गुरुवार, 24 मई 2018

तीन दिनसे अख्तियारके टोली रहल हए रौतहटमे सक्रिय
अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग हेटौँडाके टोली तीन दिनसे रौतहटमे सक्रिय रहल हए । बितल मंगलवारके दिन हेटौडा अख्तियारके अधिकृत बिनी पौडेलके नेतृत्वमे अख्तियारके टोली रौतहटमे सक्रिय रहल हए । अख्तियार कार्यालयमे परल विभिन्न उजरीके छानबिन करेला टोली सक्रिय रहल हए । विभिन्न स्थानीय तह, जिला समन्वय समिति, जिला सिंचाइ कार्यालय लगायत शिक्षा सम्बन्धी उजरीके छानबिनके क्रममे अख्तियारके टोली सक्रिय रहल खबर प्राप्त भेल हए ।

प्रमुख आ उपप्रमुखके कारण विभिन्न पालिकामे सक्रिय नहोरहल न्यायिक इजलास
रौतहटमे कौनो भी स्थानीय तहमे निमनसे न्यायिक समितिके न्यायिक इजलास सक्रिय नहोएसकल हए । यमुनामाई गाँओपालिकाके प्रमुख श्रीप्रसाद मुखिया आ उपप्रमुख गीतादेवी साहके बीच भेल विवादके कारण न्यायिक इजलासके गठन भी नहोएसकल हए । अन्य विभिन्न पालिकामे न्यायिक समितिके गठन होएलाके बाद भी भौतिक पूर्वाधारके साथे कानुनी सलाहकारके नियुक्ति नहोए सकलाके कारण बाल इजलास आ न्यायिक इजलास संचालन होएनसकल हए । गढीमाई आ गरुडा नगरपालिकामे न्यायिक समितिके गठन होएलाके बाद भी इजलासके तैयारी नहोए सकलाके कारण संचालनमे आबे नसकल हए ।

सय फिट सडकके भेल हए नापी
गौर–चन्द्रपुर सडकके नयाँ नापी भेल हए । पहिले विस्तार होके रुकल सडकके विस्तार फेर होएबाला भेल हए । अभी रहल पिचके केन्द्र मानके दुनु ओर पचास पचास फिटके दरसे सडकके विस्तार होएबाला भेल हए । नापीके बाद पन्द्रह दिनके भित्तर नापीके भित्तर रहल सम्पूर्ण संरचना तथा भौतिक सामान हटाबेके निर्देशन भी देल गेल हए । सय फिटके भित्तर कुछो नराखेके लेल सम्बन्धित निकायके जानकारी कराबलगेल हए ।

जनसेवा नेपालके विभिन्न कार्यक्रमके कएलगेल हए अनुगमन
जनसेवा नेपाल माधोपुरके आयोजना तथा युनिसेफ, एसएआइडी आ रेस्टलेस डेभलमपेन्टके सहयोगमे जिलाके विभिन्न पचास विद्यालयमे संचालित सम्भव शून्य सहनशीलता लैंगिक हिँसामुक्त विद्यालय कार्यक्रम अन्तर्गत गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ मे रहल श्री आधारभूत विद्यालय पुरेनवा आ परोहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ मे रहल अन्होतीलाल माविमे सरोकारबाला निकायसे अनुगमन कएलगेल हए । गौर नगरपालिकाके प्रमुख अजय गुप्ता, उपमेयर किरणदेवी ठाकुर, परोहा नगरपालिकाके मेयर शेख वकिल, उपमेयर सुगान्धी गिरी, जिला शिक्षा समन्वय समितिके प्रमुख राम विनय सिंह, महिला तथा बालबालिका कार्यलयके प्रमुख सावित्रा न्यौपाने, महिला तथा बालबालिका सेवा केन्द्रके सई संजीव सुवाल, नेपाल पत्रकार महासंघके सदस्य बिना राउत, गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ के अध्यक्ष, परोहा नगरपालिकाके वडा नम्बर ६ के अध्यक्ष, विभिन्न विद्यायलय प्रधानाध्यापक, शिक्षक, अभिभावक तथा अन्य लोगके सहभागिता रहल रहे । अनुगमनके कार्यक्रम प्रभावकारी रहल देखलगेल हए ।

शुक्रबार पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाहके रौतहटमे होरहल अभिनन्दन
पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र साह शुक्रबार रौतहट आरहल छत । पूर्व राजा शाहके शुक्रवार रौतहटके दुर्गा भगवती गाउँपालिकामे रहल दुर्गा भन्दीर मत्सरी भव्य रुपमे स्वागत करेबाला भेल हए । मन्दीरमे जाके पूजा पाठ करेके बहानामे जनताके राय बुझेला पूर्व राजा ज्ञानेन्द्र शाह देशके विभिन्न मन्दीरके यात्रा सुरु कएले छत । ओही क्रममे शुक्रबार रौतहटके मत्सरीमे रहल प्रसिद्ध दुर्गा मन्दिरमे पुजा करेके कार्यक्रम रहल हए । रौतहटके दुर्गा भगवती गाउँपालिका वडा नम्वर ३ मत्सरीमे रहल प्रसिद्ध दुर्गा मन्दिरमे शुक्रवार सँझियाके साढे तीन बजेके समयमे पूर्व राजा शाह पुजा पाठ करेके कार्यक्रम तय कएलगेल दुर्गा मन्दीर पुजा समिति जनएले हए । पूर्व राजा शाह मत्सरी आबेके निश्चित होएलापर मत्सरी, गंगापिपराके मुख्य सडकपर स्वागतके लेल गेट बनाबेके काम चलरहल हए । राजतन्त्र समाप्त होएलाके बाद पहिलबेर मत्सरी दुर्गा मन्दीरमे शाहवंशके पहिल व्यक्तिके रुपमे शाह आबेबाला भेलासे स्वागतके लेल स्थानीयबासीमे एकदम उत्साह बढल दर्गा मन्दीर पुजा समितिके कोषाध्यक्ष रामभरोस झा जानकारी करएले छत । शक्तिपिठके रुपमे स्थापित  मत्सरी दुर्गा मन्दीरमे शाहवंशके  तत्कालिन कौनो भी राजाद्वारा पुजापाठ नकएलगेल हए लेकिन पूर्व राजा शाह सामान्य नागरिकके रुपमे होएलाके बाद पहिलबेर पूजापाठ कररहल छत । पूर्व राजा शाहके आगमनके समय सर्लाही आ रौतहटके स्थानीयबासी भारी मात्रामे उपस्थिति होएके सम्भावना रहल कोषाध्यक्ष झाके दाबी हए ।

स्नातक तहके तृतीय वर्षके परीक्षा भेल सुरु
त्रिभुवन विश्वविद्यालय अन्तर्गतके स्नातक तहके तिसरका बरिसके परीक्षा सुरु भेल हए । तीन वर्षे स्नातक कार्यक्रमके आंशिक परीक्षार्थीके लेल तिसरका बरिसके परीक्षा देशभरके साथे रौतहटमे भी सुरु भेल हए । रौतहटमे रहल करिब डेढ दर्जन स्नातक क्याम्पसके परीक्षा रौतहटके दुगो क्याम्पस आ सर्लाहीके एगो क्याम्पसमे केन्द्र तोकके सुरु भेल हए । मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा आ गौरी शंकर यादव रौतहट बहुमुखी क्याम्पसमे तोकलगेल परीक्षा केन्द्रपर पहिल दिनके परीक्षा शान्तिपूर्ण रुपसे सम्पन्न भेल हए ।

रौतहटके राजदेवी नगरपालिकामे हाजिरजबाब प्रतियोगिता भेल सम्पन्न
रौतहटके राजदेवी नगरस्तरीय आधारभूत तहके हाजिर जबाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल हए । श्री जनता सत्यनारायण माध्यमिक विद्यालय, बसतपुरके आयोजनामे आधारभूत विद्यालय पथरा, मावि मुडबलवा, मावि हजमिनिया, मावि बसतपुर, मावि बेलबिछवा, आधारभूत विद्यालय सेढवा, मावि ब्रहमपुरी लगायतके विद्यालयके विद्यार्थीके सहभागिता रहल रहे । कार्यक्रमके अवसरपर उपमेयर अंशु सिंह, राजदेवी नगरपालिकाके प्रशासकीय अधिकृत मनोज कुमार रजक लगायत विभिन्न विद्यालयके प्रधानाध्यापक, शिक्षक, अभिभावक तथा विद्यार्थीके सहभागिता रहल रहे ।

दोसरका अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलके काम बढल अगाडि
बाराके निजगढमे बनेबाला दुसरका अन्तर्राष्टि विमानस्थलके काम अगाडि बढल हए । विमानस्थलके वातावरणीय प्रभाव मूल्यांकन प्रतिवेदन स्वीकृत भेल हए ।   वन तथा वातावरण मन्त्रालय वातावरण मूल्यांकन स्वीकृत कएले हए । संस्कृति तथा पर्यटन आ नागरिक उडयन मन्त्रालयके सहसचिव बुद्धिसागर लामिछानेके मोताबिक विमानस्थलके निर्माणके लेल मोडलके विषय अभी बाँकी रहल हए । एकरा विषयमे भी बहुत जल्दी निर्णय होएके जनाबलगेल हए । वातावरणीय मूल्यांकन होएलाके बाद विमानस्थलके निर्माणके काम अगाडि बढेके सम्भावना बढल हए ।

माओवादीके पूर्व लडाकूमे बढल हए असन्तुष्टि

नेकपा एमाले आ नेकपा माओवादीबीच पार्टी एकीकरण होएलाके बाद माओवादीके पूर्व लडाकुमे कुछ असन्तुष्टि देखलगेल हए । जनयुद्धकालमे पार्टीके योगदान पुगएले नेतालोग एकीकृत पार्टीके केन्द्रीय सदस्यमे नपरालके बाद कुछ नेता कार्याकर्तामे असन्तुष्टि देखलगेल हए । एकताके बाद केन्द्रीय सदस्य छनौट प्रति असन्तुष्टि जनबइत एवं अपन आक्रोश भी अभिव्यक्त करइत सामाजिक संजालमे पोस्ट भी कएले हए । जनयुद्ध कालमे प्रदेश नम्बर १ मे पार्टीके जिम्मेवारी सम्हारले मुक्साहांग मेन्यांगबो, डम्बर सुवेदी, श्रीप्रसाद जगेबु लगायतके पुराना नेता तथा कार्यकर्ता केन्द्रीय सदस्यमे नसमेटलगेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें