मंगलवार, 12 जून 2018

बालकके हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे एगारजने परल पक्राउ, हत्यामे प्रयोग कएलगेल हथियार भी बरामद
रौतहटके कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ डुमरियाके दीलिप साहके बारह बरिसके बेटा सन्नीदेवल कहाएबाला युवराज साहके अपना घरमेसे ही शनिवार रातमे अपहरण कके एतबारके रातमे हत्या कएले घटनामे संलग्न रहल आरोपमे मंगलवारतक एगारह जने पक्राउ परल हए । पक्राउ परेबालामे वडाध्यक्ष रामाज्ञा प्रसाद यादव, रवि पटेल, विनोद पटेल, शक्ति कुमार यादव, संजीव कुमार यादव, प्रवीण कुमार यादव, सुनील यादव, किशोर राय यादव, सुदिल राय यादव, भोला राय यादव, राम बालक राय यादव रहल हए । पक्राउ परल सभीके रौतहट जिला अदालतमे पेश करइत अनुसन्धानके लेल म्याद थप कएलगेल हए । एहीबीच बालकके हत्यामे प्रयोग कएलगेल हथियार भी पुलिस बरामद कएले हए । गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के वडा कार्यालयके सटले रहल रामदेनी साहके घरसे एक थान नलकटुवा बन्दुक आ ओहीमे प्रयोग होएबाला गोली एक थान पुलिस बरामद कएले हए । हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे पक्राउ परल शक्ति कुमार यादवके डेरा रहल घरसे ही हथियार बरामद भेल हए ।
विद्यार्थीके शोकमे दू दिन डुबल नेपाल पुलिस स्कुल
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ जिंगडियामे रहल नेपाल पुलिस स्कुलमे दू दिनसे निमनसे पढाइ नहोए सकल हए । स्कुलके कक्षा ४ मे पढेबाला सन्नीदेवल कहाएबाला युवराज साहके ओकरा घरसे ही अपहरणके बाद हत्या कएलगेल खबरसे सम्पूर्ण विद्यालय परिवार शोकमे डुबल हए । सोमारके दिन हत्या होगेल खबर स्कुलमे पुगलाके बाद सम्पूर्ण विद्यार्थीके पढाइमे मन नलागल रहे । शोकसे भरल मानसिकतामे कक्षा संचालन नहोए सकल रहे । अइसही मंगलवार विद्यार्थीके साहके फोटो राखके विद्यालयके सम्पूर्ण विद्यार्थी, शिक्षक, विद्यालय प्रशासन एव विद्यालयमे कार्यरत प्रहरी संगठनके सम्पूर्ण कर्मचारी भी श्रद्धान्जलि अर्पण कएले हए । विद्यालयमे जेहेन्दार विद्यार्थीके रुपमे रहल साहके निकटके साथी सबके आँखसे लोर नसुखरहल देखलगेल हए ।



फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके कर्मचारी उतरल हए आन्दोलनमे
रौतहटके फतुवा विजयपुर नगरपालिकाके कर्मचारी आन्दोलनमे उतरल खबर हए । सोमवारके दिनसे कर्मचारी लोग आन्दोलनमे उतरल कटहरियासे पत्रकार संजय मिश्र जानकारी करएले छत । पत्रकार मिश्रके मोताबिक क्षेत्र नम्बर ३ के पूर्व साँसद जितेन्द्र कहाएबाला सुनील कुमार यादवके विरोधमे कर्मचारी आन्दोलनमे उतरल हए । पूर्व सांसद यादव बिना कारण धम्की देलाके कारण कर्मचारीलोग आन्दोलनमे उतरइत नगरपालिकाके सम्पूर्ण कामकाज ठप्प कएले लेखा अधिकृत माधवराज ढकाल बतएले छत । कर्मचारीके आन्दोलनके कारण स्थानीय सेवा सुविधासे बन्चित भेल हए । नगरपालिकाके परिषद ढिला होएलाके कारण उपभोक्ता समिति गठनमे ढिलाइके साथे विभिन्न विकास निर्माणके काममे भी ढिलाइ भेल हए । पूर्व साँसद यादव दादागिरी शैलीमे नगरपालिकाके कर्मचारीके धम्की देइत दर्ता चलानी किताब, हाजिर रजिस्टर आ चेकबुक लगायतके कागजात नियन्त्रणमे लेले वडा नम्बर ८ के वडाध्यक्ष उमाशंकर साहके हवाला देइत पत्रकार मिश्र जानकारी करएले छत । पूर्व सांसद यादव नगरपालिकाके प्रशासकीय अधिकृत रन्जना साह बोर्डके निर्णयके बिना ही मनमानी ढंगसे कार्यालयके लेल विभिन्न फर्निचर सामग्री खरिद कके अनियमितता कएले होएलासे नगरबासीके हैसियतसे खोजबिन कएलापर धम्कीके आरोप लागल बतएले छत ।
विभिन्न सीपमूलक तालिम भेल हए संचालन
घरेलु तथा सामान उद्योग कार्यालय गौर विभिन्न सीपमूलक तालिम संचालन कएले हए । प्लम्बर तथा हेयरकटिंग तालिम संचालनमे रहल घरेलु तथा साना उद्योग कार्यालय गौरके प्रमुख जयकान्त झा बतएले छत । ४५ दिनतक चलेबाला प्लम्बर तथा ३० दिनतक चलेबाला हेयर कटिँग तालिम संचालन कएलगेल हए । युवाके स्वरोजगार बनाबेके लेल सीपमूलक तालिम संचालन कएलगेल प्रमुख झा जानकारी करएले छत ।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें