गुरुवार, 2 अगस्त 2018

संसदीय समितिमे रेखाकुमारी झा परेमे भेल सफल
रौतहटके एकजने साँसद संसदीय समितिमे परेमे सफल भेल छत । रौतहटके समानुपातिक साँसद रेखाकुमारी झा शिक्षा तथा स्वास्थ्य संसदीय समितिमे परेमे सफल भेल छत । शिक्षण पेसामे करिब दू दशक शिक्षकके रुपमे रहल साँसद झा नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठनके केन्द्रीय सचिव पदपर भी काम करचुकल छत । साँसद पदपर जाएसे पहिलेतक शिक्षण पेसासे जुटल साँसद झा संसदमे शिक्षासे जुटल समितिमे ही परेमे सफल होएलासे शिक्षाके क्षेत्रमे सकारात्मक योगदान देबेके आशा कएलगेल हए । शिक्षाके निमनसे बुझल आ शिक्षकके मर्कासे परिचित साँसद झा संसदीय समितिमे परल सफल भेलापर विभिन्न ओरसे सकारात्मक प्रतिक्रिया आरहल हए । मुख्य कके शिक्षक समुदायमे खुसी व्यक्त कएल जारहल देखलगेल हए ।

कक्षा १२ के परीक्षा रौतहटमे रहल हए मध्यम
राष्ट्रिय परीक्षा बोर्ड कक्षा १२ के रिजल्ट निकालले हए । दोसरा साल आसिनसे कात्तिकतकके समय लगइत आएल रहे लेकिन एई साल कक्षा १२ के परीक्षाके रिजल्ट समयपर ही निकलल हए । बैसाखमे भेल परीक्षाके रिजल्ट सावनमे आएल हए । आएल रिजल्टमे रौतहटके अवस्था सन्तोषजनक देखलगेल हए । रिजल्टके प्रारम्भिक रिपोर्टके मोताबिक रौतहटके रिजल्ट मध्यम स्तरके रहल हए । संस्थागत विद्यालयके रिजल्ट बहुत निमन आएल हए । मध्यरौतहटके गरुडा, कटहरिया, धरहरी, समनपुर, मलाही लगायतके विद्यालयके रिजल्ट ठीक आएल हए । कुछ विद्यार्थीके ए जिपिए आएल हए । रिजल्ट अएलापर विद्यार्थी खुसी मनारहल हए । समयपर रिजल्ट अएलासे विद्यार्थीके अगाडिके पढाइमे आसानी होएके देखलगेल हए ।

गरुडामे ट्राफिक जनचेतनामूलक कार्यक्रम सम्पन्न
रौतहटके गरुडामे ट्राफिक जनचेतनामूलक कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । जिला ट्राफिक कार्यालय रौतहटके आयोजनामे भेल कार्यक्रममे गरुडाके विभिन्न क्षेत्रके विशिष्ट लोगके सहभागिता रहल रहे । ट्राफिक प्रहरीद्वारा गरुडामे करिब एक दर्जन ड्राम राखलगेल हए । विभिन्न स्थानपर राखलगेल ड्राममे जनचेतनामूलक सन्देश लिखलगेल हए । ड्राममे दोकान आ घरसे निकलल फोहरके व्यवस्थापन कएल जासकइअ । कार्यक्रमके अवसरपर गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादव सरसफाइके क्षेत्रमे कार्यक्रम महत्वपूर्ण रहलासे नगरपालिकाके ओरसे होएबाला सहयोग करेके लेल अपने तैयार रहल बतएले छत ।




सर्लाहीमे अपना घरमे मृत अवस्थामे मिलल हए प्रौढ
सर्लाहीके एगो बलरामे एकजने प्रौढके लास अपना घरमे मिलल हए । लोकल मदिराके कारोबार करेबाला बलरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ बोर्डर टोलाके ६५ बरिसके जुगल साहके लास अपने घरमे मिलल हए । स्थानीय एकजनेके मोताबिक साहके हत्या होएल संखा हए । मृत्युके कारण स्पष्ट नहोए सकल हए । घटनाके विषयमे सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

अबैध मदिरा भठी नष्ट करइत रौतहट पुलिस दूजनेके कएले हए पक्राउ
रौतहट पुलिस एगो अवैध मदिरा भठी नष्ट कएले हए । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ सन्तपुरमे रहल अवैध मदिरा भठी नष्ट कएले हए । चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के रहनिहार करिब ४० बरिसके अस्मिता तामाङ आ करिब ४५ बरिसके अंगिता लामा पक्राउ परल हए । गौर चन्द्रपुर सडक खण्ड हाइवेमे सबारी साधन चेकजाँच करेके क्रममे डिकीमे करिब एक सय पचास लिटर तयारी मदिरा फेला पारके मदिरा लेआबेबाला दूजनेके नियन्त्रणमे लेके अनुसन्धान होरहल हए । पक्राउ परल दुनुजनेके अनुसन्धानके लेल इलाका प्रहरी कार्यालय चन्द्रपुरमे राखलगेल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

एक सय दश पिस कपडा पुलिस कएले हए बरामद
रौतहट पुलिस अबैध कपडा बरामद कके भन्सार बुझएले हए । रौतहटके ईशनाथ नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ डुमरियामे रहल प्रहरी चौकी औरैयासे गस्तीमे खटल प्रहरी टोलीके देखके भन्सार छलके अवैध रुपमे भारतसे नेपालके ओर लेआएल एक सय दश पिस भेस्ट कपडा फेकके भागलापर पुलिस बरामद कएले हए । बरामद भेल एक सय दश पिस भेस्ट जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटमे लेआके आवश्यक प्रक्रिया पुगबइत भन्सार कार्यालयमे बुझाबलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।

महादेवपटीसे भी भन्सार छलमे लाएल कपडा पुलिस कएले हए बरामद

रौतहट पुलिस महादेव पटीसे भी कपडा बरामद कएले हए । भारतसे नेपालमे भन्सार छलके लेआएल कपडा बरामद कएले हए । गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर २ महादेवपटीमे रहल रास्ता होके भारतसे भन्सार छलके नेपालके ओर लेआरहल पन्द्र पिस कुर्ता सुरबाल आ अन्य पन्द्र पिस कपडा मिलाके तीस पिस कपडा पुलिस बरामद कएले हए । अस्थायी प्रहरी पोस्ट महादेवपटीसे खटल पुलिसके गस्ती टोलीके देखके अवैध सामान फेकके आदमी फरार होएल हए । फरार आदमीके खोजी जारी रहल हए । बरामद भेल कपडाके आवश्यक पक्रिया पूरा करइत जिला भन्सार कार्यालय गौरमे बुझाबलगेल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें