शुक्रवार, 13 जुलाई 2018

प्रदेश २ के मुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके परल हए मातृशोक
प्रदेश २ के माननीय मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत गदीके मातृशोक परल हए । माननीय मुख्यमन्त्री गदीके माई राधिका देवीके ७५ बरिसके उमरमे वीरगंजमे देहावसान भेल हए । तीन दिनपहिले सामान्य बोखार लगलापर भारत बिहार राज्यके रक्सौलमे रहल डंकन अस्पतालमे भर्ना भेल राधिकादेवीके शुक्रबार सँझियामे मृत्यु भेल हए । मृतक राधिकादेवीके शव वीरगंजमे राखलगेल हए । मुस्लिम परम्पराके मोताबिक मृतक राधिकादेवीके अन्तिम संस्कार शनिवार सबेरे माननीय मुख्यमन्त्री गदीके घर रहल पर्सा जिलाके जगन्नाथपुरमे करेके कार्यक्रम रहल मुख्यमन्त्री राउतके स्वकीय सचिव दीपक यादव जानकारी करएले  छत । मृतक राधिकादेवीके दुगो बेटा रहल हए । जेठ बेटा मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत आ छोट बेटा रामबाबु राउत रहल छत । रामबाबु घरपर ही कृषि पेसामे आबद्ध रहल खबर प्राप्त भेल हए ।

पूर्व राज्यमन्त्री मुस्ताक राजाके भेल हए मृत्यु
पूर्व स्वास्थ्य राज्यमन्त्री महम्मद मुस्ताक आलमके मृत्यु भेल हए । काठमान्डुमे बिफेसे हृदयाघात होएलाके बाद उपचारमे रहल पूर्व राज्यमन्त्रीके शुक्रबार साँझमे मृत्यु भेल हए । पूर्व राज्यमन्त्री आलमके इलाजके क्रममे अस्पतालमे ही मृत्यु भेल हए । शुक्रबार ही हृदयके अपरेशन कएलगेल रहे । हुनकर अपरेशन असफल भेल मानल गेल हए । अपरेशनके कुछ देर बाद आलमके मृत्यु भेल हए । रौतहटमे मुस्ताक राजाके नाओसे परिचित आलम बितल अगहनमे भेल आम निर्वाचनमे नेकपाके ओरसे प्रनिनिधि सभाके उमेदबार रहलन । ओसे पहिले मधेसवादी पार्टीसे क्षेत्र नम्बर ३ से निर्वाचित भेल रहलन । कम उमेरके युवा नेतामे परेबाला मुस्ताकके मृत्युसे रौतहटमे शोक छाएल हए । अस्पतालमे ही आलमके मृत्यु भेल काठमान्डुसे गोविन्दा साह पुष्टि कएले छत ।

रौतहटके एकजने उपसचिवमे भेल छत सिफारिश
रौतहटके एकजने उपसचिवमे सिफारिश भेल छत । रौतहटके कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के रहनिहार शिक्षक रामाज्ञा प्रसाद यादवके लडका गजेन्द्रप्रसाद यादव द्वितीय श्रेणी उपसचिवमे सिफारिश भेल हए । लोक सेवा आयोग शुक्रबार प्रकाशित कएले रिजल्टमे नेपाल प्रशासन सेवा, राजश्व समूह राप द्वितीय श्रेणी अप्राविधिकके उपसचिवमे नाम निकालेमे सफल भेल छत । यादवके सिफारिश संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालयमे कएलगेल लोक सेवा आयोगपर खबर उपलब्ध हए ।

रौतहटके थप दुगो सामुदायिक विद्यालयमे प्राविधिक शिक्षा चलेके बढल हए सम्भावना
रौतहटके थप दुगो सामुदायिक विद्यालयमे प्राविधिक शिक्षा चलेके सम्भावना बढल हए । नेपाल सरकारके आगामी दू बरिसके भित्तर हर स्थानीय तहमे प्राविधिक विद्यालय संचालन करेके नीति अनुरुप प्राविधिक विद्यालय संचालन करेके लेल निवेदन देले दुनु विद्यालयमे सम्भाव्यता अध्ययन होएके निश्चित भेल हए । सिटिइभिटीसे मान्यता प्राप्त प्राविधिक शिक्षालयमे स्थापनाके लेल निवेदन देले दुनु विद्यालय सहित देशके १०९ विद्यालयमे थप प्राविधिक शिक्षा चलेके सम्भावना बढल हए । रौतहटके गुजरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मे रहल श्री कंकाली माध्यमिक विद्यालयमे बाली विज्ञान आ दुर्गा भगवती गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ मे रहल सरस्वती माध्यमिक विद्यालयमे कम्प्युटर विज्ञान विषयमे प्राविधिक शिक्षा संचालन होएके सम्भावना बढल गोरखापत्र राष्ट्रिय दैनिकमे खबर प्रकाशित भेल हए ।

पानीमे डुबके रौतहटमे दू बालिकाके भेल हए मृत्यु

माधवनारायण नगरपालिका–२ खेसरैया बस्ने सन्तलाल साहको १० वर्षीय छोरा कमलेश साह असार २६ गतेबाट हराई बेपत्ता भएकोमा खोजतलास गर्ने क्रममा सोही स्थानमा रहेको सार्बजनिक पोखरीमा डुबेर मृत्यु भएको अवस्थामा बिहीबार फेला परेका छन् ।    यसैगरी रौतहट ईशनाथ नगरपालिका–६ जयनगर बस्ने शेख समुल्लाको १० वर्षीय छोरा शेख माजिद बिहीबार घरदेखि १ कि।मि।टाढा खेतको खाल्डोको पानीमा डुबेर मृत्यु भएको अवस्थामा फेला परेका छन् ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें