गुरुवार, 12 जुलाई 2018

मधेसी महिलाके भी घरसे बाहर काम करेके बढरहल हए चाहना
पुरान विचारके मधेसी महिला अभी भी अपना घरसे निकलेला नमानले आ घरके भित्तर ही रहके अपन जीवन चलाबेमे शान भी मानले । पायक परेबालासे बाहरके एरियामे मधेसी महिलाके रोजगारी बहुत कम हए । एही कारणसे महिलामे मधेसीके रोजगारीके क्षेत्रमे बहुत कम प्रतिशत देखलगेल हए लेकिन अब मधेसी महिला भी घरसे बाहर जाके काम करेला तैयार देखलगेल हए । शिक्षक सेवा आयोगद्वारा निकलल विभिन्न तहके स्थायी शिक्षकके विज्ञापनमे फारम भरेला मधेसी महिला अब पहाड चढइत भी देखलजारहल हए । रौतहटमे शिक्षक पदके लेल बहुत कम सिट होएलासे बहुत महिला मकवानपुर, सिन्धुली, चितवन, धादिङ, गोरखा, सल्यान, पाल्पा लगायतके जिलामे जाके फारम भररहल देखलगेल हए । निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके लेल स्थायी होएके लेल विकास क्षेत्रके आधारपर विज्ञापन भेल हए । विज्ञापनसे नाम निकालेमे सफल होएलापर उनइस जिलामे कहीँ भी नियुक्ति होसकेके मालूम होएलापर भी शिक्षकके उमेदवार महिलालोग मानसिक रुपसे तैयार रहल देखलगेल हए । अपना विकास क्षेत्रके छोडके दोसरा विकास क्षेत्रमे भी पुगके महिला लोग फारम भरइत देखलगेलासे अब मधेसी महिलामे भी घरसे बाहर काम करेके चाहना बढइत जारहल देखलगेल प्रमाणित होइत मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडाके क्याम्पस चिफ प्रेमलाल साहके कहनाम रहल हए ।

गढीमाई नगरपालिकाके लेखापालउपर भेल हए हातपात
रौतहटके गढीमाई नगरपालिकाके लेखापाल विमल मिश्रउपर दू दिनमे दुगो घटना घटल देखलगेल हए । मंगलवार छापामारीमे परके साँझमे निकलल लेखापाल मिश्रके बुघबार अबेर साँझमे कुछलोग मारपिट कएले हए । गढीमाई नगरपालिकाके वार्ड नम्बर १ मे बनल एगो उपभोक्ता समितिके दुजने पदाधिकारी लेखापाल मिश्रउपर हातपात कएले हए । लेखापालउपर दुव्र्यवहार करेबाला राम वचन यादव आ धर्मेन्द्र साहके प्रहरी पक्राउ कएले हए । उपभोक्ता समितिमे रहल दुनुजने योजनाअनुसारके काम सम्पन्न कके भुक्तानीके लेल फाइल नगरपालिकामे पेश कएले लेकिन काम गुणस्तरहीन रहल आ प्रक्रिया नपुगाके फाइल पेश कएलाके कारण लेखापाल मिश्र भुक्तानी देबेला नमानल रहे । नगरपालिकाके लेखापालउपर दुव्र्यवहार भेल निमित्त प्रशासकीय अधिकृत नरबहादुर विश्वकर्मा जानकारी करएले छत ।

रौतहटसे भुलाएल बालिका मिलल हए पर्सामे
रौतहटसे भुलाएल एगो बालिका पर्सा जिलामे मिलल हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ घर रहल लेकिन गुजरा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मे रहते आएल तेरह बरिसके एगो बालिका पर्सामे मिलल हए । बितल जेठ २५ गतेसे भुलाएल बालिका असार २७ गते पर्सा जिलामे मिलल हए । महिला तथा बालबालिका सेवा केन्द्र गरुडाद्वारा विभिन्न हुलिया देके विभिन्न जिलामे खोजी कररहल अवस्थामे पर्सा जिलामे बालिका मिलल हए । करिब १३ बरिसके बालिका गुडियाकुमारी साह मिलगेलासे खोजतलास करेके नपरेके सेवा केन्द्र जानकारी करएले हए ।

काठमान्डु उपत्यकामे देखलगेल दाहर, रौतहट आ सर्लाहीमे सावधानी अपनाबेके आग्रह
काठमान्डु उपत्यकामे दाहर देखलगेल हए । विभिन्न सामाजिक संजालमे काठमान्डु उपत्यकाके भक्तपुरमे अत्यधिक वर्षा भेल आ चारोओर पानी पानी भेल सामाजिक संजालमे आरहल हए । अन्य विभिन्न मिडिया भी काठमान्डु उपत्यकामे कसके मेघ बरसल बतएले हए । काठमान्डु उपत्यकाके पानीके मूल निकास बागमती नदी रहलासे बागमती नदीमे दाहर आबेके सम्भावना होएलाके कारण सावधानी अपनाबेके आग्रह भी सामाजिक संजालमे कएल जारहल हए । बागमती नदीमे दुपहरियामे पानी आएल लेकिन साँझमे कुछ कम भेल समनपुरके कामेश्वर सहनी जानकारी करएले छत । काठमान्डु उपत्यकामे देखलगेल दाहरके असर रातमे भी देखाइ परसकेके होएलासे रौतहट आ सर्लाहीके बागमती नदीके दुनु किनारके सर्वसाधारण बासिन्दाके सतर्क रहेला सावधान करारहल हए । 

पर्सामे मृत अवस्थामे मिलल हए एकजने प्रौढ
पर्सा जिलामे एकजने प्रौढ मृत अवस्थामे मिलल हए । पर्सा जिलाके पर्सागढी नगरपालिकामे एकजने सहनी थरके प्रौढ मृत अवस्थामे मिलल हए । पर्सागढी नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ सिर्जना चौकके नजदिक रहल आमके फुलबारीमे वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर २२ जगरनाथपुर गाँओके रहनिहार ५० बरिसके चतु सहनी मृत अवस्थामे मिलल हए । मृतक सहनीके मृत्युके विषयमे पर्सा पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

अस्थायी शिक्षकके परीक्षाके सम्पूर्ण तयारी पूरा, कुछ शिक्षक पूर्व राजाके चढएलक विन्तीपत्र

अस्थायी शिक्षकके परीक्षाके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल हए । २२ हजारसे बेसी शिक्षक पदके लेल शुक्रबार आ शनिवार परीक्षा होरहल हए । विभिन्न नौ समूहमे प्रावि, निमावि आ माध्यमिक तहके अस्थायी शिक्षकके स्थायी करेला शुक्रबार आ शनिवार लिखित परीक्षा होरहल हए । लिखित परीक्षामे २३ हजारसे बेसी शिक्षक सहभागी होरहल हए । देशभरमे अस्थायी शिक्षकके स्थायी करेला शुक्रबार आ शनिवार होरहल लिखित परीक्षाके लेल ११६ परीक्षा केन्द्र कायम कएलगेल हए । अधिकांश परीक्षार्थी अपना परीक्षा केन्द्रतक पुगल हए । अइसही परीक्षाके सभी प्रश्नपत्र आ कापी तथा निरीक्षक लगायतके सम्पूर्ण आन्तरिक तयारी कके परीक्षा लेबेबाला टोली केन्द्रपर पुगल भी शिक्षक सेवा आयोग जनएले हए । अस्थायी परीक्षाके सम्पूर्ण तयारी पूरा होएल खबर एकओरसे आरहल हए त दोसरओर कुछ अस्थायी शिक्षक पूर्व राजा ज्ञानेन्द्रके एही विषयके लेके गोहारले हए । नागरिक जीवन बितारहल पूर्व राजा ज्ञानेन्द्रके अस्थायी शिक्षकके एगो समूह ज्ञापनपत्र बुझएले हए । तालिम आ लाइसेन्स नभेल कौनो शिक्षक परीक्षा देबे पाबेके आ कौनो शिक्षक परीक्षासे वंचित होएके अवस्था होएलासे अपनेलोग अन्यायमे परल कहइत न्यायके माग करइत ८१ जने अस्थायी शिक्षक पूर्व राजा साहके विन्तीपत्र बुझएले हए । अस्थायी शिक्षक सम्बन्धी करिब आधा दर्जन मुदा सर्वोच्च अदालतमे विचाराधीन रहल कहइत सर्वोच्चमे विचाराधीन मुदाके बाबजुद भी परीक्षा स्थगित नकएलापर कुछ अस्थायी शिक्षकलोग आपत्ति जनएले हए । विभिन्न नौगो प्रमाणके कागजात सहित कुछ अस्थायी शिक्षक पूर्व राजा साहके विन्तीपत्र बुझएले एडु खबरपर खबर उपलब्ध हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें