गुरुवार, 11 अक्तूबर 2018

गरुडाके दुर्गा मन्दिरके आगे एकजने साधु धरतीमे लेले हए समाधि
दशैँ पूजाके अवसरपर गरुडाके दुर्गा मन्दिरके आगे एकजने साधु धरतीमे समाधि लेले हए । अपन मुडीमात्रे बाहर निकालके बाँकी सम्पूर्ण देह खधियामे माटीसे तोपके एकजने साधु  दशैँके अवधिभरके लेल कठिन समाधि साधना कएले हए । गढीमाई नगरपालिकाके मदनपुरके मठपर रहइआएल नरेश दास बैरागी पूजा अवधिभर समाधि साधनामे लीन रहेके स्थानीय पूजा तथा मेला समिति जनएले हए । एसे पहिले पर्सा, बारा आ सर्लाही जिलाके साथे भारत बिहारके विभिन्न जिलामे दशैँके अवधिभरके लेल ही समाधि साधना कएले वैरागी रौतहटके भी शिवनगर, बलुआ, सुकदेव चौकलगायतके स्थानपर दशैँके ही समाधि साधना करचुकल हए । विगत नौ बरिससे केनहु न केनहु समाधि साधना करइत आएल वैरागी वैरागी गरुडामे पहिलबेर अइसन कठिन व्रत लेले पूजा एवं मेला व्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष नागेन्द्रप्रसाद चौरसिया बतएले छत । समाधि साधनाके अवधिभर वैरागी कुछो नखाएके, कुछो नपिएके, समाधिसे बाहर ननिकलेक आ पैखाना पेसाब भी नकरेके व्रत लेले आयोजकके कहनाम हए । बुधके दिन कलथापनके साथे समाधिमे समाएल वैरागी महानवमीके दिन पूजा समाप्त होएलाके बाद मात्रे समाधिसे बाहर निकलेके अपनेलोगके जानकारी करएले अध्यक्ष चौरसिया जानकारी करएले छत ।

गरुडामे आयोजित निशुल्क आँख उपचार शिविरमे सयसे बेसीमे मिलल मोतिबिन्दू
विश्व दृष्टि दिवसके अवसरपर रौतहटके गरुडामे निशुल्क आँख इलाज शिविर सम्पन्न भेल हए । नेपाल नेत्रज्योति संघ जिला शाखा रौतहटद्वारा सञ्चालित गौर आँख अस्पतालके सहयोगमे गरुडा नगरपालिका आ लायन्स युवा क्लब गरुडाके संयुक्त आयोजनामे नमूना माध्यमिक विद्यालय गरुडामे सम्पन्न एक दिवसीय निशुल्क आँख इलाज शिविरम २ सय ४५ जनेके आँख परीक्षण कएलगेल हए । शिविरमे १ सय १० जनेमे मोतिबिन्दूके समस्या देखलगेल आयोजक जनएले हए । आँखा परीक्षण कराबेबाला ६० बरिससे बेसी उमरके अधिकांश लोगमे मोतिबिन्दूके समस्या देखलगेल हए । वरिष्ठ नेत्ररोग विशेषज्ञ डा. रामचन्द्र पासवानके नेतृत्वमे आएल चिकित्सक आ प्राविधिकके टोलीसे कएलगेल परीक्षणसे मोतिबिन्दूके समस्या देखलगेल रोगीके आसिन २७ आ २८ गते तथा कात्तिक ६ गते गौर आँख अस्पताल पुरेनवामे निशुल्क अपरेसन करेके आयोजक जनएले हए । आँख परीक्षण कराबेबालामे अधिकांश महिला रहल देखलगेल हए । लायन्स युवा क्लब गरुडाके अध्यक्ष मनोजकुमार चौधरीके अध्यक्षता, सञ्चारकर्मी सञ्जय मित्रके सञ्चालन, आयोजक संस्थाके कोषाध्यक्ष पंकजकुमार जयसवालके स्वागतमे भेल कार्यक्रमके उदघाटन सत्रके सम्बोधन करइत प्रमुख अतिथि गरुडा नगरपालिकाके उपप्रमुख रंगीलादेवी जयसवाल आँख शरीरके एगो अंग मात्र नहोके जीवनके ज्योतिसमेत रहलासे शिविरसे फाएदा लेबेला सभीके आह्वान कएले रहलन । कार्यक्रममे नेपाल नेत्र ज्योति संघ रौतहटके अध्यक्ष दुर्गाप्रसाद यादव, दुर्गा भवानी यादव प्रतिष्ठानके अध्यक्ष वृजकिशोर यादव लगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त कएले रहलन ।





गुरुकुल स्कुलके मेयर, उपमेयर लगायतके लोग कएले छत निरीक्षण
गुरुकूल इन्टरनेशनल स्कुल गरुडामे दशैँके शुभकामनाके साथे परीक्षा अनुगमन कएलगेल हए । गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादव आ उपमेयर रंगीलादेवी जयसवालके साथे संघीय समाजवादी फोरम नेपालके प्रदेश सदस्य वृजकिशोर यादव, रेडियो मधेस मसला एफएमके स्टेशन मैनेजर मनोजकुमार चौधरी, गरुडा नगरपालिका कार्यालयके महिला शाखाके प्रमुख उषा शाहीलगायतके लोग स्थलगत अनुगमन करइत विद्यार्थी, शिक्षक, अभिभावक तथा विद्यालय परिवारके बडा दशैँ २०७५ के शुभकामना देले छत । ओ अवसरपर विद्यालयके ओरसे सभीके स्वागत कएलगेल रहे । कार्यक्रमके सम्बोधन करइत नगरपालिकाके मेयर यादव स्कुलके प्रगतिके लेल सभीके सुझाव देले छत । कार्यक्रममे उपमेयर जयसवाल विद्यालयमे आबेबाला कठिनाइके समयमे अपने सहयोग करेके लेल तैयार रहल बतएले छत । फोरमके प्रदेश सदस्य यादव विद्यालयके जिलाके ही नमूना बनाबेला सुझाव देले छत ।




गरुडाके लक्ष्मीपुरमे महादेवस्थल बचाऊ संघर्ष समिति भेल हए गठन
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ लक्ष्मीपुर टोलामे महादेवस्थल बचाऊ सघर्ष समिति गठन कएलगेल हए । स्थानीय जोगी साहके अध्यक्षतामे भेल स्थानीयबासीके भेलासे किशोरी साहके अध्यक्षतामे २१ सदस्यीय संघर्ष समितिके गठन कएलगेल हए । समितिमे राम सोगारथ राय सचिव आ विरोधी साह, फेकु राय, राम पदार्थ राय, जंगीलाल साह, राजकुमार साह, रामप्रित साह, रामऔतार साह, वीरेन्द्र साह, जगदीश साह लगायतके लोग सदस्य रहल छत । गरुडा नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ५ शिवनगरमे रहल विश्वनाथ महादेवके मन्दिरके जमिनके सार्वजनिक करेके लगायतके माग रखइत समिति कुछ हप्तासे संघर्ष करते आएल हए ।

गरुडाके इन्स्पेक्टरके साथे जिलाके १८ जने प्रहरी कर्मचारी भेल हए पुरस्कृत
प्रहरी दिवसके अवसरपर रौतहटके १८ जने पुरस्कृत भेल हए । पुरस्कृत होएबालामे प्रहरी जवानसे लेके इन्स्पेक्टरतक रहल हए । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रमुख इन्स्पेक्टर चतुर्भुज ओझा, इन्स्पेक्टर मनोजकुमार यादव, इन्स्पेक्टर विकास थपलिया, सई सिकेन्द्र साह, सई दीपेन्द्र साह, असई रुपेशकुमार द्विवेदी, असई गोविन्द राय यादव, असई हृदयप्रसाद यादव, असई जटाशंकरप्रसाद यादव, असई मुनमुन सिंह, हवलदार सुमनकुमार श्रेष्ठ, हवलदार जगदीशप्रसाद यादव, हवलदार खगेन्द्रलाल गुभाजु, हवलदार रामप्रसाद यादव, हवलदार रामकृष्ण थापा, हवलदार दीपेन्द्रप्रसाद यादव, प्रहरी जवान केवलसिंह, गलसराङ चेपाङ, मुकेशप्रसाद साहलगायतके लोग प्रहरी दिवसके अवसरपर पुरस्कृत भेल छत ।


बारामे एक बरिसके बालिकाके डुबके भेल हए मृत्यु

बारामे एगो एक बरिसके बालिकाके डुबके मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके महागढीमाई नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ के रहनिहार ७० बरिसके जयईश्वर गिरीके एक बरिसके बेटीके डुबके मृत्यु भेल हए । गिरीके घरके आगा रहल खधियामे जमल पानीमे डुबके एक बरिसके बेटी सन्ध्याकुमारीके मृत्यु भेल हए । डुबके अशक्त होएलापर इलाजके लेल कलैया अस्पतालमे पुगएलापर इलाजके क्रममे बालिकाके मृत्यु भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें