोहर तामाङके नियन्त्रित लागू औषध नरफिन १८ थान, डाइजेपाम १८ थान फेनारगन १८ थान सहित पर्सा पुलिस पक्राउ कएले हए साथे मकवानपुर जिलाके हेटौँडा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर के रहनिहार अजिम तामाङके भी पुलिस पक्राउ कएले हए पक्राउ परल सभीके पुलिस नियन्त्रणमे राखके घटनाके पर्सा पुलिस अनुसन्धान कररहल हए एके दिनमे भारी मात्रामे पुलिसके प्रतिबन्धित दबाइसहित करिब आधा दर्जन युवक पक्राउ परल हए

बारामे जनचेतना रैली कएलगेल हए प्रदर्शन
बाराके जितपुर सिमरा उपमहानगर पालिकामे जनचेतना रैली प्रदर्शन कएलगेल हए बाराके जितपुर सिमरा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर औराहा बजारपर जिला प्रहरी कार्यालय बारा, महिला तथा बालबालिका सेवा केन्द्र, सामुदायिक प्रहरी सेवा केन्द्र इलाका प्रहरी कार्यालय सिमरा बाराके संयुक्त आयोजनामे लैँगिक हिँसा सम्बन्धी प्रभातफेरि तथा अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए सिमरा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर ४के अध्यक्ष भोजबहादुर खत्रीके प्रमुख आतिथ्यमे एतबारके सबेरे सम्पन्न कार्यक्रममे विभिन्न स्थानीय संघ संस्थाके पदाधिकारी, मानव अधिकारकर्मी, संचारकर्मी, स्थानीय भद्रभलादमी, बुद्धिजीवी प्रहरी कर्मचारी लोगके सहभागिता रहल रहे

दश बरिससे फरार अभियुक्तके बारा पुलिस कएले हए पक्राउ
दश बरिसके फरार अभियुक्तके बारा पुलिस पक्राउ करेमे सफल भेल हए   संखुवासभा जिला अदालतके २०६५ अगहन गतेके फैसलाके मोताबिक कर्तव्य ज्यान मुदामे बरिस कैद सजाय होके फरार रहल प्रतिवादी बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर २१ के रहनिहार राजकुमार गोलेके पुलिस पक्राउ कएले हए इलाका प्रहरी कार्यालय अमलेखगन्जे खटल पुलिसके टोली नुकाएल अवस्थामे गोलेके पक्राउ करेमे सफल भेल हए पक्राउ कएलगेल गोलेके बारा जिला अदालतमे पेश कएलापर अदालतके आदेशसे कैद भुक्तानके लेल कारागार कार्यालय वीरगंज पेठाबलगेल हए

प्रतिबन्धित दबाइके मुदामे फरार सिम्रौनगढके उमाशंकर यादवके पुलिस कएले हए पक्राउ
चितवन जिला अदालतके २०७१ चैत गतेके फैसलाके आदेशके मोताबिक लागू औषध मुदामे बरिस कैद एक लाख रुपैया जुर्माना होके फरार रहल प्रतिबादी बारा जिलाके सिम्रौनगढ नगरपालिकाके वार्ड नम्बर के रहनिहार उमाशंकर यादवके पुलिस पक्राउ कएले हए   इलाका प्रहरी कार्यालय सिम्रौनगढसे खटल पुलिसके टोली नुकाएल अवस्थासे यादवके पक्राउ कएले हए पक्राउ कएलाके बाद यादवके बारा जिला अदालतमे पेश कएलापर अदालतके आदेशसे कैद जुर्माना भुक्तानके लेल कारागार कार्यालय वीरगंज पेठाबलगेल हए

बाराके एकजने काठमान्डुमे जुगा खेलइत परल पुलिसके फन्दामे
काठमान्ु महानगर पालिका वार्ड नम्बर नयाँ बस्तीके पुर्वेली गेस्ट हाउसमे बुधके दिन जुगा खेलरहल अवस्थामे काठमान्डु महानगरपालिका वार्ड नम्बर १० कपनमे रहइत आएल बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर १५ के रहनिहार ४२ बरिसके राजकुमार तिवारीके पुलिस पक्राउ कएले हए तिवारी सहित १३ जनेके काठमान्डु पुलिस १६ थान कौडा नगद लाख ३१ हजार ४८० रुपैयासहित पुलिस पक्राउ कएले हए घटनाके सम्बन्धमे काठमान्डु पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें