शुक्रवार, 25 मई 2018

नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहटके जिला नेतृत्व भेल हए सर्वसम्मत
नेलपा राष्ट्रिय शिक्षक संगठन जिला कार्य समिति रौतहटके नेतृत्व सम्मत भेल हए । रौतहटके गरुडामे रहल माध्यमिक विद्यालयमे संगठनके जिला कार्य समितिके चयन सर्वसम्मत भेल हए । धर्मेन्द्र सिंहके अध्यक्षतामे सर्वसम्मत भेल जिला कार्य समितिके उपाध्यक्षमे देवेन्द्र साह, सचिवमे सफिन्द्र प्रसाद यादव, कोषाध्यक्षके अनिलकुमार निधि चयनित भेल छत । अध्यक्षमे निर्वाचित सिंह २०३७ सालसे विद्यार्थी राजनीतिमे सक्रिय रहल छत । प्रजातान्त्रिक राष्ट्रिय युवा संघके नेतृत्व तहमे रहके काम समेत कएले सिंह नेपाल रेडक्रस सोसाइटी जिला कार्य समितिके सदस्यके साथे युवा तथा जुनियर रेडक्रस सर्किलके जिला संयोजक भी रहल छत । संगठनके जिला कार्य समितिमे चयन होएलाके बाद संगठनके सम्पूर्ण शिक्षकके साझा संगठनके रुपमे विकसित करेके साथे जिलामे शिक्षकके नेतृत्वदायी संस्थाके रुपमे विकास करेबाला संस्थाके साथे शिक्षकके सभी समस्याके समाधान करेला अपने सक्रिय रहेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएले छत ।



अचानक गर्मी बढलासे सर्वसाधारण बनल परसान
शुक्रबार अचानक गर्मी बढल हए । जेठ महिनाके अनुभूति शनिवारके पहिलबेर भेल हए । जेठ महिनामे अत्यधिक गर्मी होइत आएल लेकिन एई साल खास गर्मी नहोरहल अवस्थामे अचानक शुक्रबार अत्यधिक गर्मी बढल हए । दिनभर आकाशमे हल्का बादल लागल लेकिन हावा बहुत कम चललाके साथे घाममे अत्यधिक कडापन होएलासे सर्वसाधारण एई सालके सबसे बेसी गर्मी महसुस कएले हए । अत्यधिक गर्मी होएलासे सर्वसाधारण दुपहरियामे चलनाइ बन्द कएले रहे । साथमे ठन्ढाके खोजमे आदमीके साथे अन्य जीवजनावर भी शीतलताके खोजी करइत देखलगेल हए ।

गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रमके सम्पूर्ण तयारी भेल हए पूरा

नेपाल टेलिकमके प्रस्तुतिमे जिलामे पहिलबेर होए जारहल गरुडा सांस्कृतिक कार्यक्रमके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल आयोजक जनएले हए । भोजपुरी सिनेमाके प्रसिद्ध नायिका रानी चटर्जी आ भोजपुरी सिनेमाके आइटम गर्ल सीमा सिंहके साथे नेपाली गायिका सलिना कुँवरके आ अन्य विभिन्न कलाकारके प्रस्तुति होएबाला गरुडा सांस्कृतिक साँझके कलाकार लोगके आगमन भी होरहल हए । नेपाली, मैथिली, भोजपुरी आ बज्जिका भाषाके विभिन्न प्रस्तुति होएबाला कार्यक्रमके देखेला सर्वसाधारणमे अत्यन्त बेसी उत्सुकता रहल हए । कार्यक्रममे सहभागी होएके लेल हजारो लोग टिकट कटाके अपन स्थान सुरक्षित करचुकल देखलगेल हए । शनिवार साँझमे होरहल कार्यक्रममे सहभागी होएके लेल अन्य जिलासे आबेबाला लोग अपन स्थान भी सुरक्षित करारहल भी देखलगेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें