रविवार, 29 जुलाई 2018

कटहरियाके एकजने नाबालक काल्हुसे भेल हए वेपत्ता
कटहरियाके एकजने नाबालक काल्हुसे वेपत्ता भेल हए । कटहरिया नगरपालिकाके कटहरिया बजारमे रहल प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्रके कर्मचारी शंकर राय यादवके लडका शनिवारसे घरे नलौटल हए । करिब १४ बरिसके उमर रहल रोशन कहाएबाला आदर्श यादव शनिवारके दिन सबेरे करिब ११ बजे खाना खाके घरसे निकलल लेकिन एतबारके साँझतक घरे नलौटल हए । शनिवारसे ही खोजी होरहल नाबालकके विषयमे केनहु खबरपत्ता नमिलल हए । करकुटमैता सबतरो खोजी होगेल लेकिन अभीतक केनहु आदर्शके विषयमे मालुम नचलल हए । बालक दू दिनसे सम्पर्कमे नरहल कहके अभिभावकलोग प्रहरीके जानकारी कराचुकल हए । यादव परिवार अपनासे चारोओर विभिन्न माध्यमसे खोजी कररहल हए । गरुडा नगरपालिकाके जिंगडियामे रहल नेपाल पुलिस स्कुलके कक्षा ८ मे पढरहल विद्यार्थी होएलासे कौनो विद्यार्थी साथीके घरे गेल अनुमान भी कएल जारहल हए । साथमे पुलिस भी अपनासे बनाबालकके खोजी सम्भावित सभी तरिकासे कररहल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी निरीक्षक चतुर्भुज ओझा जानकारी करएले छत ।

सबारीके ठोकरसे जयनगरमे एकजने हवलदार भेल हए घाएल
सबारी साधनके ठोकरसे रौतहटमे एकजने हवलदार घाएल भेल हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर १ जयनगरमे गरुडासे गौरतर्फ जारहल ना ४ च ६७५ नम्बरके बोलेरो गाडी मौलापुरसे इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके ओर आरहल मौलापुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ सोनरनियाके रहनिहार करिब ४० बरिसके जयनारायण यादवके आवश्यक अनुसन्धान सोधपुछके लेल प्रहरी चौकी विर्तामे दरबन्दी होके अस्थायी प्रहरी पोस्ट मौलापुरमे कार्यरत प्रहरी हवलदार राजु कुर्मी बा २ ब ५६९६ नम्बरके मोटरसाइकिलपर चढाके लेआरहल अवस्थामे ठोकर देलापर हवलदार राजु कुर्मी घाएल भेल हए । हवलदार कुर्मीके दहिना हाथके नाडी टुटल हए । दहिना पयरमे भी चोट लागल हए । हवलदारके इलाज नेशनल मेडिकल कलेज अस्पताल वीरगंजमे चलरहल हए । अइसही मोटरसाइकिलके पछाडि बैठल सोनरनियाके जयनारायण यादवके बाँया पैरमे चोट लागल हए । यादवके इलाज शिवनगरमे चलरहल हए । ठोकर मारेबाला बोलेरो गाडी आ डाइबर पुलिसके नियन्त्रणमे रहल हए । बोलेरो गाडी चलाबेबाला राजपुर नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ५ के रहनिहार ३२ बरिसके सलाहुदीन लहेरी रहल हए । घटनाके विषयमे अन्य अनुसन्धान इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

सोनारनियामे भेल मारपिटमे दुजनेके चलरहल हए इलाज
रौतहटके मौलापुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ सोनरनियामे दू पक्षबीच मारपिट भेल हए । जमिनके विषयके लेके भेल विवादमे मारपिट भेल हए । मौलापुर नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ८ सोनरनियाके करिब ७० बरिसके सुथरी देवी यादव आ ओकर बेटा ३३ बरिसके दुर्गा राय यादवसे स्थानीय ४७ बरिसके राम ध्यान यादव आ ओकर भाइ जयनारायण यादव मारपिट कएले हए । मारपिटसे सुथरी देवीके दहिना हाथ टुटल हए आ बेटा दुर्गा राय यादवके पिठिपर चोट लागल हए । महिलाके इलाज वीरगंजमे चलरहल हए । महिलाके अवस्था खतरासे बाहर रहल हए । अइसही दुर्गा यादवके अवस्था भी सामान्य भेल हए । मारपिट करेबाला राम ध्यान राय यादव आ जय नारायण राय यादवके पुलिस पक्राउ कएले हए । दुनु जनेके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे राखके अनुसन्धान होरहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जानकारी करएले हए ।

सबारी दुर्घटनामे बारामे एकजनेके भेल मृत्यु
सबारी दुर्घटनामे बारामे एकजनेके मृत्यु भेल हए । बाराके सिमरा जितपुर उपमहानगर पालिका वार्ड नम्बर २२ मे मेन रोड ना ७ ख ६९० नम्बरके बससे ना ३९ प ३१३८ नम्बरके मोटरसाइकिले ठोकर मारलासे मोटरसाइकिल चलारहल आदमीके मृत्यु भेल हए । ठोकर मारलापर मोटरसाइकिल चलाबेबाला बकुलियाके रहनिहार करिब ३० बरिसके मनीष चौधरी गम्भीर घाएल भेल रहे । गम्भीर घाएल अवस्थामे इलाजके लेल चौधरीके नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल वीरगंज पेठएलापर इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । बसके डाइबर फरार रहल हए । घटनाके विषयमे अन्य अनुसन्धान पुलिस कररहल हए ।

वीरगंजमे एगोटेके घरसे भेल हए लाखो रुपैयाके चोरी
पर्साके वीरगंजमे एकजनेके घरसे लाखो रुपैयाके चोरी भेल हए । पर्साके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर १४ पिपराके रहनिहार श्याम कुमार पटेलके घरसे करिब २४ भर सोनाके गहना, करिब साढे ३० भर चानीके गहना, चार थान देवाल घडी, एक थान मोबाइल आ करिब एक लाख बीस हजार रुपैया नगद शनिवार चोरी भेल हए । घटनाके विषयमे पर्सा पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

सर्लाहीके अचलगढमे एकजने बुजुर्ग मिलल मृत
सर्लाहीमे एकजने बुजुर्ग मृत अवस्थामे मिलल हए । सर्लाही जिलाके बलरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ अचलगढके मिर्जापुरमे एकजने वृद्ध मृत अवस्थामे मिलल हए । छतौना बजारओर जाएबाला पैँडपर नाम, थर आ वतन कुछो नखुलल करिब ६० बरिसके आदमी मृत अवस्थामे मिलल हए । मृत आदमीके मृत्युके कारण आ पहिचानके लेल सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

हजारोके मरिच बारा पुलिस कएले हए बरामद
बारा पुलिस हजारो रुपैयाके मरिच बरामद कएले हए । बारा जिलाके विश्रामपुर गाँओपालिका वार्ड नम्बर १ खेखरिया टोेलासे करिब एक लाख रुपैया बराबर मूल्य परेबाला मरिच पुलिस बरामद कएले हए । गस्तीमे खटल पुसिलके टोलीके देखके तस्करी करेबाला आदमी बोरामे मरिच छोडके भागल रहे । भारतके ओर चोरी निकासी कके लेजारहल करिब ७५ किलो मरिच बारा पुलिस बरामद कएले हए । मरिचके विषयमे थप अनुसन्धान बारा पुलिस कररहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

बरगिनियाके एगो दोकानमे भेल हए लाखोके चोरी

भारत बिहारके सितामढी जिलाके बरनिगिया बजारके एगो दोकानमे लाखोके चोरी भेल हए । बरगिनियाके कपडापटीमे रहल चन्दन कुमारके सन्तोष वस्त्रालयमे दोकानके ताला तोरके लाखोके चोरी करेमे चोर सफल भेल हए । दोकानसे लाखो रुपैया नगद, कपडा आ अन्य कागजात भी चोराके लेगेल हए । व्यावसायी बरनिगिया थानामे रिपोर्ट लिखएले हए । थानाध्यक्ष सुजीत कुमारके मोताबिक आवेदन दर्ज कएलगेल हए । दोकानसे करिब ७० हजार नगद, ६० पिस साडी, ४ थान पापलीन, एलआइडीके बान्ड, एटिएम कार्ड सहित अन्य कागजात चोरी भेल हिन्दुस्तान दैनिकपर खबर प्रकाशित भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें