रविवार, 26 अगस्त 2018

भाइ बहिन उत्साहपूर्वक मनएले हए राखी पबनी
मधेसी समुदायके भाइ आ बहिन उत्साहपूर्वक राखी पबनी मनएले हए । एई सालके राखीमे कौनो दोख नरहलासे सर्वसाधारण सम्पूर्ण भाइ बहिन दिनभर उत्साहपूर्वक राखी मनएले  हए । ससुरामे रहल बहिनलोग अपना नइहरमे जाके अपना भाइके राखी बान्हले बन्हले   हए । अइसही विभिन्न कारणसे नइहर जाए नसकेबाला बहिनके भाइ ही घरे पुगके राखी बन्हबएले हए । बहिन नरहल लोगके हाथमे पटिदारके बहिन राखी बान्हले हए । अइसही गाँओघरमे घुमके पण्डिजीलोग रक्षासूत्र बन्हइत आशीर्वाद देले हए । राखी बन्हइत विधिपूर्वक भाइके पूजा करइत बहिनलोग अपना भाइके लम्बा जीवनके कामना कएले हए । एई साल कौनो किसिमके भदवा नरहल आ सूर्योदयसे सूर्यास्ततक आरामसे दिनभर राखी बान्हेके काम भेल हए । मधेसी समुदायके सभी जात समान रुपसे मानेबाला राखी पबनीके विस्तार पडाही समुदायतक भेल हए । पहाडी, थारु, तामाङ, नेबार लगायतके समुदायमे भी रौतहटमे राखी बान्हले हए । राखीके अवसरपर प्रदेश सरकार एक दिनके लेल सार्वजनिक छुटी देले रहे ।

गरुडाके अनाथालयमे २५ अनाथ बालबालिका मनएले हए राखी
रौतहटके गरुडाके रहल वंशीराम जयसवाल अनाथालयमे रहल बालबालिकालोग राखी मनएले हए । अनाथालयमे रहल बीस बालक अनाथालयके ही पाँच बालिकासे राखी बन्हबएले हए । अनाथालयमे रहल सभी बालबालिकाके बीचमे भाइ बहिनके रिस्ता रहल हए । सभी बालबालिका अनाथालयके संस्थापक वंशीराम जयसवालके सामने भाइ बहिनके रिस्तामे राखी मनएले हए । अनाथालयके बालबालिका अनाथालयके संस्थापक जयसवालके लम्बा उमरके कामना भी कएले हए । अनाथालयके बालबालिका राखी मनाके खुसी देखलगेल हए ।

नेपाली काँग्रेस गरुडाके नगर कार्यालयके कएलगेल हए उदघाटन

रौतहटके गरुडामे नगर कार्यालयके उदघाटन कएलगेल हए । गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडामे अर्ध निर्माण होके पहिलेसे खाली परल घरमे पार्टी कार्यालयके उदघाटन कएलगेल हए । जिलाके मध्यभागमे रहल गरुडा बजारमे नेपाली काँग्रेसके पार्टी कार्यालयके उदघाटन पार्टीके जिला अध्यक्ष एवं पूर्व सभासद कृष्णप्रसाद यादव आ पार्टीके जिला सचिव हरदेव राय यादव संयुक्तरुपसे करइत नेपाली काँग्रेसके मध्यरौतहटमे एगो निश्चित स्थान होएलासे कार्यक्रम संचालन करेला, मिटिङ करेला आ जनसम्पर्क करेला स्थानके अभाव पूरा भेल बतएले छत । कार्यक्रममे गढीमाई नगरपालिकाके मेयर श्यामप्रसाद यादव, गरुडा नगरपालिकाके वडा नम्बर २ के अध्यक्ष विशुनदेव सहनी, मेयर प्रत्याशी सुनीलकुमार यादव, नेपाली काँग्रेसके राम भरोस राय यादव लगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त कएले कार्यक्रमके संचालक पूर्व उपाध्यक्ष रामकृष्ण चौधरी जानकारी करएले छत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें