शुक्रवार, 8 जून 2018

टेक्टरके ठोकरसे रौतहटमे एगो महिलाके भेल हए मृत्यु
रौतहटमे टेक्टरके ठोकरसे एगो महिलाके मृत्यु भेल हए । रौतहटके राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ हस्पिटल चौकपर ना ३ त १९०४ नम्बरके टेक्टर बा ५७ प ३८६९ नम्बरके मोटरसाइकिलके शुक्रबार ठोकर मारले हए । ठोकरसे मोटरसाइकिलपर सबार ईशनाथ नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ मठिया टोलाके रहनिहार ४० बरिसके मेहरुल गम्भीर घाएल भेल रहे । गम्भीर घाएल अवस्थामे मेहरुलके जिला सरकारी अस्पताल गौरके ओर लेजाएके क्रममे रास्तामे ही मृत्यु भेल हए । टेक्टरके डाइबर फरार रहल हए । फरार डाइबरके खोजी कार्य होरहल प्रहरी जनएले हए ।

करिब अढाई सय ज्येष्ठ नागरिक गेडहीमे भेल सम्मानित
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के सम्पूर्ण ज्येष्ठ नागरिक आ एक महिलाके सार्वजनिक सम्मान कएलगेल हए । जागरण तथा समाजसेवा केन्द्र नेपाल गेडहीगुठीके आयोजना तथा गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के सहयोगमे आयोजक संस्थाके अध्यक्ष लालबतीदेवी सहनीके सभापतित्वमे सम्पन्न कार्यक्रममे एक सय ४० ज्येष्ठ नागरिक आ करिब एक सय एकल महिनाके दोसल्ला ओढाके सम्मानित कएलगेल हए । कार्यक्रममे नेपाली काँग्रेससे मेयर प्रत्याशी सुनीलकुमार यादव, गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ३ के अध्यक्ष, वार्ड नम्बर ७ के अध्यक्ष रामईश्वर सहनी, वडा नम्बर ४ के अध्यक्ष चुनचुनप्रसाद साह, मावि गेडहीगुठीके प्रधानाध्यापक रेणु गुप्ता, शैलेन्द्र यादव, फेकन सहनी लगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त करइत ज्येष्ठ नागरिक आ एकल महिलाके सम्मानित कएलासे समाजमे नयाँ किसिमके चेतनाके विस्तार होखेके बतएले छत । कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि वडा नम्बर २ के वडाध्यक्ष विशुनदेव सहनी नगरपालिकामे ही पहिलबेर अपना वार्डके श्रद्धेयलोगके सम्मानित करेके अवसर मिललासे खुसी लागल बतएले छत ।


डोम जातमे चेतनाके लेल दू दिवसीय गोष्ठी गरुडामे भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडामे डोम जातके चेतना अभिवृद्ध करेके उदेश्यसे दू दिवसीय भेला सम्पन्न भेल हए । जनसेवा नेपालके आयोजना तथा प्लान इन्टरनेशनल नेपालके सहयोगमे गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ मित्रनगरमे रहल तुलसीलाल स्मृति प्रतिष्ठानके सभा भवनमे सम्पन्न कार्यक्रममे जिलाके अधिकांश डोम अगुवाक सहभागिता रहल रहे । डोम जात बहुत पिछडल होएलासे बालबालिकाके विद्यालय पेठाबेके, बालविवाह नकरेके आ अन्य कुरीति एवं विकृतिके कम करेके उदेश्यसे दू दिनतक डोम जातके अगुवा लोगके चेतनामूलक तालिम देलगेल आयोजक संस्थाके भाग्यनारायण महतो जानकारी करएले छत ।

नगरस्तरीय अतिरिक्त क्रियाकलाप मावि गरुडामे भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिकामे रहल सम्पूर्ण विद्यालयके बीचमे विभिन्न अतिरिक्त क्रियाकलाप प्रतियोगिता सम्पन्न भेल हए । गरुडा नगरपालिकाद्वारा आयोजित कार्यक्रममे वक्तृत्वकला प्रतियोगिता, हाजिर जबाब प्रतियोगिता आ चित्रकला प्रतियोगिता सम्पन्न कएलगेल हए । प्रतियोगितामे उत्कृष्ट सहभागीके पुरस्कृत भी कएलगेल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

वर्षा नहोएलासे मध्यरौतहटके किसानके खेतमे जररहल हए धानके बिआ
मध्यरौतहटके किसान वर्षाके लेल छटपटा रहल हए । कुछ दिनसे वर्षा नहोएलासे किसानके खेतमे धानके बिआ जररहल हए । तीन दिन कसके घाम उगलाके कारण धानके बिआ जररहल गेडहीगुठीके विनोद यादवके कहनाम हए । वर्षा नहोएलासे किसानके खेतमे बिआ जरेके सुरु भेल हए । धानके बिआ जरलापर धानके रोपनीके समयमे किसानके तनाब होएके आ दोहराके धानके बिआ गिराबेके होसकेके यादवके दाबी रहल हए । कुछ दिन कडा घाम उगलाके बाद आकाशमे बादल लागेके आ घाटा भी बान्हेके लेकिन वर्षा नहोरहलाके कारण किसान छटपटा रहल देखलगेल हए । रौतहटके किसानके खाद्यान्न बालीमे मुख्य रुपसे धानके खेती ही होइत आएल हए लेकिन किसानके खेतमे धानके बिआ जरे लगलासे किसान लोग चिन्तित बनल हए ।

बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके २४ मा कार्यक्रम सनिचरके होएके भेल निश्चित
बज्जिका साहित्य संगम रौतहटके नियमित साहित्यिक कार्यक्रम सनिचरके होएके निश्चित भेल हए । हर महिना नियमित रुपसे होते आरहल कार्यक्रमके २४मा भाग सनिचरके दिन रेडियो मधेस मसला एफएमके कार्यालय गरुडामे होरहल हए । सबेरे सातबजे होएबाला कार्यक्रमके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल आयोजक संस्था जनएले हए । बज्जिका भाषा, साहित्य आ संस्कृतिके विकासके उपर नियमित रुपसे गोष्ठी आ अन्तरक्रिया करते आरहल बज्जिका साहित्य संगम रौतहट देशके सबसे लमहर सक्रिय संस्थाके रुपमे रहल हए । आगामी असार महिनामे होएबाला संगमके नियमित कार्यक्रमके २५मा भागके विशेष रुपसे भव्य बनाबेला रणनीति भी तय करेके कार्यक्रम रहलासे सनिवारके कार्यक्रममे उपस्थितिके लेल बज्जिका भाषा, साहित्य, पत्रकारिता तथा संस्कृतिके क्षेत्रमे कार्यरत सभीके बज्जिका साहित्य संगमके अध्यक्ष श्याम सहनी चन्द्रांशु आग्रह कएले छत ।

इप्रका गरुडाके नयाँ इन्स्पेक्टरके कएलगेल हए स्वागत

रौतहटके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे हाजिर होके कार्यभार सम्हारले नयाँ इन्स्पेक्टरके स्वागत कएलगेल हए । गरुडा नगर उद्योग वाणिज्य संघद्वारा इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे हाजिर भेल नयाँ कार्यालय प्रमुख इन्स्पेक्टर चतुर्भुज ओझाके स्वागत कएलगेल  हए । कार्यक्रम गरुडा नगर उद्योग वाणिज्य संघके अध्यक्ष राम भरोस राय यादवके अध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे संघके पदाधिकारी गरुडाके व्यपारी, बुद्धजीवी, समाजसेवी, राजनैतिक कर्मी, नागरीक समाजके अगुवा लोग, आ खानेपानी तथा सरसफाई उपभोक्ता समिती गरुडाके अध्यक्ष लगायतके विभिन्न महानुभावके सहभागिता रहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें