रविवार, 22 जुलाई 2018

बीएड द्वितीय वर्षके परीक्षा भेल सुरु
रौतहटके दुगो सेन्टरमे बीएडके परीक्षा सुरु भेल हए । त्रिभुवन विश्वविद्यालयसे सम्बन्धन प्राप्त विद्यालयके संख्या रौतहटमे १६ गो रहल हए । जिलामे मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा आ गौरीशंकर क्याम्पस गौरमे त्रिभुवन विश्वविद्यालयके परीक्षा कार्यक्रमके मोताबिक परीक्षा सुरु भेल हए । मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडामे सातगो आ गौरीशंकर क्याम्पसमे सातगो क्याम्पसके परीक्षा केन्द्र कायम कएलगेल हए । चन्द्रपुरमे रहल दुगो क्याम्पसके परीक्षा केन्द्र सर्लाहीके सुकेपोखरीमे कायम कएलगेल हए । बीएड दुसरका बरिसके पहिल दिन शिक्षा मनोविज्ञान विषयके परीक्षा भेल हए । जिलाके दुनु केन्द्र्रपर शान्तिपूर्ण किसिमसे परीक्षा सम्पन्न भेल हए ।

विभिन्न सामान रौतहट पुलिस कएले हए बरामद
रौतहट पुलिस विभिन्न सामान बरामद कएले हए । मौलापुर नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ४ बकेया पुलके नजदिकसे भारतसे भन्सार छलके लेआरहल सामान पुलिस बरामद कएले हए । कटहरियाके ओर लेआरहल अवस्थामे करिब ७० किलो खैनी पुलिस बरामद कएले हए । अइसही रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ खैराटोलामे गस्ती करइत गेलापर साइकिलपर लेआरहल काठ पुलिस बरामद कएले हए । एगो साइकिलपर लादके ६ फिटके सखुआके गोलिया दुगो लादके लेजारहल अवस्थामे पुलिसके देखतेमे आदमी फरार भेल रहे । बरामद भेल काठ आ साइकिल इलाका प्रहरी कार्यालय लक्ष्मीनियामे राखलगेल हए । काठ छोडके भागेबालाके खोजी पुलिस कररहल हए । अइसही राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ से पुलिस हजारो रुपैयाके कपडा बरामद कएले हए । भारतसे भन्सार छलके नेपालके ओर लेआएल विभिन्न किसिमके कपडा पुलिस बरामद कएले हए । गस्तीके रहल पुसिलके टोलीके देखके कपडा लेआबेबाला आदमी कपडा छोडके अपने भागेमे सफल भेल हए । पुलिस ५४ पिस सुती साडी,  पाँच पिस पेटिकोट, १९ पिस कुर्ता सुरबाल, ४ पिस बलाउज, २८२ थान टिकुली लगायतके सामान बरामद कएले हए । बरामद सामानके इलाका प्रहरी कार्यालय राजपुरमे राखलगेल हए । सामान केकर हए कहके पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

निजगढ विमानस्थलमे लेल जमिनबालाके मुआब्जा वितरण होरहल हए धमाधम
बाराके निजगढमे निर्माण होएबाला अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके जमिन मुआब्जा धमाधम होरहल हए । देशके दुसरका अन्तर्राष्टिय विमानस्थलके निर्माणके लेल जमिन खाली कराबेला टाँगियाबस्तीके स्थानीयबासीके मुआब्जा देलजारहल हए । जमिनके लालपुर्जा रहल लोगके मुआब्जाके लेल निवेदन देबेला तोकलगेल म्यादके भित्तर १५२ जने निवेदन देले रहे । जमिनके लालपुर्जाबाला जग्गाधनीके मुआब्दा देबेके काम अब अन्तिम चरणमे चलरहल हए । अभीतक १२४ जने मुआब्जा लेचुकल दुसरका अन्तर्राष्टिय विमानस्थल निर्माण आयोजना सिमरा बाराके वरिष्ठ अधिकृत एवं प्रवक्ता विजय यादव जानकारी करएले छत । अइसही बाँकी रहल कुछ लोगके मुआब्जा प्रक्रियामे रहल हए । २० जनेके मुआब्जा वितरण अन्तिम चरणमे रहल हए । ८ जनेके घर सरकारके ऐलानी जमिनमे परलासे ओकरा विषयमे निर्णय होएके बाँकी रहल हए । मुआब्जा वितरण होचुकल १२४ जनेके ५५ बिघा १२ कठा २ धुर ६ कनवा जमिनपर भी घर रहल हए । अभीतक ३६ करोड १६ लाख ५४ हजार २२६ रुपैया १५ पैसा मुआब्जा वितरण होचुकल आयोजनाके प्रवक्ता यादव जानकारी करएले छत । अइसही ककरीके १८ जने निवेदकमे १० बिघा १५ कठा १३ धुर जमिनके भी मुअब्जा वितरण होचुकल हए । लेकिन विमानस्थलके बीचमे परेबाला टाँगियावस्तीके हस्तान्तरणके लेल सरकारके ओरसे ठोस निर्णय अभितक नहोए सकल हए । विमानस्थल निर्माणके लेल ११ हजार ८ सय ७५ बिगाहा जमिनके जरुरत हए । टाँगियावस्ती स्थानान्तरणके लेल १ हजार ४७६ घरधुरीके साथ ७३१ बिघा १४ कठा वन क्षेत्र भी खाली करेके अवस्था हए ।

बंगलादेशमे एमबिबिएस पढेबाला छात्राके विषयमे नेपालमे भेल हए राजनीति गरम

बंगलादेशमे एमबिबिएस पढेबाला छात्राके विषयमे नेपालके कानुनमन्त्री बोलले विषयके लेके नेपालमे राजनीति गरमाएल हए । कानुन मन्त्री शेरबहादुर तामांग बंगलादेशमे डाक्टर पढेगेल नेपाली चेली अपनाके नसौँपलातक सर्टिफिकेट प्राप्त करेके अवस्था नरहल बतएले रहलन । बंगलादेश डाक्टर पढेजाएबाला नेपाली चेली सर्टिफिकेट लेबेके समयतक केनहु न केनहु अपनाके बेचेके परेके अवस्था रहल कानुन मन्त्री तामांगके कहनाम सार्वजनिक होएलापर विभिन्न ओरसे माफी मागेला कानुन मन्त्रीपर दबाब परल हए । कानुन मन्त्री तामांग बात साँच रहल कहइत प्रतिवेदनके ही हवाला देले छत । साथमे ठेस पुगलापर माफी भी मागले छत । एसे पहिले झापाके बीएन्डसी अस्पतालके संचालक दुर्गा प्रसाइँ भी बंगलादेश पढे जाएबाला नेपाली छात्राके प्राध्यापक लोग ही यौन शोषण कके रखले अभिव्यक्ति देले रहल कहके अनलाइन खबरपर खबर प्रकाशित भेल हए ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें