मंगलवार, 5 जून 2018


गरुडाके खुला दिसामुक्त घोषणा करइत मुख्यमन्त्री राउत बेटीके शिक्षाके शिक्षापर देले छत विशेष जोर
प्रदेश के मुख्यमन्त्री महम्मद लालबाबु राउत बेटीके शिक्षापर विशेष जोर देले छत रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर गरुडामे रहल नमुना माध्यमिक विद्यालयके प्रांगणमे आयोजित खुला दिसामुक्त समारोहमे गरुडा नगरपालिकाके खुला दिसामुक्त घोषणा कएले छत स्वच्छता तथा सरसफाइपर विशेष ध्यान देनाइ जरुरी रहल कहइत कहइत मुख्यमन्त्री राउत स्वच्छता अभियानसे सभीके जुटेला आह्वान भी कएले छत कार्यक्रमके सम्बोधन करइत मुख्यमन्त्री राउत बेटी शिक्षापर विशेष जोर देले छत बेटी बचाओ बेटी पढाओ अभियान ही संचालन भेल प्रदेश के प्रदेश पुलिसके गठन होएलापर आधा संख्यामे लडकीके ही राखेके प्रयास करेके बतएले छत अइसही प्रदेशके निजामती तथा अन्य सेवामे भी देशके संवैधानिक आरक्षणसे आउरो बेसी महिलाके आरक्षण देबेके प्रयास करेके भी बतएले छत मुख्यमन्त्री राउत विदेशसे सबसे बेसी रेमिटान्स प्रदेश के नागरिकसे ही देशके प्राप्त होरहल अवस्थामे प्रदेशमे ही रोजगारीके अवसर सिर्जना करेके प्रयास करेके भी बतएले छत मुख्यमन्त्री राउत देशके सबसे पिछडल प्रदेश प्रदेश मे सबसे पिछडल जिला रौतहट रहलासे कार्यक्रममे उपस्थित सभी नगर प्रमुख उपप्रमुखसे बालिका शिक्षामे विशेष लगानी करेला आग्रह कएले छत मुख्यमन्त्री राउत शिक्षासे ही समाज आगे बढेके होएलासे सबसे बेसी शिक्षामे बजेट देबेला भी आग्रह कएले छत मुख्यमन्त्री राउत गरुडा नगरपालिका यदि जमिन उपलब्ध करबइत हए प्रदेश सरकारके ओरसे एगो सुलभ सार्वजनिक सौचालय गरुडामे निर्माण करेके प्रतिबद्धता व्यक्त भी कएले छत मुख्यमन्त्री राउत प्रदेश सरकारमे सहभागी दलमे कौनो किसिमके विवाद नरहल भी स्पष्ट कएले छत ।कार्यक्रमके सम्बोधन करइत भुमि व्यवस्थापन, कृषि तथा सहकारी राज्यमन्त्री योगेन्द्र यादव रौतहट जिलामे दाहर आकासे पथलसे किसानके अत्यधिक क्षति पुगल मानवीय विकास सूचकांकमे सबसे पिछे रहलाके कारण रौतहटके विशेष जिला घोषणा करेके माग करइत विकासके विशेष पैकेज रौतहटमे देबेला मुख्यमन्त्री राउतसे माग कएले छत कार्यक्रममे स्वागत मन्तव्य व्यक्त करइत गरुडा नगरपालिकाके उपमेयर रंगिलादेवी जयसवाल चर्चित युवा क्रान्तिकारी नेता वृजकिशोर यादव गरुडाके रिंग रोड, स्कुल तथा अनाथालय शिवनगर मन्दिरके विकासमे विशेष ध्यान देबेला आग्रह कएले छत कार्यक्रममे जिला समन्वय समितिके सभापति, सदस्य, प्रदेश सभाके विभिन्न साँसद, खानेपानी तथा स्वच्छता समन्वय समिति रौतहटके पदाधिकारी, विभिन्न एनजिओके पदाधिकारी तथा स्थानीय लोग मन्तव्य व्यक्त करइत कार्यक्रमके सफलताके शुभकामना व्यक्त कएले रहलन विभिन्न सांस्कृतिक कार्यक्रम भी प्रस्तुत कएलगेल कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री राउतके अभिनन्दन करेके साथे विभिन्न संस्थाद्वारा सम्मानित भी कएलगेल रहे कार्यक्रममे सम्पूर्ण विशिष्ट अतिथि तथा संचारकर्मीके भी सम्मानित कएलगेल हए

थारु महिलाके जिल्ला अधिवेशन भेल सम्पन्न
थारु महिलाके जिला अधिवेशनसे एगार सदस्यीय जिला कार्य समितिके कएलगेल हए चयन
रौतहटमे रहल थारु समुदायके महिला अपना लेल नयाँ नेतृत्व चयन कएले हए थारु समुदायके महिला लोगके थारु महिला समाजमे नयाँ नेतृत्व आएल हए गुजरा नगरपालिकाके रंगपुरमे मंगलवार भेल जिला अधिवेशनसे रामेश्वरी बन्ठाके नेतृत्वमे एगार सदस्यीय नया जिला कार्य समितिके चयन कएलगेल हए समितिमे निर्मला चौधरी, राजकुमारी चौधरी, मैना चौधरी, गीता चौधरी, उमाकुमारी चौधरी, पुनमवती कुमारी चौधरी, शान्ता धामी, जयमाला कुमारी चौधरी, वसन्ती देवी अनिता कुमारी चौधरी जिला सदस्यमे सर्वसम्मत चयन भेल छत अइसही अधिवेशनसे तीन सदस्यीय केन्द्रीय प्रतिनिधिके भी चयन कएलगेल हए केन्द्रीय प्रतिनिधिमे अनुराधा चौधरी, ललिता कुमारी चौधरी रत्ना कुमारी चौधरीके चयन कएलगेल खबर प्राप्त भेल हए

वातावरण दिवसे अवसरमे शिवनगरके शिव मन्दिर परिसर कएल गेल सरसफार्ई
वातावरण दिवसके अवसरमे रिडर्स इन्टरनेशनल स्कुल गरुडा शिवनगर मन्दिर परिसरके चारो ओर सरसफाई कएल गेल हमनीके सहर सफ सहर, हमनी कएले गन्दगी हमनी अपने सफा करु, वातावरण सफा राखु स्वच्छ वातावरण, स्वस्थ्य जीवना नारा सहित सरसफाई कएल गेल हए विद्यालयके कक्षा से लेके कक्षा तकके विद्यार्थी, शिक्षकसबके टोली मन्दिरके चारो ओर सरसफाई कएले हए मन्दिरके पुजारी नगरवासी अइसन सरसफाई अभियनासे खुशी देखल गेल एफ.एम.के आर जे तथा सन्धिीत स्कुलके शिक्षक गोविन्द सहनी जानकारी करएले हए ओइसहीए गरुडा नगरपालिका अन्तर्गत जिंगडिमे रहल प्रहरी स्कुलके विद्यार्थीसब भि वातावरण दिवसके अवसरमे वातावरण संरक्षण करेके लेल विभिन्न नाराके साथ गरुडा जार परिक्राम कएले हए विद्यार्थीसब हाथमे प्ले कार्डमे विभिन्न वातावरण सम्बिनधी नाराके साथे नगर परिक्रमा कएले रहे
मा.वि. गेडहीमे मराएल ताला अभितक नखुल्ल
गरुडा नगरपालिका वडा नम्बर मे रहल  मा.वि. गेडही  गुठीके ताला मंगलवारके दिन तक खुले नसकल हए सरस्वती मा.वि. मलाहीटोल से नि.मा.शि. करारमे नियुक्ति कके आएल शिक्षक मा.वि. गेडही गुठीमे राहत रिक्त रहल कोटामे पदस्थापन करेके मनासयसे आएल वडा नम्बर के प्रत्यासी कृष्णन्दन सहनीके कहनाम रहल हए ओही स्कुलमे कार्यरत निजी स्रोतके शिक्षक होस नारायण यादव स्कुल जाएके लेल इन्कार कएलाके वाद स्कुलके विद्यार्थीसब आक्रोसीत होइत विद्यालयमे ताला मारके नगरपालिकामे निवेदन देले रहे ।सरुवाके सन्दर्भमे गरुडा नगरपालिका के चलानी नम्बर ४५७ मिति २०७४। १२।१८ गतेके सहमती पत्रके आधारमे जि.शि.काके सहमति पत्रके आधारमे शिक्षा कार्यालय रौतहट काजमे खटएले शिक्षकके मा.वि. गेडही गुठीमे हाजीर भेल हए विद्यार्थी अभिभावक लोग यि विषय लेके विद्यालय बन्द रहल हए गरुडा नगरपालिकामे सोमवारके दिन विद्यार्थीसब निवेदन देले हए नगर शिक्षा समन्वय समितिके संयोजक मौजे लाल यादवके अनुसार यि समस्याके समाधानके लेल नगरपालिका पहल कर रहल हए कहलन
मृत अवस्थामे पर्सामे मिलल हए एकजने पुरुषके लास
पर्सा जिलामे मृत अवस्थामे एकजने पुरुषके लास मिलल हए पर्साके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर गाजली चौकपर रहल खाली जमिनमे एकजने पुरुषके लास मिलल हए करिब ४५ बरिसके उमरके रहल पुरुषके लासके पहिचान नखुलल हए मृतक रिक्सा चलाबेबाला होसकेके अनुमान कएलगेल हए मृतकके विषयमे थप अनुसन्धान पर्सा पुलिस कररहल देखलगेल हए

सबारी दुर्घटनामे सर्लाहीमे एकजने युवकके भेल हए मृत्यु
सर्लाही जिलामे सबारी दुर्घटनामे एकजने युवकके मृत्यु भेल हए सर्लाही जिलाके बरहथवा नगरपालिका वार्ड नम्बर १६ मे रहल लखनदेई नदीके बान्हके रास्तापर ७१४५ नम्बरके टेक्टर दुर्घटना होएलासे एकजने युवकके मृत्यु भेल हए अनियन्त्रित होके भेल टेक्टर दुर्घटनामे परके स्थानीय २२ बरिसके संजीव रायके पिचाके घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल हए घटनाके विषयमे सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल जानकारी प्राप्त भेल हए

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें