सोमवार, 23 जुलाई 2018


एतबारके साँझमे हेराएल दुनु युवकके मिलल हए बागमतीमे लास
एतबारके साँझसे बागमती नदीमे हेराएल सर्लाहीके दुनु युवकके लास मिलल हए सर्लाहीके लालबन्दी नगरपालिका वार्ड नम्बर रानीगंजके रहनिहार २२ बरिसके सञ्जय बस्नेत २२ बरिसके राजेश ब्लोन एतबारके दिन साँझमे बागमती नदीके नुनथर महादेव मन्दिरके पछाडि नहाएगेल अवस्थामे बेपत्ता भेल रहे पौँडे गेल दुनु युवक साँझमे ही वेपत्ता भेल रहे वेपत्ता दुनु युवकके खोजी रौतहट सर्लाही पुलिस करइत आएल रहे बागमती नदीमे आएल दाहरमे दहके युवक डुबगेल रहे दुनु युवकके लास करिब एक किलोमिटर दखिन मिलल हए

विद्यालय लेखासम्बन्धी तीन दिवसीय तालिम सम्पन्न
गरुडा नगरपालिका अन्तर्गतके करिब सभी विद्यालयके प्रधान शिक्षक, लेखापाल अन्य एकजने शिक्षक समेतके सहभागितामे तीन दिवसीय विद्यालय लेखा प्रणाली सम्बन्धी तालिम सम्पन्न भेल हए नमुना मावि गरुडामे सम्पन्न तालिममे विद्यालयके लेखा प्रणालीके दुरुस्त राखेके विषयमे व्यावहारिक छलफल भेल सहभागी रेणु गुप्ता जानकारी करएले छत

जिंगडियामे दलित परिवारके प्राप्त भेल हए सोलार
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर जिंगडियाके १५ परिवारके सोलार प्राप्त भेल हए मावि जिंगडियामे वशिष्ट राय यादवके अध्यक्षतामे भेल सोलार वितरण कार्यक्रममे जिंगडियाके पुर्वारी टोलाके १५ दलित परिवारके सोलार प्रदान कएलगेल हए गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादवद्वारा प्राप्त सोलार वितरण कएलगेल कार्यक्रममे वशिष्ट राय यादव जानकारी करएले छत कार्यक्रमके अवसरपर स्थानीय सजन पाल, राम बालक प्रसाद गुप्ता, अनिल पाल लगायतके लोगके उपस्थिति रहल शिक्षक नन्दु साह बनिया जानकारी करएले छत

प्रदेश मे दारुपर प्रतिबन्ध लगाबेके तयारी होरहल गृहमन्त्री कएले छत खुलासा
प्रदेश मे दारुपर प्रतिबन्ध लगाबेके तैयारी होरहल प्रदेश गृहमन्त्री ज्ञानेन्द्र यादव खुलासा कएले छत कुछे महिनामे प्रदेश के आठ जिलामे मदिरापर प्रतिबन्ध लगाबेके तैयारीके साथ प्रदेश सरकार अगाडि बढल हए आन्तरिक मामिला तथा कानुनमन्त्री यादव प्रदेश सरकार मदिरामुक्त प्रदेशके कल्पना अनुसार अगाडि बढल बतएले छत गृहमन्त्री यादव कानुन बनाके जल्दिए मदिरा उत्पादन बिक्रीपर रोक लगाबेके बतएले छत एकरा विषयमे प्रदेश सरकार प्रदेश सभामे भी प्रारम्भिक तयारी सुरु भेल हए प्रतीक दैनिकसे बातचित करइत गृहमन्त्री यादव प्रदेश के आठ जिलामे केतना उद्योग केतना दोकान रहल विषयमे तथ्यांक संकलन करेके काम एक महिनासे चलरहल मन्त्री यादव खुलासा कएले छत तथ्यांक संकलन होएलाके बाद कानुन नबनलातक सुरुमे निरुत्साहित बनाबेके ओकराबाद प्रदेश सभामे विधेयक पास कराके मदिरापर रोक लगाबेके योजनामे सरकार रहल स्पष्ट कएले छत भारतके बिहारमे बिहार सरकार सन् २०१६ के अप्रिल तारिखसे मदिरापर पुरा प्रतिबन्ध लागल हए बिहारमे मदिराके उत्पादन, ओसारपसार बिक्री वितरणपर प्रतिबन्ध लागेलापर व्यावसायीके अरबों रुपैयाके नोक्सानी भेल रहे

वीरगंजमे दुगो नाबालकके डुबके भेल हए मृत्यु
पर्सा जिलाके वीरगंजमे दुगो बालकके डुबके मृत्यु भेल हए पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर ३० लालपर्सामे रहल पोखरीमे डुबके दुजनेके मृत्यु भेल हए गर्मी होएलापर पोखरीमे नहाएके क्रममे दुनुजने डुबल रहे डुबलापर अशक्त होगेल अवस्थामे दुनुजनेके उद्धार कके अस्पताल पुगाबलगेल रहे स्थानीय भरत साहके १२ बरिसके बेटा सुमित कुमार साह १० बरिसके बेटा अमित कुमार साह दुनुजनेके वीरगंजमे रहल तराई अस्पतालमे इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए घटनाके सम्बन्धमे पर्सा पुलिस आवश्यक अनुसन्धान कररहल हए

सर्लाहीके एकजने काठमान्डुमे परल हए पक्राउ
सर्लाहीके एकजने काठमान्डुमे पक्राउ परल हए सोनाके गहना चोरी कएले आरोपमे काठमान्डुके बसन्तपुरमे रहते आएल सर्लाहीके २२ बरिसके युवक आयुष कार्की पक्राउ परल हए कार्कीके साथे बसन्तपुरमे रहइत आएल लमजुङके २८ बरिसके विष्णु गुरुंग भी पक्राउ परल हए दुनुजने चोरी कएले सोनाके गहना किनले आरोपमे काठमान्डुके चावहिलमे रहइत आएल भारत कलकत्ताके ३४ बरिसके सुनील राउत २२ बरिसके खेकन मतालिकके भी पुलिस पक्राउ कएले हए राउत मतालिकसे सस्ता दाममे सोनाके गहना किनेबाला किलागलके दोकानदार २७ बरिसके मनोरंजन मन्डलके भी पुलिस पक्राउ कएले हए काठमान्डु महानगरपालिका वार्ड नम्बर १४ कलंकी स्युचाटारसे सावन गते चोरी भेल घटनाके अनुसन्धानके क्रममे पुलिस दुनु जनेके पक्राउ कके सोधपुछ करइत गेलापर अइसन रहस्य खुलइत गेल हए घटनाके सम्बन्धमे पुलिस अनुसन्धान अगाडि बढारहल देखलगेल हए

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें