मंगलवार, 17 जुलाई 2018

अपहरण कके दू महिनातक बन्धक बनाके बालिकाके बलात्कार करेबाला तीन अपराधी परल पक्राउ
बालिकाके अपहरण कके दू महिनातक बन्धक बनाके बलात्कार जइसन गम्भीर अपराध करेबाला तीनजने अपराधीके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा सार्वजनिक कएले हए । बितल बैसाख महिनाके २४ गते रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ पोठियाही मूल घर होके गुजरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ जंगलसैयामे रहते आएल एकजने १३ बरिसके बालिकाके तीनजने मिलके अपहरण कएले रहे । बालिकाके अपहरण कके पहिले सर्लाही, ओकरा बाद पर्सा आ भारतके कुछ स्थानपर लेजाके रखइत दू महिनातक बालिकाके जबरदस्ती कएले तीन अपराधीके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा मंगलवार सार्वजनिक कएले हए । गुजरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के रामेश्वर चौधरीके ३६ बरिसके बेटा बलिस्टर चौधरी, उँहमेके रामानन्द चौधरीके २४ बरिसके बेटा धर्मेन्द्र कुमार चौधरी आ उँहमेके राम पवित्र महतोके १९ बरिसके बेटा जियालाल महतोके गरुडा पुलिस सार्वजनिक कएले हए । दू महिना बेपत्ता रहलाके बाद पर्सा प्रहरी बालिकाके पर्साके ही ग्रामीण क्षेत्रसे उद्धार करेमे बितल हप्ता सफल भेल हए । बालिकासे पुछताछ कएलापर बलिस्टर चौधरी ही अपहरणसे लेके बारम्बार बलात्कार करेके लगायतके दुष्कर्म कएले आ धर्मेन्द्र कुमार चौधरीके साथे जियालाल महतो भी सभी दुष्कर्ममे साथ रहल स्पष्त बतएले हए । बालिकाके पिता भी इलाका प्रहरी कार्यालयमे तीनुजने जघन्य अपराध कएले आ अभीतक मुदा फिर्ता लेबेला, पैसा लेके मिलाबेला आ जान मारेके धमकीसमेत देरहल बतएले छत । अपने न्यायके पक्षमे रहल आ बितल ६५ दिन अपने पुलिस, पत्रकार, समाजसेवी, राजनीतिक कार्यकर्ता लगायत सभी जगह गोहार लगएले कहइत इलाका प्रहरी कार्यालयके सहयोगसे अपराधी पक्राउ कएलापर हदतकके सजायके माग भी कएले छत । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी निरीक्षक चतुर्भुज ओझा मंगलवार सबेरे एगो पत्रकार सम्मेलन कके बालिकाके अपहरण, शरीर बन्धक, जबरदस्ती करणी लगायतके दुष्कर्म कएले सभीउपर कारबाही करेके स्पष्ट करइत अपने इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके कार्यभार सम्हारले समयसे अभीतकके उपलब्धि भी सार्वजनिक कएले छत ।


चन्द्रपुरमे मालपोत कार्यालयके उदघाटन कएले छत पूर्व मन्त्री साह
रौतहट क्षेत्र नम्बर ३ के साँसद एवं पूर्व मन्त्री प्रभु साह रौतहटके चन्द्रपुरमे मालपोत कार्यालयके उदघाटन कएले छत । कार्यालयके उदघाटन करइत पूर्व मन्त्री साह जनताके सेवा आ सुविधा देबेला सरकार हर सम्भव प्रयास कररहल बतएले छत । सर्वसाधारणसे जुटल ण्सेवा प्रवाह हर व्यक्तिके घरघरमे पुगेके चाहिँ लेकिन राज्यके कुछ सिमा होएलाके कारण सेवा प्रवाह आसनी होई जाएके स्पष्ट कएले छत । चन्द्रपुरबासीके जिलाके सदरमुकाम गौर जाएमे ४२ किलोमिटर लम्बा रस्ता काटेके परइत रहे लेकिन चन्द्रपुरमे ही मालपोत कार्यालयके स्थापना होएलासे अब बहुत आसान होएके पूर्वमन्त्री साह बतएले छत । चन्द्रपुरमे मालपोत कार्यालय मंगलवारसे ही सेवा शुभारम्भ कएले हए । कार्यालय उदघाटनके अवसरपर प्रदेश साँसद कुन्दन कुशवाहा, रौतहटके प्रमुख जिला अधिकारी, जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रमुख एसपि, मालपोत कार्यालय रौतहटके प्रमुख, नेकपाके केन्द्रीय सदस्य युवराज भटराई समीर, स्थानीय विभिन्न कार्यालयके कार्यालय प्रमुख तथा प्रनिनिधिके साथे सर्वसाधारणके उपस्थिति रहल रहे ।

करिब पाँच सय लिटर मदिरा इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा कएले हए नष्ट
इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा करिब पाँच सय लिटर मदिरा नष्ट कएले हए । विभिन्न समयमे पक्राउ कके इलाका प्रहरी कार्यालयमे रखले करिब पाँच सय लिटर अवैध लोकल मदिरा संचारकर्मी लोगके उपस्थितिमे खधियामे उझिलके नष्ट कएले कएले हए । मदिराके उत्पादन, ओसारपसार तथा बिक्री वितरणपर अपन कडा निगरानी रहल इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रहरी निरीक्षक चतुर्भुज ओझा जानकारी करएले छत ।


नाला निर्माण होएलासे मलाहीमे रोड बर्बाद भेल स्थानीयके हए कहनाम
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ मलाहीमे नाला निर्माण होएलासे रोड बर्बाद भेल स्थानीयबासीके कहनाम रहल हए । विकासके क्रममे गाँओमे पहिलेसे चालू अवस्थामे रहल सडकके दुनुओर नालाके निर्माण होएलासे पीच सडकपर पानी आबेके रास्ता बनलासे पिच सडक बर्बाद होरहल स्थानीयके कहनाम हए । नाला निर्माण भेल लेकिन निकासके व्यवस्था नहोएलासे नालाके पानी पिच सडकपर ही पुगरहल हए । गरुडा नगरपालिकासे ही निर्माण भेल नालासे मलाहीके मूल सडकके पिच बर्बाद होरहलाके कारण नालाके निकास होनाइ जरुरी रहल बताबलगेल हए । दैनिक दशसे बेसी दुर्घटना होरहल हए । साथमे दैनिक पंचयती भी करेके अवस्था रहल हए । नालाके निर्माणसे सडक बर्बाद होरहल विषयमे वडाध्यक्ष कृष्णकुमार सहनीसे सम्पर्क कएलापर नगरपालिकासे पुछेला कहके अपन जिम्मेवारी दोसरापर पन्छा रहल स्थानीय श्यामनन्दन सहनी जानकारी करएले छत ।

लगातार दू दिन राष्ट्रिय वाणिज्य बैंक नखुललासे सर्वसाधारणके परल मर्का
रौतहटके सदरमुकाम गौरमे रहल राष्ट्रिय वाणिज्य बैंक सर्वसाधारणके लेल लगातार दू दिन संचालनमे नअएलासे ग्राहक मर्कामे परल हए । सोमवारके दिन आर्थिक वर्ष समाप्तिके दिन होएलासे सर्वसाधारणके चेक साटेके चाहे बैँंकमे पैसा राखेके काम दुनु नभेल रहे । अइसही हिसाब नमिलल कहइत आर्थिक वर्ष सुरु भेल पहिल दिन सावन एक गते भी सर्व साधारणके लेल बैंक संचालनमे नअएलासे खाताधारी लोगके समस्या भेल हए । खातामे पैसा रहल लेकिन निकाले नपएलासे काम करेमे बहुत समस्या भेल गौरसे पत्रकार मदन ठाकुर जानकारी करएले छत । गरुडामे रहल राष्ट्रिय वाणिज्य बैंक आर्थिक वर्षके समाप्तिके दिनके साथे आर्थिक वर्षके सुरुआत भेल दिन भी सर्वसाधारण सेवाग्राहीके सेवा आ सुविधा प्रदान कएले हए ।

रौतहटमे मंगलवारके मौसम रहल अनुकूल, बुधवार भी सामान्य रहेके हए पूर्वानुमान
मध्यरौतहटमे मंगलवारके मौसम अनुकूल रहल हए । मंगलवारके अधिकतम तापक्रम ३७ डिग्री सेल्सियस आ न्यूनतम तापक्रम २८ डिग्रीके बीचमे रहल देखलगेल हए । साँझके सूर्यास्तके समयके तापक्रम ३५ डिग्री सेल्सियस रहल देखलगेल हए । अइसही बुधबारके मौसम भी सामान्य रहेके पूर्वानुमान रहल हए । बुधवारके न्यूनतम तापक्रम २८ डिग्री आ अधिकतम तापक्रम ३६ डिग्रीके बीचमे रहेबाला पूर्वानुमान हए । अइसही बुधबार भी बादल लागल रहेके आ कहीँ हल्का फुही परेके पूर्वानुमान रहल हए ।

सर्लाहीमे डुबके एगो बालकके भेल हए मृत्यु

सर्लाहीमे डुबके एगो बालकके मृत्यु भेल हए । सर्लाही जिलाके कबिलासी नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ रनिया टोलाके रहनिहार अशोक मन्डलके ४ बरिसके बेटाके पोखरीमे डुबके मृत्यु भेल हए । मन्डलके घरसे करिब एक सय मिटरके दुरीपर रहल राम जानकी मठके पोखरीके बगलमे साथीलोगके साथे खेलेके क्रममे ४ बरिसके बालक रवीन्द्र मन्डल पोखरीमे पइँसल रहे । पोखरीके पानीमे डुबके बालकके मृत्यु भेल आ घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान होरहल सर्लाही प्रहरी जनएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें