सोमवार, 4 जून 2018

मुख्यमन्त्रीद्वारा गरुडा नगरपालिका होरहल हए खुला दिसामुक्त
रौतहटके मध्यभागमे रहल गरुडा नगरपालिका खुला दिसामुक्त होरहल हए । मंगलवारके दिन प्रदेश २ के मुख्यमन्त्री मोहम्मद लालबाबु राउत गदीके प्रमुख आतिथ्यमे नगरपालिका खुला दिसामुक्त घोषणा होरहल हए । मंगलवार गरुडास्थित नमुना माध्यमिक विद्यालयमे दुपहरियामे एक विशेष समारोहके बीच गरुडा नगरपालिकाके खुला दिसामुक्त घोषणा कएल जारहल हए । प्रदेशके माननीय मुख्यमन्त्रीके द्वारा रौतहटमे खुला दिसामुक्त नगरपालिका होएबालामे गरुडा नगरपालिका पहिल नगरपालिका होरहल हए । गरुडा नगरपालिकाके खुला दिसामुक्त करेके सम्पूर्ण तयारी पूरा होइत अन्तिम तयारी चलरहल जानकारी प्राप्त भेल हए ।

जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके एसपिके उद्योग वाणिज्य संघ कएले हए स्वागत
जिलामे नयाँ आएल दुजने एसपिके रौतहट उद्योग वाणिज्य संघ स्वागत स्वागत कएले हए । रौतहट उद्योग वाणिज्य संघके आयोजनामे भेल स्वागत तथा सम्मान आ विदाइ कार्यक्रममे नेपाल प्रहरीके रौतहट प्रमुखके जिम्मेवारी सम्हारले नयाँ एसपि रवीन्द्र केसी आ सशस्त्र प्रहरी बल नेपालके रौतहट प्रमुखके नयाँ जिम्मेवारी सम्हारले एसपि कृष्ण ढकालके स्वागत तथा सम्मान आ नेपाल प्रहरीके सरुवा होके गेल एसपि यज्ञविनोद पोखरेलके विदाइ कएलगेल हए । विदाइ कार्यक्रममे गौर नगरपालिकाके मेयर अजय गुप्ता, प्रमुख जिला अधिकारी गोविन्द रिजाल लगायतके लोग मन्तव्य रखले रहलन । कार्यक्रममे उपस्थित सभीके रौतहट उद्योग वाणिज्य संघके उपाध्यक्ष वृजकिशोर यादव स्वागत कएले रहलन ।

इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे नयाँ इन्स्पेक्टर भेल छत हाजिर
रौतहटके इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे नयाँ कार्यालय प्रमुख हाजिर भेल छत । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडाके प्रमुखमे सरुवा होके आएल चतुर्भुज ओझा सोमवार हाजिर भेल छत । इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडामे हाजिर कएलाके बाद नियम कानुनके पालना कराबेमे सभीके सकारात्मक सहयोगके अपेक्षा राखले बतएले छत । 


भुतहीके मिठाइ खएलासे दीपहीमे पाँचजने भेल हए बेमार
रौतहटमे भूतहीके मिठाइ कहइत अधिकांश बजार आ चौकपर खुलमखुला बिक्री होरहल  हए । भुतहीके मिठाइ कहाएबाला मिठाइके गुणस्तरके ओर कौनोके ध्यान नजारहल हए । भुतहीके मिठाइके नाओपर बजारमे खुलमखुला बिक्री होरहल अवस्थामे शिवनगरसे मिठाइ किनके खाएबाला एके घरके पाँचजने बेमार परल हए । सनिचरके दिन भुतहीके मिठाइ किनके एतबारके दिन घरे लेजाके खाएबाला माधव नारायण नगरपालिका वार्ड नम्बर १ दीपहीके एके घरके पाँचजने बेमार परल हए । बेमार परेबालामे ४५ बरिसके शम्भु प्रसाद यादव, ४० बरिसके सरिता यादव, २१ बरिसके ममता यादव, २० बरिसके धीरज यादव आ १५ बरिसके निराजन यादव रहल हए । बेमार सभीके स्थानीय क्लिनिकमे इलाज कएलगेल हए । ४० वर्षीया सरिता यादवके अवस्था कुछ खराब होएलासे थप इलाजके लेल वीरगंज पुगाबलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।


दुसरका चरणके भर्ना अभियान होएबाला हए सुरु
विद्यालयमे विद्यार्थी भर्नाके लेल फेर अभियान सुरु होएबाला भेल हए । पहिलका चरणमे भर्ना अभियानमे भर्ना होएमे छुटल विद्यार्थीके घरघरमे ही जाके सर्वेक्षण फारम भरइत बालबालिकाके विद्यालयमे भर्ना कराबेके अभियान सुरु करेके निर्णय कएलगेल हए । एतबारके दिन बैठल मन्त्री परिषदके बैठकसे दुसरका चरणके भर्ना अभियान सुरु करेके निर्णय कएलगेल हए । शिक्षा, विज्ञान तथा प्रविधि मन्त्री गिरिराजमणि पोखरेल पहिल चरणके भर्ना अभियानसे विद्यालय पुगे नसकल ५९ हजार ७ सय ३३ बालबालिकाके लक्षित कके नयाँ कार्यक्रम सुरु करेके प्रस्ताव मन्त्री परिषदमे लेगेल रहलन । उक्त अभियान अन्तर्गत कौनो भी बालबालिका विद्यालय बाहर नरहेके घोषणा करेके, सभी प्रदेशके सामाजिक विकास मन्त्री आ जिला शिक्षा विकास तथा समन्वय इकाइ प्रमुखलोगके बैठक राखके बालबालिकाके भर्ना कराबेके कार्यक्रम करेके योजना रहल हए । प्रत्येक घरमे पुगके सर्वेक्षण फारम भरेके, अपांगता भेल बालबालिकाके अपांगताके प्रकृति देखके स्रोत कक्षा संचालन भेल नजदिकके विद्यालयमे भर्ना कराबेके आ तराईके जिलामे स्वयं सेवक परिचालन कके विशेष भर्ना अभियान संचालन करेके तयारी रहल शिक्षा विभागके महानिर्देशक बाबुराम पौडेल जानकारी करएले छत । कुछ दिन पहिले सरकार सार्वजनिक कएले बजेटमे बिद्यालयमे लेआउ, टिकाउ आ सिखाउ अभियान उलेख रहल हए । ओही अभियानके सफल बनाबेला दुसरका चरणके भर्ना अभियान संचालन होए जारहल हए ।


टेक्टरके ठोकरसे एगो बालिकाके भेल हए मृत्यु
टेक्टरके ठोकरसे रौतहटमे एगो बालिकाके मृत्यु भेल हए । रौतहटके यमुनामाई गाँओ पालिका वार्ड नम्बर २ भेडियाही चौकपर ना ३ त २८३२ नम्बरके टेक्टरके ठोकरसे एगो बालिकाके मृत्यु भेल हए । ठोकर लगलापर गम्भीर घाएल भेल स्थानीय रमतुल्लाह खातुके ३ बरिसके बेटी सहिता खातुनके गौर अस्पतालमे इलाजके लेल भर्ना कएलगेल रहे । बालिकाके इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । टेक्टरके डाइबर बारा जिलाके सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ के रहनिहार २० बरिसके अरविन्द यादवके पुलिस नियन्त्रणमे लेले हए । घटनाके विषयमे थप आवश्यक अनुसन्धान चलरहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए । 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें