सोमवार, 16 जुलाई 2018

गाडीके ठोकरसे वृन्दावनमे एकजनेके भेल हए मृत्यु, दोसर गम्भीर, डाइबर फरार
रौतहटमे गाडीके ठोकरसे एकजनेके मृत्यु भेल हए । सोमारके दिन सबेर करिब दश बजेके समयमे रौतहटके वृन्दावन नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ पिपरा टोलामे विश्रामपुरसे चिकना टोलाके ओर जारहल एगो भारतीय गाडीके ठोकरसे एकजनेके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । बीआर ०१ पिसी २८११ नम्बरके स्कारपिओ गाडी वृन्दावन नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ के रहनिहार ६० बरिसके शेख इसराइल आ उँहमेके रहनिहार ३० बरिसके सहनाज खातुनके ठोकर मारले रहे । ठोकरसे ६० बरिसके इसराइलके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । ठोकरसे सहनाज खातुनके गम्भीर अवस्थामे इलाजके लेल चन्द्रपुर पेठाबलगेल हए । खातुनके अवस्थामे सुधार भेल हए । ठोकर मारेबाला स्कारपिओ गाडी इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके नियन्त्रणमे रहल हए । स्कारपिओके डाइबर फरार हए । फरार डाइबरके खोजी होरहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके डिएसपि एवं प्रवक्ता राम कुमार दानी जानकारी करएले छत ।

भठी नष्ठ करेके अभियानके जिला प्रहरी कार्यालय रखले हए जारी
जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट अवैध रुपसे जिलाके विभिन्न भागमे संचालित दारु भठीके नष्ठ करेके अभियान जारी रखले हए । रौतहटके राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ मे राम प्रसाद साह संचालन कएले एगो अवैघ मदिरा भठीके तोडफोड कएलगेल हए । भठीके तोडफोड करइत दारुके कच्चा पदार्थ करिब एक हजार लिटर नष्ठ कएलगेल हए । साथमे आठगो ड्राम भी पुलिस नष्ट कएले हए । अइसही परोहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ मे एगो बँसबारीमे संचालनमे रहल भठीके भी पुलिस तोडफोड करइत नष्ट कएले हए । भठीमे रहल पाँचगो ड्रामके भी तोडफोड करइत करिब आठ सय लिटर कच्चा पदार्थसमेत पुलिस नष्ठ कएले हए ।

दुर्गा भवानी यादव प्रतिष्ठान रौतहट कएले हए चार पुरस्कारके घोषणा
रौतहटके गरुडामे स्थापित दुर्गा भवानी यादव प्रतिष्ठान चारगो पुरस्कार स्थापनाके घोषणा कएले हए । प्रतिष्ठानके संस्थापक अध्यक्ष वृजकिशोर प्रसाद यादव गरुडा नगरपालिकास्तरीय एगो आ प्रदेश सभा तीन खस्तरीय तीनगो सहित एक साथ चारगो पुरस्कार स्थापनाके घोषणा कएले छत । गरुडा नगरपालिका अन्तर्गतके सामुदायिक विद्यालयमे अध्ययन कके २०७४ के एसइइ परीक्षामे सहभागी भेल सर्वोत्कृष्ट छात्राके दश हजार रुपैया आ प्रमाणपत्र समेतके दुर्गा भवानी यादव नगरस्तरीय उत्कृष्ट छात्रा पुरस्कार प्रदान करेके घोषणा कएले छत । अइसही रौतहट क्षेत्र नम्बर तीनके ख प्रदेसभाके छात्रामे उत्कृष्ट तीनजनेके दुर्गा भवानी यादव प्रदेश ३ ख स्तरीय उत्कृष्ट छात्रा पुरस्कार प्रदान होएबाला भेल हए । क्षेत्र तीनके प्रदेश खके स्थायी बासिन्दा होके सामुदायिक विद्यालयमे पढेबाला छात्रामध्ये सर्वोत्कृष्ट तीन छात्राके ग्रेडसिट आ स्कुलके सिफारिशसहित प्रतिष्ठानमे सम्पर्क करेला प्रतिष्ठान आग्रह कएले हए । सर्वोत्कृष्ट तीन छात्रामध्ये प्रथमके पन्द्र हजार, दोसरके दश हजार आ तेसरके पाँच हजार रुपैयाके पुरस्कार प्रदान करेके घोषणा अध्यक्ष यादव कएले छत ।

चौदह गाविसके मालपोत सम्बन्धी काम चन्द्रपुरसे होएके भेल निश्चित
रौतहटके चौदहगो गाविसके काम मालपोत कार्यालय चन्द्रपुरसे होएके निश्चित भेल हए । मालपोत कार्यालय रौतहट गौर एगो सुचना जारी कके सावन १ गतेसे पुरनका संरचना अनुसार कायम रहल विभिन्न चौदह गाविसके मालपोत सम्बन्धी सभी काम चन्द्रपुर कार्यालयसे होएके निश्चित भेल हए । मालपोत कार्यालयमे अभी नगरके संरचना कायम नहोएलासे साबिकके गाविस ही तोकलगेल हए । मालपोत कार्यालय रौतहट गौरके मोताबिक साबिकके चन्द्रनिगाहपुर, सन्तपुर मटिऔन, डुमरिया, जुडिबेला, रंगपुर, सखुअवा धमौरा, लक्ष्मीनिया, विश्रामपुर, रमौली, फतुवा हर्षाहा, प्रतापपुर पल्टुआ, कनकपुर, भसेढवा आ हथियाही गाविसके काम मंगलवार सावन १ गतेसे मालपोत कार्यालयके सम्पूर्ण काम मालपोत कार्यालय चन्द्रपुरसे ही होएबाला भेल हए ।

गरुडा नगरपालिका पूर्ण खोप नगरपालिका भेल हए घोषणा
रौतहटके गरुडा नगरपालिका पूर्ण खोप नगरपालिका घोषणा भेल हए । गरुडामे आयोजित एक कार्यक्रमबीच गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादव गरुडा नगरपालिकाके पूर्ण खोपयुक्त नगरपालिका घोषणा कएले छत । गरुडा नगरपालिकाके सभी वडाके खोप लेबेके उमर रहल सम्पूर्ण बालबालिकाके समयमे ही खोप पररहल आ अब एकोगो बालबालिकाके समयपर खोप प्राप्त नहोएके अवस्था नरहल कार्यक्रममे जनाबलगेल हए ।

कर्मचारीके कारण जनप्रतिनिधिके काम करेमे कठिनाइ होरहल कटहरियाके युवा नसरुदीन अन्सारीके हए कहनाम
देशमे गणतन्त्र आगेल हए लेकिन कर्मचारीतन्त्र अभी लोकतान्त्रिकरण नहोए सकल आरोप लागरहल हए । स्थानीय तहमे जननिर्वाचित सरकार गठन होएलाके बाद भी अधिकांश पालिकामे कर्मचारी स्थानीय सरकारके नटेर रहल गुनासो आरहल हए । एही सन्दर्भमे कटहरिया नगरपालिकाके समाजसेवी नसरुदीन अन्सारी कर्मचारीके पुरनके रवैयाके कारण जनताके काम करेमे कठिनाइ होरहल बतएले छत । कर्मचारीके रवैया पुराने रहल, निर्वाचित जनप्रतिनिधिसे मिलके काम करेके नचाहरहल आ कर्मचारी अपनेआपके ही सरकार ठानरहलाके कारण निर्वाचित जनप्रतिनिधिके काम करेमे कठिनाइ होरहल गुनासो व्यक्त कएले छत । कर्मचारीके कारण विकास निर्माणमे बाधा होरहल अन्सारीके कहनाम हए ।

तीन महिनाके भित्तर अस्थायी शिक्षकके परीक्षाके रिजल्ट आबेके आयोगके रहल हए कहनाम
शिक्षक सेवा आयोग आगामी तीन महिनाके भित्तर अस्थायी शिक्षकके लिखित परीक्षाके रिजल्ट आबेके जनएले हए । शुक्रबार आ शनिवार सम्पन्न अस्थायी शिक्षकके माध्यमिक, निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके अस्थायी शिक्षकके परीक्षामे सिटसे कम ही परीक्षार्थी सहभागी भेल पूर्वानुमान रहल हए । देशभर तिनु तहके मिलाके २२ हजार ७६ पदके २३ हजार २ सय ७६ अस्थायी शिक्षकके निवेदन परल रहे । प्राथमिक तहके अस्थायी शिक्षक १६ हजारसे बेसी फारम भरले रहे लेकिन परीक्षामे करिब साढे चौदह हजारसे बेसी शिक्षक अर्थात करिब ९५ प्रतिशत शिक्षक परीक्षामे सहभागी भेल प्रारम्भिक जानकारी आयोगके प्राप्त भेल आयोग जनएले हए । झापा, काठमान्डु, धनगढी, नेपालगंज आ पोखरामे परीक्षा केन्द्र राखके सम्पन्न परीक्षामे सहभागी सम्पूर्ण परीक्षार्थी शिक्षकके विवरण सार्वजनिक होएके बाँकी रहल हए लेकिन करिब सिटके बमोजिम ही शिक्षक परीक्षा देले प्रारम्भिक अनुमान रहल हए । बहुत शिक्षक मानसिक रुपसे रिटायर होगेलाके कारण औपचारिकता पूरा करेला भी सहभागी भेल मकवानपुर जिलामे कार्यरत रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ मलाहीके शिक्षक श्याम नन्दन सहनी जानकारी करएले छत ।

सोमवार आर्थिक वर्ष होरहल समाप्त, मंगलवारसे नयाँ आर्थिक वर्ष सुरु
सोमवारसे आर्थिक वर्ष समाप्त होरहल हए । नेपालमे आर्थिक वर्षके समाप्ति असार महिनाके साथे होखले आ नयाँ आर्थिक वर्षके सुरुआत सावन महिनाके साथे होखले । सोमवार असार महिनाके समाप्ति होरहल हए आ मंगलवारसे सावन महिना सुरु होरहलाके साथे नयाँ आर्थिक वर्ष सुरु होरहल हए । नेपालके आर्थिक वर्षके समाप्तिके समयमे विकासके विभिन्न योजना संचालनमे आबेके चलन ही रहल हए । सावन महिनाके बहुत हिन्दू समुदाय पवित्र महिनाके रुपमे मानके मंगलवारसे शाकाहारी दैनिकी सुरु करले । नेपालमे प्रचलनमे रहल विक्रम सम्वतके सावन मंगलवारसे सुरु होरहल हए लेकिन तिथिसे सावन सुरु होएमे अभी करिब दू हप्ता रहल हए ।



कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें