सोमवार, 3 सितंबर 2018



विभिन्न सिफारिश आ दर्ता निशुल्क करेके घोषणा कएले हए कटहरियाके वार्ड नम्बर ४
रौतहटके कटहरिया नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ४ वडा कार्यालयसे सम्पन्न होएबाला विभिन्न सेवा निशुल्क घोषणा कएले हए । पहिलेसे कार्यालयमे विभिन्न किसिमके सेवा शुल्क आ दस्तुर बुझाबेके जगह अब निशुल्क कएलगेल वडा कार्यालय जनएले हए । वडा कार्यालयसे जन्मदर्ता, मृत्यु दर्ता, विवाह दर्ता, नागरिकता सिफारिश, अपाँग सिफारिश, नाता प्रमाणित सिफारिश, राहदानी सिफारिश, नक्कल सिफारिश, बेरोजगारी प्रमाणित सिफारिश सहित विभिन्न दशगो सिफारिश निशुल्क करेके निर्णय कएलगेल वडाध्यक्ष चन्दन कुशवाहा जानकारी करएले छत ।

डुमरबानामे एगो घरमे भेल हए लाखसे बेसीके चोरी
बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिकाके एगो टोलामे लाखोके चोरी भेल हए । जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिकाके वार्ड नम्बर १ सिमरा डुमरबानामे रहल कोरियन इन्स्टिच्युटमे चोरी भेल हए । करिब एक लाख बीस हजार रुपैया बराबरके विभिन्न सामग्री चोरी भेल हए । घटनाके विषयमे बारा पुलिस व्यापक अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

सबसे हलुक मोटरसाइकिल बनएले एगो युवक कएले हए दाबी
भारतके झारखन्डके एगो युवक सबसे हलुक मोटरसाइकिल बनएले दाबी कएले हए । झारखन्डके रामगढ निबासी एगो युवा इन्जिनियर सबसे हलुक बाइक निर्माण कएले दाबी कएले हए । मोहम्मद सलमान नामके युवक प्रदुषणसेबचाबेला आविष्कार कएले अपन बाइकके पेटेन्टके लेल रजिस्टर्ड भी कराचुकल हए । ७० किलोतक वजन उठासकेबाला बाइक एक घन्टा चार्ज कएलापर ६० किलोमिटरतक चलसकइअ । बाइकके लेल पार्किँगके जरुरत नपरी । बाइकके मोडमाडके केनहु लेजासकइछी । बाइक पूर्ण रुपसे गियरलेस रहल हए । सेन्सरसे चलेके आ ब्रेक लगाबल जासकइअ । विश्वके नम्बर एक मोटरसाइकिल कम्पनी बिएमडब्लु चेन्नइमे रिसर्च एन्ड डेभलपर इन्जिनियर पदपर कार्यरत रहल हए । ओकर कहनाम हए अभी मुख्य समस्या प्रदूषण आ ट्राफिकके समस्या रहल हए । यी दुनु समस्यासे मुक्तिके लेल हम बहुत मेहनतके साथ बाइकके आविष्कार कएले छी । बाइकके वजन केवल १२ किलो मात्रे रहल हए । बाइकके निर्माणमे २७ हजार रुपैया खर्च लागल हए । जदि ई बाइक कम्पनीसे निर्माण होइत हए त १८ से २० हजार रुपैया लागत लागसकइअ । भविष्यमे एकरा इन्टरनेटसे जोडके लोकेसन आ अन्य जानकारी भी लेलजासकइअ । बाइकके भारतीय बजारमे लेआबेके लेल कम्पनीसे बातचित होरहल हए ।

भारतके एगो नगरमे अभी भी मिलइअ भाडापर घरबाली

भारतके मध्यप्रदेशमे एगो इलाकामे अजब गजबके प्रचलन अभी भी कायम रहल हए । मध्य प्रदेशके शिवपुरी इलाकामे धडिचा प्रथा अभीतक चलरहल हए । एई प्रथामे इहाँके बासिन्दा अपना बेटीके एक बरिसके लेल बेचेके चलन हए । एई प्रथाके मोताबिक पुरुष अपना मर्जीसे आ अपना पसनसे अपना निमन लागल युवतीके एक बरिसतक राखेला अपनासाथ लेजासकइअ । युवतीके पिता अपना बेटीके एक बरिसतक भाडामे देबे बापत रकमके माग करइअ । बेटीके दोसराके हवाला एक बरिसके लेल कएले बातके रजिस्टरमे नोट कएल जाइअ । रकम बेसी देलापर युवक युवतीके एक बरिससे बेसी भी राख सकइअ । आश्चर्यके बात त ई हए कि एई प्रथाके विरुद्ध आजतक न कौनो गुनासो भेल हए आ न त पुलिसमे उजरी ही देले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें