गुरुवार, 26 जुलाई 2018

रौतहटके नयाँ एसपि गरुडामे कएले छत अन्तरक्रिया कार्यक्रम
नेपाल प्रहरीके रौतहट प्रमुख एसपि केदार ढकाल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे अन्तरक्रिया कएले छत । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी निरीक्षक चतुर्भुज ओझा आ ट्राफिक प्रहरीके इन्स्पेक्टर समेतके राखके कएलगेल अन्तरक्रियामे गरुडा नगर क्षेत्रभित्रके विभिन्न क्षेत्रके प्रतिष्ठित लोगके सहभागिता रहल रहे । अपराध अनुसन्धानमे समाजके अगुवा लोगके बहुत सकारात्मक सहयोग रहल कहइत एसपि ढकाल सर्वसाधारणके चाहना बमोजिम सुरक्षा देबेला नेपाल प्रहरी हरदम तैयार रहल जानकारी करएले छत । स्थानीयबासीद्वारा गरुडाके शान्ति सुरक्षाके विषयमे विभिन्न कोणसे प्रकाश पारइत नेपाल पुलिसके सक्रियताके लेल आग्रह कएले हए ।

रौतहट पुलिस तीनगो भठी कएले हए नष्ट
रौतहट पुलिस तीनगो भठी नष्ट कएले हए । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ मातीपुरमे अवैध रुपसे संचालनमे रहल मदिरा भठीके रौतहट पुलिस नष्ट कएले हए । मदिरा भठी नष्ट करेके साथे करिब ६५० लिटर कच्चा पदार्थ भी नष्ट कएले जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट नष्ट कएले हए ।

रौतहट पुलिस करिब साढे बारह किलो गाँजा कएले हए बरामद
रौतहट पुलिस करिब साढे बारह किलो गाँजा बरामद करेमे सफल भेल हए । रौतहटके परोहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ नगरकटियामे रहल बसिर चौकपर गस्तीमे रहल नेपाल पुलिसके टोलीके देखके मोटरसाइकिलपर सबार दूजने भागल रहे । नेपालसे भारतके ओर जारहल बीआ ०६ जे ४११२ नम्बरके मोटरसाइकिलपर सबार रहल दुनुजने भागेमे सफल भेल लेकिन मोटरसाइकिलसहित झोरा लेजाए नसकल हए । मोटरसाइकिल आ झोरा गस्तीके पुलिस अपना नियन्त्रणमे लेके झोराके चेक कएलापर करिब साढे बारह किलो अवैध गाँजा बरामद भेल हए । लागू औषध गाँजा आ मोटरसाइकिल प्रहरी चौकी नरकटियाके नियन्त्रणमे रहल हए । मोटरसाइकिल केकर हए आ गाँजा कहाँसे आएल तथा फरार दुनुजने के रहल हए, एकरा विषयमे रौतहट पुलिस अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

मोटरसाइकिल दुर्घटनामे दूजने युवक भेल हए घाएल
रौतहटके सदरमुकाम गौर जाएबाला सहायक राजमार्गमे एगो मोटरसाइकिल दुर्घटनामे दूजने घाएल भेल हए । यमुनामाई गाँओपालिकाके वार्ड नम्बर ३ भेडियाहीमे रहल सहायक राजमार्गपर सुकदेव चौकसे हजमिनियाके ओर जाएके क्रममे रहल बीआर ३० जे ३८१८ नम्बरके मोटरसाइकिल अपनेआप अनियन्त्रित होके उलिटलापर मोटरसाइकिलपर रहल दुनुजने युवक घाएल भेल हए । मोटरसाइकिल चलारहल यमुनामाई गाँओपालिका वार्ड नम्बर ३ के रहनिहार अमरुल अन्सारीके करिब १९ बरिसके बेटा लाल महमद अन्सारी आ मोटरसाइकिलके पछाडि बैठल गुजरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ के रहनिहार दाउद अन्सारीके करिब १९ बरिसके बेटा जबिर अन्सारी घाएल भेल हए । घाएल दुनु युवकके सुकदेव चौकपर रहल एगो अस्पतालमे इलाज चलरहल हए । दुनुजनेके मुडी, चेहरा, पैरमे चोट लागल हए । दुनुजनेके अवस्था सामान्य रहल आ मोटरसाइकिल प्रहरी चौकी सुकदेव चौकके नियन्त्रणमे रहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

मोटरसाइकिलसे जिंगडियामे बालकके ठोकर देलापर एगो बालकके अवस्था हए गम्भीर
मोटरसाइकिलसे बालकके ठोकर देलापर एगो बालक गम्भीर घाएल भेल हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ बिर्तामे रहल पाल आएलके नजदिकमे गौर चपुर सडकपर बिर्तासे गरुडा आबेके क्रममे रहलप ना २१ प ३६१९ नम्बरके मोटरसाइकिल एगो बालकके ठोकर मारले हए । गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ जिंगडियाके नेक महम्मदके करिब आठ बरिसके बेटा इरफान महम्मद रास्ता आरपार करेके क्रममे रहल अवस्थामे मोटरसाइकिल ठोकर मारले हए । ठोकरसे बालक इरफान गम्भीर घाएल भेल हए । बालकके सिरियस अवस्थामे गरुडाके एगो अस्पतालमे इलाज चलरहल हए । बालकके मुडी, हाथ आ पएरमे गम्भीर चोट लागल हए । मोटरसाइकिल आ मोटरसाइकिल चलाबेबालाके विर्ता पुलिस नियन्त्रणमे लेके थप अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके डिएसपि राम कुमार दानी जानकारी करएले छत ।

शिक्षकमे नोकरीके लेल मधेसी युवाके आकर्षण देखल जारहल हए पहाडके ओर
शिक्षित मधेसी युवाके आकर्षण हिमाल आ पहाडके ओर देखलजारहल हए । शिक्षक सेवा आयोगके विज्ञापनके क्रममे अध्यापन अनुमतिपत्र प्राप्त कएले अधिकांश मधेसी युवा हिमालके विभिन्न जिला आ पहाडके विभिन्न जिलामे जाके फारम भरले हए । पहाड आ हिमालके जिलामे खुलाके ओर बेसी सिट रहल तथा समावेशीमे मधेसीके लेल बेसी आरक्षित सिट रहल जिलामे जाके शिक्षकके फाराम भरले देखलगेल हए । शिक्षक सेवा आयोग नवयुवा समुदायमे सक्रियता बढएले हए । करिब तेरह हजारसे बेसी संख्यामे प्राथमिक, निम्नमाध्यमिक आ माध्यमिक तहमे शिक्षकके माग करइत विज्ञापन निकाललाके बाद अध्यापन अनुमतिपत्र प्राप्त कएले सभी युवा सक्रिय भेल हए । फारम भरलाके बाद अधिकांश युवा देशके विभिन्न प्रमुख सहरमे जाके कोचिङ कक्षा भी कररहल हए । अपन विभिन्न प्रमुख सहर आ बजारमे शिक्षक सेवा आयोगके परीक्षाके तयारी कराबेला चारोओर तयारी कक्षा संचालन होरहल हए । नवयुवा समुदायके अत्यधिक आकर्षण कोचिङके ओर गेल हए । कोचिङमे युवा समुदाय बहुत मेहनत कररहल देखलगेल हए । अपना जिलामे बेसी प्रतिस्पर्धा होएके साथे पहाडके दर्शन करेला, कुछ समावेशी सिटमे नाम निकालेला तुलनात्मकरुपसे कुछ आसानी होएला आ अपना प्रतिभाके प्रदर्शन करेला मधेसी युवालोग पहाड आ हिमालके ओर यात्रा कररहल देखलगेल हए । पहिलेसे ही पहाडमे मधेसी जाके विद्यालयमे पढाबेके चलन रहलाके कारण पहाडके ओर जाके फाराम भरेला आसानी रहल युवालोगके कहनाम हए । अध्ययनके समयसे ही शिक्षा विषय लेके पढले आ शिक्षक बनेला लाइसेन्स लेके विज्ञापन खुलेके तैयारी कररहल अधिकांश युवालोग अमकीबेर शिक्षक बनेके सपनाके साकार होएके एगो महत्वपूर्ण पडाबके रुपमे शिक्षक सेवा आयोगके विज्ञापनके लेले हए । शिक्षक सेवा आयोगके विज्ञापन होएलाके बाद शिक्षक बनेके चाहना रखले करिब सम्पूर्ण युवा घरमे ही चाहे कोचिङमे जाके तैयारी कररहल हए । कुछ युवा त दैनिक दश घन्टासे बेसी परीक्षाके तैयारीमे लगारहल देखलगेल हए । शिक्षक बनेके चाहना राखेबाला युवाके लेल अमकीबेरके शिक्षक सेवा आयोग एगो बहुत सुन्दर मोकाके रुपमे आएल देवाहीगोनाहीके एक युवकके कहनाम रहल हए ।

शिक्षक बनेला महिला भी अमकीबेर कम्मर कसके भिरल हए तैयारीमे
 शिक्षक बनेला पुरुषके साथे महिलालोग भी कम्मर कसके भिरल हए । शिक्षक बनेके लेल मधेसी महिना पहिले मोस्किलसे अपना जिलामे ही जाके फारम भरे लेकिन अमकीबेर मधेसी महिलाके फाराम भरेके प्रवृत्ति जिलाके सिमानके घेरासे अलग भी देखलगेल हए । अमकीबेर बहुत महिला अपना घरपरिवारसे अनुमति लेके पहाडके जिलातक जाएके काम कएले देखलगेल हए । महिलालोग विभिन्न जिलामे जाके फारम अपनेसे भरेके चाहे दोसराके अपन फाराम देके दोसरा जिलामे पेठाबेके क्रम देखलगेल हए । चुल्हीके घेरामे चाहे घरके काममे मात्रे सीमित रहेके चलन रहल महिलालोग पछिलका स्थानीय तहके निर्वाचनमे सफलता प्राप्त कएलाके बाद शिक्षित महिलामे कुछ हिम्मत बढल हए । विभिन्न जगहपर चलरहल कोचिङमे अपना घरके सभी काम कके महिलालोग सक्रिय सहभागिता जनारहल देखलगेल हए । अइसही मलाहीके चनज्योति सहनीके मोताबिक महिलालोग शिक्षक बनेला सभी किसिमसे तैयार रहल आ आयोगके तैयारी पूरा मेहनतके साथ कररहल हए । महिलालोग भी सभी किसिमके प्रतिस्पर्धामे तैयार रहलासे मधेसके जिलामे मात्रे सीमित नरहके रोजगारीके क्रममे पहाडमे जाएला भी तैयार देखलगेल हए । तराई–मधेससे जुटल पहाडके अधिकांश जिलामे मधेसी महिला शिक्षक बनेला फाराम भरले सहनीके कहनाम रहल हए ।

सर्लाही पुलिस मोटरसाइकिल सहित पाँच किलो गाँजा कएले हए बरामद

सर्लाही पुलिस पाँच किलो अवैध गाँजा आ मोटरसाइकिल बरामद कएले हए । सर्लाहीके हरिपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ पिडारीमे रहल सडकपर चेकजाँच करेके क्रममे पाँच किलो गाँजा बरामद कएले हए । पिँडारीसे हरैयातर्फ जारहल ना ४ ख ८६३७ नम्बरके मोटरसाइकिलके चेकजाँच करेके खोजलापर मोटरसाइकिलपर सबार मोटरसाइकिल छोडके भागेमे सफल भेल हए । मोटरसाइकिलके चेकजाँच करेके क्रममे मोटरसाइकिलसे पाँच किलो गाँजा बरामद भेल हए । बरामद गाँजा आ मोटरसाइकिलके सर्लाही पुलिस अपना नियन्त्रणमे लेके अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें