सोमवार, 11 जून 2018

खुलल हए मावि गेडहीगुठीमे लागल ताला
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ मे रहल माध्यमिक विद्यालयमे लागल ताला खुलल हए । कुछ दिन पहिले विद्यार्थीद्वारा शिक्षकके माग करइत ताला लगाबलगेल रहे । विद्यार्थीके लगाएल तालापर स्थानीय राजनीति गरमएलाके कारण विद्यार्थीके माग पाछा परइत गेल रहे । विद्यालयमे अंग्रेजी शिक्षक नरहलासे तत्काल अंग्रेजी शिक्षकके माग करइत निजी स्रोतके शिक्षक होसनारायण यादवके भी राहतमे नियुक्तिके माग करइत विद्यार्थी ताला लगएले रहे । विद्यालयमे व्यवस्थापन समिति नरहल आ बैसाखसे जेठके पहिलका हप्तातक तीनबेर व्यवस्थापन समितिके गठनके लेल अभिभावक भेला बोलएलाके बाद भी सहमति नहोएल रहे । विद्यालय व्यवस्थापन समिति गठन नहोएलातक शिक्षक नियुक्ति सम्भव नहोएके कानुनी व्यवस्था रहलाके बाद भी विद्यालयमे विवाद चलइत रहे । एक हप्ताके भित्तर फेर व्यवस्थापन समितिके गठन करेला अभिभावक भेला बोलाबेके सहमतिके होएलापर विद्यालयके ताला खुलल हए ।

नेपाली काँग्रेस रौतहट अपना प्रतिनिधिसे कएले हए विशेष छलफल
नेपाली काँग्रेस रौतहट पार्टी प्रतिनिधिसे विशेष छलफल कएले हए । पार्टीके जिला कार्यालय गौरमे स्थानीय तहमे निर्वाचित प्रमुख तथा उपप्रमुखके साथे प्रतिस्पर्धामे रहल प्रमुख तथा उपप्रमुखके साथे विशेष छलफल कएले हए । पार्टीके वर्तमान अवस्था आ कार्य नीतिके साथे आगामी कार्यक्रम आ योजनाके विषयमे विशेष छलफल कएलगेल कार्यक्रममे सहभागी गरुडा नगरपालिकाके उपमेयर रंगीलादेवी जयसवाल जानकारी करएले छत । कार्यक्रममे पार्टीके जिला सभापति एवं पूर्व सभासद कृष्णप्रसाद यादव, महम्मद महताब आलम, प्रदेश साँसद धनलाल थोकर लगायत पार्टीके वरिष्ठ तथा विशिष्ट लोगके सहभागिता रहल रहे ।

मावि श्रीपुरमे फिल्ड निर्माणके उपमेयर रंगीलादेवी जयसवाल कएले छत उदघाटन
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ नयाँ गम्हरिया श्रीपुरमे रहल माध्यमिक विद्यालयके फिल्ड निर्माण सुरु भेल हए । गरुडा नगरपालिकाके उपमेयर रंगीलादेवी जयसवाल एक समारोहबीच फिल्ड निर्माणके सुरुआत कएले छत । विद्यालयके फिल्ड बहुत कम रहलाके कारण विभिन्न अतिरिक्त क्रियाकलापमे दिक्कत होइतरहे । विद्यालयसे सटले रहल पोखरीके माटीसे भरके फिल्ड बनाबेके निर्णय व्यवस्थापन समिति आ स्थानीयबासी कएले रहे । ओही निर्णयके मोताबिक विद्यालयके फिल्ड निर्माणके सुरुआत उपमेयर रंगीलादेवी जयसवाल करइत विद्यालयमे खेलकुदके साथे अन्य क्रियाकलापमे आसानी होएके बतएले छत । फिल्ड होएलासे स्थानीय युवकके भी खेलकुदमे फाएदा होखेके विश्वास कएलगेल हए । कार्यक्रममे विद्यालय व्यवस्थापन समितिके पदाधिकारी, स्थानीय भद्रभलादमी, विद्यालयके शिक्षक तथा स्थानीयबासीके सहभागिता रहल रहे ।

भारतीय सहयोगमे रौतहटमे भी जडान होएबाला हए बोरिङ

भारतीय सहयोगमे रौतहटमे भी बोरिङ जडान होएबाला भेल हए । नेपालके बारह जिलामे दू हजार सात सय स्यालो ट्युबबेल जडानके लेल भारत नौ करोड बेरानमे लाख रुपैया सहयोग कएले हए । नेपाल भारत मैत्री सिंचाइ परियोजनामार्फत सप्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा, पर्सा, चितवन, नवलपरासी, रुपन्देही, कपिलवस्तु, दाङ आ कैलालीके साथे कन्चनपुर जिलामे भी स्यालो ट्युबबेल जडानके लेल भारत सहयोग कएले हए । ट्युबबेलसे किसानके बारहो महिना सिंचाइ सुविधा उपलब्ध होखेके आ धान, गहुके साथे मौसमी तरकारी आ फलफुल उत्पादनमे वृद्धि होेखेके भारतीय दूतावास अपेक्षा कएले हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें