रविवार, 12 अगस्त 2018

मिति २०७५/०४/२६

कृष्णाष्टमी मेलाके लेल गरुडामे समितिके भेल हए चयन
गरुडा नगरपालिकाके गरुडामे हर साल कृष्ण जन्माष्टमी धुमधामके साथ मनाबते आरहल हए । एही क्रममे एई साल भी जन्माष्टमी भव्यतापूर्वक मनाबेला सतीस साहके अध्यक्षतामे कृष्ण जन्माष्टमी समारोह समिति गठन कएलगेल हए । समितिके कोषाध्यक्षमे मनोजकुमार चौधरी, सचिवमे राम सोगारथ राउत आ सदस्यमे राजेश्वर पाण्डे, विनोद राय यादव, राम विश्वास पासवान, मोहरलाल पटेल, पंकज जयसवाल, श्री राम पासवान, अनिल साह, सरयुज साह चुनाएल छत । पर्हु दाहरके कारण जन्माष्टमी प्रभावित भेल रहे । पर्हु जन्माष्टमीके लेल एक लाख १४ हजार रुपैया संकलन भेल रहे लेकिन पूरा खर्च नहोएसकल रहे । भगवान श्रीकृष्णके छठियारके दिनमे कार्यक्रम कएलगेल रहे । कार्यक्रम कएलाके बाद ६३ हजार ८१४ रुपैया बाकी रहल हए । एई साल मेलामे करिब डेढ लाख रुपैया खर्च होएके अनुमान रहल कोषाध्यक्ष मनोजकुमार चौधरी जानकारी करएले छत ।

मिति २०७५/०४/२६ 
इलाका प्रहरी कार्यालय पिपराके सइ शर्माके कएलगेल हए विरोध
इलाका प्रहरी कार्यालय गंगापिपराके सई रामप्रित शर्माके विरोध कएलगेल हए । स्थानीयबासी सइ शर्माके विरोध टायर बारके कएले हए । शर्मा अत्यधिक ज्यादति कररहल कहइत स्थानीयबासी सरुवाके माग करइत विरोध प्रदर्शन कएले पत्रकार प्रभातकुमार झा जानकारी करएले छत ।

मिति २०७५/०४/२६
गौरके पुरेनवामे एगो युवकके भेल हए मृत्यु
गौरके पुरेनवामे पोखरीमे डुबके एगो युवकके मृत्यु भेल हए । गौर नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ३ मे रहल पोखरीमे स्थानीय पुरेनवा निवासी मिश्रीलाल महतोके २४ बरिसके बेटा जितेन्द्र महतोके डुबके मृत्यु भेल हए । पोखरीके आँटपर रहल रास्ता होके चलइत अवस्थामे अचानक पयर पिछिलके पोखरीमे गिरल आ पोखरीमे गिरलासे डुबके बेपत्ता होएलासे खोजतलास कके युवकके निकालल गेल हए । जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रहरी निरीक्षक मनोजकुमार यादवके कमान्डमे गेल पुलिसके एगो टोली पोखरीमे पइँसके युवकके निकालले हए । युवकके बेहोस अवस्थामे निकालके जिला अस्पताल गौरमे पुगएलापर अस्पतालके डाक्टर युवकके मृत घोषित कएले रहे । घटनाके विषयमे रौतहट पुलिस थप अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जानकारी करएले हए ।

मिति २०७५/०४/२६
फारम भरले जिलासे दोसरा जिलामे शिक्षकके परीक्षा संचालन करेके होरहल हए तैयारी
परीक्षाके मर्यादित आ विश्वसनीय बनाबेला कहइत शिक्षक सेवा आयोग एक जिलाके परीक्षार्थीके दोसरा जिलासे परीक्षा देबाबेके तैयारी कररहल हए । आगामी आसिनमे होएबाला स्थायी शिक्षकके खुला विज्ञापनके परीक्षाके लेल फारम भरले जिलासे दोसरा जिलासे परीक्षा देबाबेके तैयारी होरहल हए । परीक्षाके शुद्धताके ध्यान देइत नजदिकके जिलासे परीक्षा देबाबेला परीक्षा केन्द्र निर्धारणके आन्तरिक तैयारी सुरु कएले आयोगके अध्यक्ष ताना गौतम जानकारी करएले छत । परीक्षाके शुद्धताउपर ध्यान देइत नजदिकके जिलासे परीक्षा देबाबेके आन्तरिक तयारी होरहल हए । जौना जिलामे फारम भरले हए, ओही जिलामे केन्द्र रहलापर ओही जिलाके केन्द्राध्यक्ष, ओही जिलाके सहायक केन्द्राध्यक्ष, ओही जिलाके निरक्षक आ ओही जिलाके परीक्षार्थी होएलासे परीक्षार्थीके परीक्षामे खटल जनशक्तिसे चिनजानके होएके आ चोरी होएके सम्भावना रहलाके कारण परीक्षाके शुद्धताके चलते पहिल चरणमे प्राथमिक तहके परीक्षार्थीके संख्याके आधारपर केन्द्र निर्धारण करेके गृहकार्य चलरहल हए । परीक्षार्थीके पायक परेबाला जिलामे ही केन्द्र निर्धारण करेके आयोग जनएले हए । फारम भरेके समय परीक्षार्थीके सम्बन्धित जिलासे ही फारम भरेके व्यवस्था कएलगेल रहे लेकिन परीक्षाके फारम भरनाइ आ परीक्षाके मर्यादा कायम कके सम्पन्न करनाइ फरक बात होएलासे होम सेन्टर नरहेबाला हिसाबसे काम अगाडि बढल भी आयोग जनएले हए । निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके परीक्षा क्षेत्रीयस्तरमे होएबाला होएलासे एई दुनुके व्यवस्थित करेके गृहकार्य भी होरहल हए । १२ हजार ७ सय ३९ पदके लेल भेल विज्ञापनपर २ लाख ८२ हजारलोग शिक्षक बनेला दरखास्त देले आयोगके प्रारम्भिक तथ्यांक रहल हए । सभीके परीक्षा संचालन करेला करिब एक हजार परीक्षा केन्द्रके जरुरत परेके देखलगेल हए ।

 मिति २०७५/०४/२६
बसमे यात्रा करइत अवस्थामे ही मृत्यु भेल एगो भारतीय युवकके

बसमे यात्रा कररहल अवस्थामे ही एगो भारतीय युवकके मृत्यु भेल हए । काठमान्डुसे वीरगंजके ओर आरहल एगो बसमे अपना सिटपर बैठल युवकके मृत्यु भेल हए । वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर १६ रजत जयन्ती चौकपर काठमान्डुसे वीरगंज आरहल ना ५ ख ३१६६ नम्बरके बसमे सबार भारत घर भेल एगो २९ बरिसके युवक सुरेन्द्र ठाकुर अपना सिटपर बैठल अवस्थामे ही मृत अवस्थामे मिलल हए । यात्रा कररहल अवस्थामे अपना सिटपर ही मृत अवस्था युवक मिलनाइ एगो रहस्यमय घटनाके रुपमे रहल हए । घटनाके विषयमे पर्सा पुलिस अनुसन्धान कररहल हए । 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें