शुक्रवार, 20 जुलाई 2018

दुपहरियामे देखलगेल गर्मीके उत्कर्ष, पारा पुगल चालीस डिग्रीके पार लेकिन साँझमे भेल मौसम अनुकूल
एई सालके सबसे अत्यधिक गर्मी शुक्रबार महसुस कएलगेल हए । शुक्रबार सबेरेसे घामके रुख बहुत कडा देखलगेल रहे । अत्यधिक कडा घाम दुपहरियामे देखलगेल हए । शुक्रबारके घाम एतना कडा रहल कि हावा भी गरम होगेल रहे । साथमे हावा अत्यन्त कम चललाके कारण सर्वसाधारण बहुत परसान बनल । गरुडामे शुक्रबारके दिन दुपहरियामे रुमके तापक्रम चालिस डिग्रीतक पुगल हए । शुक्रबारके सबेरे किरिन फुटेसे पहिलेके तापक्रम अठाइस डिग्री रहल रहे । शुक्रबार गरुडाके तापमानमे अत्यधिक फरक देखलगेल हए लेकिन साँझमे पाँच बजेके करिबमे आकाशमे बाद देखाइ परलासे सर्वसाधारण कुछ आराम महसुस कएले हए । साँझके वातावरण कुछ अनुकूल होएलासे जनजीवन सामान्य बनल देखलगेल हए ।

शनिवार मौसम पुरे अनुकूल रहेके हए सम्भावना
शनिवार मौसम पूरे अनुकूल रहेके सम्भावना रहल हए । मौसम सम्बन्धी एपपर इन्टरनेटके सहारासे शनिवारके दिन अधिकतम आ न्यूनतम तापक्रमके दुरी कम होएके बतारहल हए । शनिवार अधिकतम तापक्रम ३६ डिग्री आ न्यूनतम तापक्रम २९ डिग्री रहेबाला हए । शनिवार सामान्य हावा चलेके साथे वर्षा होएके ८४ प्रतिशत सम्भावना रहल हए ।

वृन्दावनके हर्दिया पल्टुआमे दू पक्षीय झडपमे सातजने भेल घाएल
रौतहटके वृन्दावन नगरपालिकाके एगो टोलामे दु पक्षबीच मारामारी भेल हए । वृन्दावन नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ४ हर्दिया पल्टुआमे दू पक्षबीच सडक निकालेके विषयमे मारामारी भेल हए । स्थानीय सोनालाल साह आ चौठी राय यादव बीच सडक निकालेके विषयमे लेके झगडा मारामारीके रुप लेले हए । हर्दिया पल्टुआसे विश्रामपुर जाएबाला रास्ताके निर्माण करेके विषयके लेके दू पक्षमे पहिलेसे ही विवाद रहल रहे । सडकके विवाद मिलाबेला कहके वडाध्यक्ष श्याम यादव सहति करिब एक सय पचासजने स्थानीयबासी छलफलमे बैठल अवस्थामे दू पक्षबीच विवाद बढल रहे । विवाद बादमे नेपाली काँग्रेस आ नेकपाके बीचके रुप लेले रहे । मारपिट भयंकर रुप लेलासे सातजने घाएल भेल हए । मारपिटसे ६५ बरिसके सोनेलाल साहके अवस्था गम्भीर हए । गम्भीर अवस्थामे साहके इलाज काठमान्डुमे रहल ट्रमा हस्पिटलमे होरहल हए । अइसही चौठी राय यादवके पक्षके सोनु राय यादव लगायतके लोग घाएल भेल हए । मारपिटके क्रममे मोटरसाइकिलके कसके थुरथार भेल हए । बारहगो मोटरसाइकिल थुरथार भेल हए । घटनाके विषयमे अनुसन्धान होरहल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी निरीक्षक चतुर्भुज ओझा जानकारी करएले छत ।


सशस्त्र प्रहरी दुधियाभार कएले हए १३५ लिटर मदिरा नष्ट
इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा होके ही मदिराके ओसारपसार होरहल हए । चन्द्रपुरसे गौरके ओर चलेबाला मैजिक जीपमे झोरामे गैलन धके मदिरा दखिनके ओर लेजाएके क्रम तीव्र बनल हए । कुछ नाइट बसमे भी मदिरा दखिनके ओर जारहल हए । मैजिकपर दू दिन कडाइ कएलाके बाद सशस्त्र प्रहरी दुधियाभार  १३५ लिटर लोकल अवैध मदिरा बरामद कएले हए । बरामद मदिराके शुक्रबार संचारकर्मी, समाजसेवी, राजनीतिज्ञ लगायतके उपस्थितिमे खधियामे उझिलके नष्ट कएले हए । अवैध लोकल मदिराके उत्पादन आ ओसार पसारपर रौतहट पुलिसके कडा निगरानी रहलाके बाद भी खासे कमी आएल देखल नगेल हए । मध्यरौतहटके सभी बजारमे रहल झोंपडी होटलमे लोकल अवैध मदिराके आपूर्ति पर्याप्त मात्रामे होरहल देखलगेल हए ।



अपना सालीके उपभोक्ता समितिके अध्यक्ष बनाके गौर नगरपालिका देले हए पेश्की
गौर नगरपालिका कार्यालयके लेखा अधिकृत पवन महतो अपना सालीके अध्यक्षतामे उपभोक्ता समिति गठन कके अनियमितता कएले खुलल हए । गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ कोइरी टोलाके पाकड गाछीसे राजमार्ग जोडेबाला नयाँ सडकमे उपभोक्ता समिति गठन कके अनियमितता कएले आरोप लागल हए । गौर नगरपालिकाके लेखा अधिकृत पवन महतोके साली प्रिन्सीकुमारी महतोके अध्यक्षतामे गोप्य रुपसे उपभोक्ता समिति गठन कके २७ लाखके कार्य आदेश देलगेल हए । उपभोक्ता समितिमे सचिव चन्चल कुमारी, कोषाध्यक्ष राकेश महतो आ राम विशेष महतो, रेखा देवी, सरस्वती देवी तथा गौर नगरपालिकाके नगर प्रहरी मनोज कुमार कुशवाहा सदस्य रहल हए । उपभोक्ता समितिके पेश्की देबेके चलन नरहलाके बाद भी लेखा अधिकृत महतो तीस प्रतिशत पेश्की रकम देके कानुनके भी उलंघन कएले प्रतीक दैनिकमे खबर प्रकाशित रहल हए ।

लैंगिंक हिँसा विरुद्ध दू दिवसीय क्षमता अभिवृद्धि तालिम भेल सम्पन्न
यूनिसेफ, यूएसएआइडी आ रेस्टलेस डेभलपमेन्टके सहयोगमे जनसेवा नेपाल रौतहट आयोजना कएले सम्भव शून्य सहनसिलता लैगिंक हिंसामुक्त विद्यालय कार्यक्रम अन्तर्गत जिलामे कार्यरत सिनियर योंग च्याम्पियनलोगके दू दिवसीय क्षमता अभिबृद्धी सम्बन्धी तालिम सम्पन्न भेल हए । जनसेवा नेपाल रौतहट जिलाके ५०गो विद्यालयमे संचालन कएले सम्भव शुन्य सहनसिलता परियोजना अन्तर्गत संचालित कृयाकलाप संचालन कएलापर भेल उपलब्धी, समस्या चुनौती आ सिकाइके विषयमे छलफल करेके आ कार्यक्रमके थप प्रभावकारी बनाबेला स्थानिय स्तरमे कार्यरत कर्मचारीके क्षमता विकास करेके उदेश्यसे तालिमके आयोजना कएलगेल रहे । तालिममे जनसेवा नेपालके कार्यकारी निर्देशक भाग्य नाराययण महतो, कार्यक्रम अधिकृत सुशिल थापा, लेखा अधिकृत दिग विजय ढकाल, फिल्ड सुपरभाइजर मनोज यादव लगायतके लोग सहजीकरण कएले रहे ।  कार्यक्रममे २६ जनेके सहभागिता रहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

बारा जिलामे गाडीके ठोकरसे एकजने भीखमाङा महिलाके भेल मृत्यु
बारा जिलामे एगा गाडीके ठोकरसे एकजने भीखमाङा महिलाके मृत्यु भेल हए । बाराके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १ आधाभार जंगलमे सडकपर एगो सबारी साधनके ठोकरसे एकजने महिलाके मृत्यु भेल हए । ठोकर मारेबाला सबारी साधनके पहिचान नभेल आ मृतक भीखमाङा महिलाके भी नाम, थर, वतन कुछो नखुलल हए । महिलाके उमर करिब साठ बरिस रहल अनुमान कएलगेल हए । गाडीके ठोकरसे महिलाके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । फरार सबारी साधन आ डाइबरके खोजतलास प्रहरी कररहल हए । साथमे महिलाके विषयमे भी बारा प्रहरी अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

बारा कलैयाके एकजने युवक लागू औषधसहित काठमान्डुमे परल हए पक्राउ

बारा जिलाके सदरमुकाम कलैयाके एकजने युवक काठमान्डुमे लागू औषधसहित पक्राउ परल हए । बारा जिलाके कलैया उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ७ के रहनिहार १८ बरिसके युवक अजित सिंह लागू औषधसहित काठमान्डुमे पक्राउ परल हए ।  काठमान्डुके चन्द्रागिरी नगरपालिका वार्ड नम्बर २ नागढुंगामे चेकजाँच करेके क्रममे सिंहके पाससे लागू औषध बरामद भेल हए । वीरगंजसे काठमान्डु जारहल ना ७ ख ३४८० नम्बरके यात्राबाहक बसके चेकजाँच कएलापर सिंहके झोरामेसे फेनारगन ५० एम्पुल, नोर्फिन ५० एम्पुल, डाइजेपाम ५० एम्पुलसहित शुक्रबार सिंह पक्राउ परल हए । घटनाके विषयमे प्रहरी थप अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें