शुक्रवार, 27 जुलाई 2018

चलइत कारमे आगलगी, कार चरके भेल नष्ट
रौतहटमे चलइत एगो कारमे आगलगी भेल हए । रौतहटके पुर्ब पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत चन्द्रपुर नगरपालिका २ स्थित लच्कामे शुक्रवार चलइत कारमे अचानक आगलागी होएलासे कार पूर्ण रुपमे जरके नष्ट भेल हए । सर्लाहीके हरिऔन से  गौरतर्फ जारहल बा १२ च ९३३० नम्बरके कारमे शुक्रबार अचानक आगलागी भेल रहे । चालक महेश कटुवाल अकेले चलारहल समयमे अचानक आगलागी भेल रहे । आगलागी भेल पता चल्ते मुस्लिलसे कारके अपने बाहर आबेमे सफल भेल चालक कटवाल बतएले रहलन । कारके ब्याट्रीमे सर्ट होके आगलागी होसकेके प्रहरीके प्रारम्भिक अनुमान रहल हए । कारमे आगलागि भेल खवर मिल्लापर घटनास्थलमे नेपाल प्रहरी आ सशस्त्र प्रहरी पुगके बारुण यन्त्रके सहायतासे नियन्त्रणमे लेल गेल रहे । आगलागीके बिषयमे आवश्यक अनुसन्धान होरकल ईलाका प्रहरी कार्यालय चन्द्रनिगाहपुर जनएले हए । आगलागीसे गाडी पूरे क्षतिग्रस्त भेल आ चालक सुरक्षित रहल प्रहरीके कहनाम रहल हए ।

पोखरीमे डुबके रौतहटमे फेर दुगो बालकके भेल हए मृत्यु
पोखरीमे डुबके रौैतहटमे फेर दुगो बालकके मृत्यु भेल हए । रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के रहनिहार वीरेन्द्र राय यादवको करिब ६ बरिसके बेटा रोशन कुमार यादव आ उँहमे रहनिहार धीरेन्द्र यादवके ४ बरिसके बेटा कुन्दन कुमार यादवके पोखरीमे डुबके मृत्यु भेल हए । शुक्रबार दुपहरियामे अत्यधिक गर्मी भेल अवस्थामे दुनु बालक घरसे करिब तीन सय मिटर दुरीपर रहल स्थानीय प्रयाग राय यादवके पोखरीमे नहाए गेलापर खेलेके क्रममे डुबके मृत्यु भेल हए । दुनु बालकके लास इलाका प्रहरी कार्यालय लक्ष्मीनियाके प्रहरी टोली बरामद कके थप अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रवक्ता डिएसपि राम कुमार दानी जानकारी करएले छत ।

गरुडामे परम्पराअनुसार गमाला पूजा भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके गरुडामे ब्रह्म भगवतीके गमाला पूजा सम्पन्न भेल हए । हर साल असारके पुर्नेमाके दिन होइते आएल गमाला पूजा विधिपूर्वक सम्पन्न भेल हए । असारमे धानके गभ लगएलाके बाद पुर्नेमाके दिन गमाला पूजा करेके चलन हए । असारके पुर्नेमाके दिन ब्रह्म भगवतीके गमाला पूजा कएलासे धनधान्यसे पूर्ण होएके लोक विश्वास रहल हए । पूजाके परसाद हर घरमे पुगाबेके परम्परा रहल समाजसेवी राम कृष्ण चौधरी जानकारी करएले छत ।

बाल संरक्षण आ जन्मदर्ता दू दिवसीय तालिम गरुडामे सम्पन्न
बालबालिकाके जन्मदर्ता सम्बन्धी दू दिवसीय कार्यक्रम गरुडामे सम्पन्न भेल हए । माधव नारायण नगरपालिकाके सम्पूर्ण वडाके वडाध्यक्ष तथा सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालयके प्रधान शिक्षक आ गरुडा नगरपालिकाके वार्ड नम्बर एक, दू, पाँच आ छओके वडाध्यक्षके साथे सामुदायिक विद्यालयके प्रधान शिक्षकसहित ३१ जनेके सहभागिता रहल रहे । जन्म दर्ता बालबालिकाके अधिकार मात्रे नहोके राज्यके अन्य पक्षसे भी जुटल होएलाके कारण जन्म होएलाके ३५ दिनके भित्तर सम्बन्धित निकायमे नाम दर्ताके अधिकार सुनिश्चित करेला सम्बन्धित सभी पक्षके अपन भूमिका निर्वाह करनाइ उचित रहल तालिममे कहलगेल हए । प्लान इन्टरनेशनल नेपालके सहयोगमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल सहभागी प्रधान शिक्षक किशुन दयाल यादव जानकारी करएले छत ।

रौतहटके शिवनगरमे औपचारिकरुपसे मनाबलगेल हए गुरुपुर्नेमा
जीवन जिएके राह सिखाबेबाला गुरुप्रति श्रद्धा अर्पण करइत रौतहटके शिवनगरमे औपचारिक रुपसे गुरुपुर्नेमा मनावलगेल हए । शास्त्रमे माता आ पिताके बाद गुरुके स्थान निर्धारित कएलगेल हए । गुरुके स्थान देवतासे भी उपर मानलगेल हए । इहे भावनासे नेपाल मानव धर्म सेवा समितिके ओरसे गरुडा नगरपालिकाके शिवनगरमे गुरुपुर्नेमा मनाबलगेल हए । मान धर्मके भक्तलोग गुरु सतपालजी महाराजके गुरु मानके शिवनगरमे गुरुपुर्नेमा श्रद्धा आ भक्तिपूर्वक मनाबलगेल हए । अइसही जिलामे गुरुप्रति श्रद्धा दर्शबइत गुरुपुर्नेमाके शुभकामना आदानप्रदान कएलगेल हए ।

बारामे सबारी दुर्घटनामे पर्साके एगो युवकके भेल हए मृत्यु
बारा जिलामे तीनगो सबारी साधन जुधलासे एकजने युवकके मृत्यु भेल हए । मृत्यु होएबाला युवक पर्सा जिलाके रहल हए । बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मे रहल कत्था मिलके अगाडि ना ७ ख ६५६४ नम्बरके मिनी ट्रक ना ७ ख ७५८५ नम्बरके मोटरसाइकिलके ठोकर देलापर मोटरसाइकिल अनियन्त्रित होके ना २ प २७७० नम्बरके भ्यानमे ठोकर मारके गिरलापर मोटरसाइकिल चलारहल आदमी गम्भीर घाएल भेल रहे । मोटरसाइकिल चलारहल पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर ३२ के रहनिहार ३० बरिसके महिनुदीन अन्सारी गम्भीर घाएल अवस्थामे वीरगंज पेठाबल गेलापर अन्सारीके इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । दुनु सबारी साधनके बारा प्रहरी नियन्त्रणमे लेके थप अनुसन्धान कररहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

आन्तरिक राजस्व कार्यालय बारा लक्ष्यसे बेसी उठएले हए राजस्व
बारा जिलाके सिमरामे रहल आन्तरिक राजस्व कार्यालय बितल आर्थिक वर्षमे लक्ष्यसे बेसी राजस्व उठएले हए । आन्तरिक राजस्व कार्यालय सिमरा गत आर्थिक वर्षमे लक्ष्यसे बेसी राजस्व उठाबेमे सफल भेल हए । बारा आ रौतहट जिलाके पचास हजार चार सय करदातासे आठ अरब एकहत्तर करोड उन्चालिस लाख राजस्व संकलन भेल हए । सरकारसे बितल आर्थिक वर्षके लेल प्राप्त लक्ष्यसे तीन प्रतिशत बेसी राजस्व उठाबेमे कार्यालय सफल भेल हए । आयकर त्रिपन करोड चौहत्तर लाख अठासी हजार, घर बहालकर तीन करोड सताइस लाख पचास हजार, ब्याज दू करोड एकासी लाख असी हजार, भ्याट उन्सठ करोड पचहत्तर लाख चौरानमे हजार, अन्तः शुल्क सात अरब एकावन करोड बासठ लाख एगार हजार, स्वास्थ्य सेवा कर एकइस लाख सैतालिस हजार, शिक्षासे तीस लाख चौबीस हजार सहित आठ अरब एकहत्तर करोड तिहत्तर लाख चौरानमे हजार राजस्व संकलन कएल गेल कार्यालयके प्रमुख कर अधिकृत राम प्रसाद पाठक जानकारी करएले छत ।

पाकिस्तानमे अपना सुन्दरताके कारण एगो महिला पुलिस अधिकारी हए चर्चामे

पाकिस्तानमे एगो महिला पुलिस अधिकारी अपना सुन्दरताके कारण खूब चर्चामे रहल खबर हए । पाकिस्तानके लाहौरमे एसपि रहल अनुस मसुद चौधरी नामके महिला पुलिस अधिकारी अपना सुन्दरताके कारण चर्चामे रहल हए । लाहौर सहरके पहिल अइसन महिलाके रुपमे रहल हए जे पुलिस विभागके सेन्ट्रल सुपिरियर सर्विसेज के परीक्षाके चालीसमा कमन बैचके क्लियर कएले हए । एमबिबिएसके पढाइ पूरा कएले महिला एएसपि पुलिस चौधरी पुलिस विभागमे भर्ना होएसे पहिले डाक्टरके काम करइत रहे । अनुश मेडिसिनमे गोल्ड मेडलिस्ट भी रहल हए । पाकिस्तान पुलिस फोर्समे ०.८९ प्रतिशत महिला मात्रे रहल अवस्थाके जानकारी अनुस देले हए । अनुसके पति भी पाकिस्तानके पुलिस विभागमे कार्यरत हए । जादासे जादा महिलाके पुलिस विभागमे देखेके चाहना रखले एसपि चौधरी लाहौरमे कैंट डिभिजनमे क्राइम इनवेस्टिगेसन विभागमे इनवेस्टिगेसन सुप्रिटेन्डेन्ट अफ पुलिसके पोस्टपर कार्यरत रहल हए । लमहर पदपर पुगलाके बाद भी महिला पुलिस अधिकारीके फोटो पाकिस्तानमे सुन्दरताके कारण भाइरल होरहल लाइभ हिन्दुस्तानपर खबर प्रकाशित भेल हए ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें