शनिवार, 14 जुलाई 2018

लोडसेडिङ नरहलापर भी घन्टो लाइन नरहलासे मध्यरौतहटके सर्वसाधारण पीडित
घोषित लोडसेडिङ नहोएलापर भी हर दिन नियमित लेखिन होरहल लोडसेडिङसे सर्वसाधारण परसान बनल हए । दिनमे नियमित रुपसे दूसे तिन घन्टा आ साँझमे भी लाइन कटलासे सर्वसाधारण परसान बनल हए । कुछ दिनसे लाइन कटइत रहलाके कारण फोटोकपी करेमे, फोटो खिचाबमे शिक्षक सेवा आयोगके परीक्षा फारम भरेबाला युवाके अत्यधिक परसानी उठाबेके परल देखलगेल हए । साथे महङ दरपर फोटो खिचाबेके आ फोटो बनाबेके परलासे युवालोगके बेसी खर्च करेके परल देखलगेल हए । शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी कररहल युवालोग साँझमे लाइन कटेके समस्यासे अत्यधिक परसानी उठाबेके पररहल हए । अइसही दिनमे गर्मी होएलाके कारण लाइन कटलासे सर्वसाधारण लोग बेसी परसान होएके परल हए । लाइन कटइत रहेके असर व्यापार व्यावसायपर भी परल देखलगेल हए ।

मोबाइलमे टाबर डिस्टर्ब रहलासे उपभोक्ता परसान
शनिवार नेपाल टेलिकमके नेटवर्क नहोएलासे उपभोक्ताके कुछ परसानी उठाबेके परल हए । दू पहरके बाद नेटवर्कमे समस्या होएलासे नेपाल टेलिकमके मोबाइल सिम उपभोग करेबाला उपभोक्ता परसान बनल रहे । नेपाल टेलिकमके मात्रे न बल्कि कुछ हदतक एनसेलके भी नेटवर्कमे कभी कभी समस्या देखलगेल हए । दुपहरके बाद अइसन समस्या अएलासे सर्वसाधारणके बातचित करेमे कठिनाइ भी महसुस कएलगेल हए ।


हिन्दू परिषदके संगठन विस्तार तथा अन्तरक्रिया कार्यक्रम गेडहीमे भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ गेडहीमे हिन्दु परिषद नेपालके संगठन विस्तार तथा अन्तरक्रिया कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । परिषदके जिला समिति रौतहटद्वारा आयोजित कार्यक्रममे हिन्दु परिषदसे सम्बन्धित दर्जनोलोग देशके हिन्दू राष्ट्र घोषणा करेके माग करइत मन्तव्य रखले छत । आगामी पाँच बरिसके भित्तर देशके हिन्दू राष्ट्र बनाबेला अपनेलोग काम कररहल स्पष्ट करइत परिषदके वक्तालोग सभीके सक्रिय सहयोगके आग्रह कएले छत । देशमे हिन्दूके रक्षा करेला आ हिन्दूत्वके पहिचान कायम करेला अपनेलोग कौनो हदतक उतर सकेके चेतावनी भी देले हए ।

अस्थायी शिक्षकके परीक्षा शान्तिपूर्ण रुपसे भेल हए सम्पन्न
देशमे अस्थायी शिक्षकके समस्या अब करिब समाधान होएके निश्चित भेल हए । शुक्रबार माध्यमिक आ निम्न माध्यमिकके साथे शनिवार प्राथमिक तहके सभी नौ किसिमके परीक्षा शान्तिपूर्ण किसिमसे सम्पन्न होएलासे देशमे दशको दशकसे रहल अस्थायी शिक्षकके समस्या अब समाधान होएके कगारपर पुगल देखलगेल हए । देशमे नयाँ संविधान जारी होएलाके बाद करारमे नियुक्त भेल कुछ लोग नेपाली सेनाके साथे पूर्व राजाके आगे गोहार लगबइत अपनेलोग परीक्षा होए नदेबेके लेल चेनावनी भी देले रहे । लेकिन दुनु दिनके परीक्षा शान्तिपूर्ण किसिमसे मर्यादित किसिमसे सम्पन्न भेल हए । शनिवारके परीक्षा शान्तिपूर्ण किसिमसे मर्यादित ढंगसे सम्पन्न भेल परीक्षामे सहभागी होके बाहर निकलल अस्थायी शिक्षक श्याम नन्दन सहनी जानकारी करएले छत ।

गरुडा नगरस्तरीय सार्वजनिक सुनुवाई एतबारके होरहल हए गरुडामे
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके सहयोगमे बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके आयोजना तथा बज्जिका पत्रकार संघ नेपालके विशेष सहयोगमे गरुडा नगरपालिकास्तरीय सार्वजनिक सुनुवाई कार्यक्रम एतबारके गरुडामे होए जारहल हए । एतबारके दिन दुपहरियाके एक बजे गरुडामे रहल मेथुर चौधरी सार्वजनिक धर्मशालामे आयोजन होएबाला सार्वजनिक सुनुवाईमे गरुडा नगरपालिकाद्वारा चालू आर्थिक वर्षमे संचालन भेल सम्पूर्ण योजनाके विषयमे छलफल आ अन्तरक्रिया होएबाला भेल हए । कार्यक्रमके लेल आयोजकद्वारा सम्पूर्ण वडाध्यक्ष, सम्पूर्ण वडा सचिवके साथे सम्पूर्ण सरकारी कायाएलयके प्रमुख, सम्पूर्ण बैँक तथा वित्तीय संस्था, सामाजिक संघ संस्था, विद्यालय, नगरके बुद्धिजीवी, नगरके प्रमुख राजनीतिक दल, सर्वधारण सभीके आमन्त्रित कएलगेल जनाबलगेल हए । कार्यक्रमके रेडियो मधेस मसला एफएमद्वारा प्रत्यक्ष प्रसारणके भी तयारी रहल आयोजक जनएले हए ।

रौतहटमे फेर डुबके एगो बालकके भेल हए मृत्यु
पानीमे डुबके मरेके घटना रौतहटमे एहु साल भी बढल हए । बिगत कुछ सालसे रौतहटके नदी, पइन, नाहर, खेत आ सडकके बगलमे खनल खधियामे डुबके मरेके घटनामे वृद्धि भेल हए । बिफेके दिन रौतहटमे दुगो बालकके डुबके मृत्यु भेल घटना सार्वजनिक भेल रहे । शनिवारके दिन भी रौतहटमे फेर एगो बालकके डुबके मृत्यु भेल घटना सार्वजनिक होएल हए । रौतहटके दुर्गा भगवती गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ भलोहिया गाँओके नजदिक रहल बागमती नदीके बान्हके पुलके पास सार्वजनिक पुल निर्माणके लेल खनल खधियामे डुबके एगो बालकके मृत्यु भेल हए ।  स्थानीय अशोक कुमार महतोके पाँच बरिसके बेटा आयुष कुमार महतो शनिवार खधियाके पानीमे नहाएके क्रममे डुबल हए । बालकके मृत्युके बाद स्थानीयबासी चिन्तित बनल हए ।

टेक्टरके ठोकरसे बारामे एगो बालकके भेल हए मृत्यु
टेक्टरके ठोकरसे बारामे एकजने बालकके मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके देवताल गाँओपालिका वार्ड नम्बर १ बडका फुलबरियामे अन टेस्ट टेक्टरसे ठोकर मारलासे स्थानीय एकजने बालकके घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल हए । स्थानीय राम प्रवेश राय यादवके पाँच बरिसके लडका दिवस कुमार यादवके टेक्टरसे ठोकर मारलापर बालकके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । ठोकर मारेबाला टेक्टर आ डाइबरके पुलिस नियन्त्रणमे लेके आवश्यक अनुसन्धान अगाडि बढएले हए ।

बनैया सुगरके मारेला रखले धरापमे परके बारामे एकजनेके भेल हए मृत्यु

बनैया सुगरके मारेला रखले धरापमे परके बारामे एकजने मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर २२ मे रहल चकरी गाँओके रहनिहार ५० बरिसके आइसमान थिंगके धरापमे परके मृत्यु भेल हए । जंगलके नदीमे जंगली सुगरके मारेला लगएले बिजुलीके करेन्टमे परके थिंगके मृत्यु भेल हए । धरापमे परलासे करेन्ट लागके थिंगके घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल हए ।घटनाके विषयमे बारा पुलिस आवश्यक अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें