शनिवार, 21 जुलाई 2018

चन्द्रपुरमे भेल सबारी दुर्घटनामे परके एकजनेके भेल मृत्यु, आठजने घाएल
रौतहटके चन्द्रपुरमे दुगो गाडी एकापसमे ठोकर मारलासे घाएल ९ जनेमे एकजनेके मृत्यु भेल हए । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मे रहल लमहा पुलके नजदिक राजमार्गपर ना ५ ख ८०६४ नम्बरके कन्टेनर भ्यान आ बिआर ०७ पिबि ५१६२ नम्बरके स्कारपिओ जीप एकापसमे ठोकर कएलापर जीप उलिटल हए । जीपके उलिटलासे डाइबर सहित ९ जने घाएल भेल रहे । घाएल ९ जनेमे ५ जनेके चन्द्रपुर अस्पताल आ ४ जनेके प्रसूति सामुदायिक अस्पताल निजगढमे इलाज चलइत रहे । बाराके निजगढमे इलाज चलरहल धनुषा जिलाके जनकपुर उपमहानगरपालिका वडा नम्बर २ के रहनिहार २३ बरिसके रमन साहके प्रसूति सामुदायिक अस्पताल निजगढमे इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । भ्यानके डाइबरके पुलिस नियन्त्रणमे लेके आवश्यक कारबाही अगाडि बढाबलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।

कटहरिया नगरपालिका प्रावि बरेडवाके नियुक्ति प्रक्रियामे कएले हए हस्तक्षेप
रौतहटके कहटहरिया नगरपालिका कार्यालय एगो शिक्षक नियुक्ति प्रक्रियामे हस्तक्षेप कएले हए । कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर १ मे रहल प्रावि बरेडवामे बिना कौनो विज्ञापन ही विद्यालयके स्थानीय गजेन्द्र राय यादवके घरमे ही शिक्षक नियुक्ति होरहल खबर स्थानीयबासी मार्फत नगरपालिकाके पुगलासे नगरपालिका हस्तक्षेप कके नियुक्ति प्रक्रिया रोकले हए । पत्रपत्रिका आ रेडियोमे खुला सार्वजनिक विज्ञापन कके परल दरखास्तमे एकदम पारदर्शी तरिकासे शिक्षकके नियुक्ति करेके स्थानीयके माग रहल हए । बिना कौनो सार्वजनिक संचार माध्यममे खबर देले, नगरपालिकाके जानकारीके बिना ही शिक्षक नियुक्ति प्रक्रिया अगाडि बढाएल स्थानीयद्वारा मालुम होएतेमे नगरपालिकाके ओरसे विद्यालयके प्रधानाध्यापक रामअश्रे राय यादवके कहके नियुक्ति प्रक्रिया रोकलगेल कटहरियाके नसरुदिन अन्सारी जानकारी करएले छत ।

रौतहटके एगो बालकके चितवनमे भेल हए मृत्यु
रौतहटके एगो बालकके चितवनमे डुबके मृत्यु भेल हए । रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ घरभेल वैद्यनाथ मुखियाके पाँच बरिसके बेटा वीरेन्द्र मुखियाके चितवनमे एगो पोखरीमे डुबके मृत्यु भेल हए । चितवन जिलाके भरतपुर महानगरपालिका वार्ड नम्बर १७ हरैयामे रहल मछरी पोखरीमे काम करइत आएल मुखियाके बेटा पोखरीके किनारपर खेलइत अवस्थामे पोखरीमे गिरलापर डुबके मृत्यु भेल हए । घटनाके सम्बन्धमे पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

मध्यरौतहटके मौसम एतबारके भी रही साफ

मध्यरौतहटके मौसम एतबारके भी अनुकूल ही रहेके सम्भावना हए । एतबारके दिन न्यूनतम तापक्रम २९ डिग्री सेल्सियस आ अधिकतम तापक्रम ३७ डिग्री सेल्सियसके बीचमे रहेके सम्भावना हए । एतबारके हल्का वर्षा भी होसकइअ । एतबारके वर्षा होएके सम्भावना ७८ प्रतिशत मात्रे हए । एतबारके दिन आकाशमे बादल लागल रहेके सम्भावनाके साथे हल्का हावा चललासे मौसम अनुकूल बनल रहेके सम्भावना हए । शनिवारके दिन मौसम अनुमानके मोताबिक बिलकुल अनुकूल रहल रहे । शनिवारके दिन न्यूनतम २७ डिग्री आ अधिकतम ३५ डिग्रीके बीचमे तापक्रम रहल रहे ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें