गुरुवार, 19 जुलाई 2018

राजस्व कर्मचारी आबेके हल्लासे गरुडाके अधिकांश दोकान भेल बन्द
रौतहटके गरुडा बजारके अधिकांश दोकान बिफेके एकाएक बन्द होगेल । राजस्व कर्मचारी गरुडामे आरहल हल्ला फैलते गरुडाके अधिकांश दोकान बन्द भेल देखलगेल हए । राजस्व कर्मचारी कुछे देरमे गरुडामे पहुचरहल हल्ला फैलतेमे गरुडा चौकके अधिकांश किराना, कपडा, बिजुली, मोबाइल, टेलिभिजन, मदिरा लगायतके दोकान बन्द होगेल । गरुडाके अधिकांश दोकान बन्द होगेल देखके बाहरसे खरिदारी करेआएल ग्राहक अचम्भित भेल रहे । गरुडा नगर उद्योग वाणिज्य संघके अध्यक्ष राम भरोस राय यादव राजस्व कर्मचारी गरुडा आरहल हल्ला फैललाके कारण कुछ दोकान बन्द भेल लेकिन फेर कुछ घन्टामे संचालनमे आएल जानकारी करएले छत ।

गरुडाबासी खेत पटाबेला नाहरके कएले हए मरम्मत
गरुडा नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ४ गरुडाके कुछ किसान नाहरके मरम्मत कएले हए । बागमती सिंचाइ आयोजनाके नाहरसे गाँओके कुछ खेत पटते आरहल अवस्थामे एई सालके खेतीके लेल नाहर मरम्मत कएले हए । स्थानीय प्रेमलाल साहके नेतृत्वमे गरुडाके छब्बीस जने किसान नाहर मरम्मत कएले हए । कुछ दिनसे मेघ बरसनाइ रुकल आ खेतीके असली समय होएलासे नाहरके मरम्मत करनाइ किसानके हकमे बहुत फाएदाजनक रहल हए । नाहरसे पाटेके सुविधा उपलब्ध भेल खेतके अधिकांश लोग नाहर मरम्मतमे सामूहिक सहभागिता जनएले हए । नाहर मरम्मत होएतेमे खेतमे पानी आबेके देखलगेल हए । बागमती नाहर सावन एक गतेसे ही नाहरमे पर्याप्त पानी छोडलाके कारण खेतीमे कुछ आसानी होएके साह जानकारी करएले छत ।

वडाध्यक्ष कार्यालयमे नबैठलासे सेवा ग्राहीके होरहल हए मर्का
रौतहटके एगो गाँओ पालिकाके निर्वाचित वडाध्यक्ष अपना वडा कार्यालयमे नबैठलासे सेवाग्राही मर्कामे परल हए । रौतहटके दुर्गा भगवती गाँओपालिकाके वार्ड नम्बर २ के वडाध्यक्ष सुरेश चौधरी कार्यालय अवधिमे नियमित रुपसे कार्यालयमे नबैठलासे सेवाग्राही मर्कामे परल हए । जनप्रतिनिधि निर्वाचित होएलाके बाद भी सेवाग्राहीके नियमित रुपसे घरमे ही जाके काम कराबेके परलासे स्थानीयबासी मर्कामे परल पत्रकार चन्चल झा जानकारी करएले छत ।


पर्सा जिलामे बोरामे मिलल हए एगो युवकके लास

पर्सा जिलामे एगो बोरामे एगो युवकके लास मिलल हए । पर्सा जिलाके वीरगंज महानगर पालिका वार्ड नम्बर २२ जगरनाथपुरमे रहल गण्डक नाहरमे बोरामे राखल अवस्थामे एगो युवकके लास मिलल हए । बोरामे राखल अवस्थामे करिब १९ बरिसके एगो पुरुषके लास सँडलगलल अवस्थामे बिफेके दिन मिलल हए । घटनाके विषयमे पर्सा प्रहरी गहन अनुसन्धान सुरु कएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें