बुधवार, 18 जुलाई 2018

प्रतिबन्धित दबाइसहित एकजने पक्राउ, मुर्गी फारमसे भेल दबाइ बरामद
रौतहटके चन्द्रपुरसे सर्लाहीके एकजने प्रतिबन्धित दबाइसहित एकजने पक्राउ परल हए । चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ गौतम होटलके अगाडि सडकपर सर्लाहीके हरिऔन नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ विसनपुरके रहनिहार टिकाराम उप्रेतीके २९ बरिसके लडका छविलाल उप्रेतीके चेकजाँच कएलापर प्रतिबन्धित डाइआलेक्स १०० एमलके दुगो बोतल साथसे बरामद भेल हए । पक्राउ परल उप्रेतीके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे लेआके प्रतिबन्धित दबाइ कहाँसे लेआएल कहके पुछपाछ कएलापर वृन्दावन नगरपालिकाके वार्ड नम्बर १ मे रहल मन्दिर टोलामे संचालनमे रहल प्रदीप प्रसाद यादवके मुर्गी फारममे खोजतलास कएलापर जमिनमे गाडल अवस्थामे डाइआलेक्स १०० एमएलके १६ बोतल बरामद भेल हए । मुर्गी फारम संचालन करेबाला प्रदीप प्रसाद यादवके खोजतलास प्रहरी कररहल हए । प्रतिबन्धित दबाइके विषयमे थप अनुसन्धान होरहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जानकारी करएल हए ।

मौलापुर आ देबाही गोनाही नगरपालिकामे इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएके भेल निश्चित
रौतहटके दुगो नगरपालिकामे इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएके निश्चित भेल हए । मौलापुर आ देवाही गोनाही नगरपालिकामे चालू आर्थिक वर्षमे ही क वर्गके इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएके निश्चित भेल हए । रौतहटमे देवाही गोनाही नगरपालिका ही अइसन स्थानीय तह हए जेमे नेपाल प्रहरीके एकोगो युनिट अभीतक नरहल हए । नेपाल पुलिसके एगोको युनिट नरहल अवस्थामे एकेबेर क वर्गके इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएबाला भेल हए । देशभरमे नेपाल पुलिसके तीसगो नयाँ युनिट स्थापना होएके निर्णयके साथे रौतहटमे मौलापुर आ देवाही गोनाहीमे इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएबाला भेल हए । मौलापुर आ देवाही गोनाही दुनु नगरपालिकामे इन्स्पेक्टरके कमाण्डमे इलाका प्रहरी कार्यालय रहेबाला भेल हए । इन्स्पेक्टरके कमाण्डमे दूजने सई, सातजने असई, दशजने हवलदार, तेइसजने प्रहरी जवान आ दूजने प्रकास सहित ४५ जनेके युनिट रहेके निश्चित भेल हए । इहे सावन १ गतेसे ही मौलापुर आ देवाही गोनाही नगरपालिकामे इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापनाके लेल पहल सुरु होगेल हए । मौलापुर बजारमे एगो प्रहरी चौकी दशकोसे रहल हए लेकिन अब एकेबेर क वर्गके इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएके निश्चित भेल हए । मौलापुर आ देवाही गोनाही दुनु नगरपालिकामे इन्स्पेक्टरके कमान्डमे इलाका प्रहरी कार्यालय स्थापना होएके निश्चित होएलासे सर्वसाधारण उत्साही बनल हए ।

शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी कररहल युवकके लक्षित एगो नयाँ कार्यक्रम रेडियो मधेस मसलासे होरहल सुरु
रौतहटके सबसे जादा प्रिय रेडियोके रुपमे जनजनमे स्थापित होरहल रेडियो मधेस मसला एफएम अपना स्रोताप्रति थप जबाफदेही बनइत जारहल हए । एही क्रममे शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी कररहल युवालोगके लक्षित कके एगो नयाँ कार्यक्रम रेडियोसे सुरु होरहल हए । शिक्षक सेवा आयोगके तयारी कक्षा नाम देलगेल नयाँ कार्यक्रम बुधबार साँझके साढे सात बजे प्रसारण होरहल हए । अइसही कार्यक्रमके पुनः प्रसारण बिफेके दुपहरियाके एक बजे होरहल हए । शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी कररहल सभी शिक्षक समुदायके लेल ई कार्यक्रम प्रभावकारी होएके विश्वास रेडियो मधेस मसला रखले हए । कार्यक्रमके पहिल दिनके शुभारम्भके अवसरपर रेडियोके संचालक वृजकिशोर यादव आ स्टेशन प्रबन्धक मनोज कुमार चौधरी शुभकामना देइत शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी कररहल युवकलोगके फाइदा लेबेके थप शुभकामना भी देले छत ।  

बेटी बचाऊ बेटी पढाऊ अभियानसम्बन्धी समिति सखुअवामे भेल हए गठन
रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मे बेटी बचाऊ बेटी पढाऊ आ बेटीके स्वावलम्बी बनाऊ सम्बन्धी एगो समितिके गठन कएलगेल हए । मुख्यमन्त्रीके विशेष कार्यक्रम रहल बेटी बचाऊ अभियानके पूर्ण कार्यान्यवन कराबेके लेल वृन्दावन नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मे प्रदेश साँसद हसिमा खातुनके प्रमुख आतिथ्यमे भेल भेलासे समितिके गठन कएलगेल हए । नेपाल भारत मैत्री विरांगना फाउन्डेसन काठमान्डुके आयोजनामे भेल भेलामे वृन्दावन नगरपालिकाके मेयर राम सिनेही यादव, जयमंगल पंडित लगायतके लोगके उपस्थिति रहल रहे । मीरा चौधरीके अध्यक्षतामे ११ सदस्यीय समितिके गठन भेल हए । कार्यक्रमके अध्यक्षता फाउन्डेसनके अध्यक्ष प्रभा सिंह कएले रेणु गुप्ता जानकारी करएले छत ।

वर्षा रुकलासे सर्वसाधारण किसानके होरहल हए चिन्ता
कुछ दिनसे वर्षा रुकलासे सर्वसाधारण किसानके चिन्ता होरहल हए । धानके बिआ तैयार नहोएल अवस्थामे वर्षा भेल लेकिन बिआ तैयार होगेलापर वर्षा छिपलासे ग्रामीण क्षेत्रके सर्वसाधारण किसानके अब चिन्ता होरहल हए । धानके बिआ रोपेके असली समयमे आकाशके ओर तकइत किसान वर्षाके बाट जोहरहल हए । कुछ किसान बोरिंगसे पानी पटाके धान रोपरहल हए लेकिन बोरिंगसे धान रोपलाके बिहानभेला फेर खेत सुखगेलाके कारण सर्वसाधारणके चिन्ता कम नहोरहल हए । एई साल निमनसे वर्षा होएके पूर्वानुमान मौसमविदलोग कएले रहे लेकिन धानके ठीक रोपनीके समयमे वर्षा बन्द होनाइसे सर्वसाधारण किसान चिन्ता करेलागल हए ।

लागू औषधसहित सर्लाहीमे दूजने परल हए पक्राउ

सर्लाहीमे दूजने लागू औषधसहित पक्राउ परल हए । सर्लाही सदरमुकाम मलंगवा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ मे सडकपर बा ८ च ९०८ नम्बरके गाडीके एयर फिल्टर बक्स आ डाइबरके सिट कभरके भित्तर नुकाछिपाके लेआएल अवस्थामे पुसिल लागू औषध बरामद कएले हए । बरामद लागू औषधमे डाइजेपाम ७९ एम्पुल, नुर्फिम ८० एम्पुल, फेनारगन ७७ एम्पुल, नाइट्राभेट १५ टेबलेट, स्पास्मो प्रोक्सिभन ८ टेबलेट, एटेन ए १४० टेबलेट आ कोफटेब डी ६ टेबलेट रहल हए । लागू औषधसहित सर्लाहीके हरिवन नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ घर होके हाल काठमान्डु महानगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मे रहइत आएल ३४ बरिसके प्रवेश उप्रेती आ चितवन जिलाके भन्डारा घर होके काठमान्डु महानगरपालिका वार्ड नम्बर ९ धुम्बाराहीमे रहइत आएल २६ बरिसके प्रवेश भटराईके पुलिस पक्राउ कएले हए । घटनाके विषयमे पुलिस थप अनुसन्धान कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें