सोमवार, 18 जून 2018

हत्याराके कारबाहीके माग करइत पुलिस स्कुलके विद्यार्थी निकालले हए रैली
नेपाल पुलिस स्कुल गरुडाके विद्यार्थी सब सोमवार रैली प्रदर्शन कएले हए । स्कुलके कक्षा ४ मे अध्ययनरत विद्यार्थी सन्नीदेवल कहाएबाला युवराज साहके हत्या होएलाके बाद अपना साथीके हत्याराके कारबाहीके माग करइत सैकडो विद्यार्थी गरुडा नगर परिक्रमा कएले हए । विद्यार्थी सब हत्याराके कारबाहीके मागके साथे बालबालिकाके सुरक्षा आ शान्तिके माग भी कएले हए । रैलीमे मृतक बालकके परिवारके विभिन्न सदस्य, विद्यालय परिवार लगायतके सहभागिता रहल रहे ।



मौलापुरके पर्यटकीय आ समृद्ध नगर बनाबेके घोषणा कएले छत मेयर रिनाकुमारी साह
रौतहटके मौलापुर नगरपालिकाके मेयर रिनाकुमारी साह अपना नगरपालिकाके पर्यटकीय आ समृद्ध नगरपालिका बनाबेके घोषणा कएले छत ।  मौलापुर नगरपालिकाके पतौरामे उत्खनन होरहल शिव मन्दिरके स्थलगत निरीक्षण करइत नगरपालिकाके भित्तर रहल सांस्कृतिक आ पर्यटकीय क्षेत्रके संरक्षण करइत प्रचार प्रसार करेके आ देश विदेशके पर्यटक मौलापुरमे आबेके वातावरण बनाबेके निरन्तर काम करेके बतएले छत । उत्खननके नेतृत्व कररहल नेपालके वरिष्ठ पुरातत्वविद तारानन्द मिश्र पतौराके उत्खनन होरहल मन्दिरसे कर्णाटवंशीय राजाके शासनकालके रहल प्रारम्भिक संकेत मिलल बतएले छत । अभीतकके अध्ययनके मोताबिक मन्दिरके संरचना ११से १३ शताब्दीके बीचके होसकइअ । मौलापुरमे मिलल पुरातात्विक महत्वके ऐतिहासिक संरचनाके संरक्षण कके रखनाइ उचित होएके पुरातत्व अधिकृत सुशील कुमार गौतम बतएले छत । उत्खनन होरहल जगहपर विभिन्न किसिमके अवशेष प्राप्त होरहलासे शिव मन्दिर परिसरके स्थानीयबासी बचाके रखनाइ बहुत महत्वपूर्ण रहल उत्खननमे संलग्न इन्जिनियर रोशनी महर्जनके कहनाम हए । कलाकार विजय यादव निर्बिजके स्थानीय संयोजनमे रहल उत्खनन टोलीके फोटोग्राफर राजकुमार बन्जाराके मोताबिक ऐतिहासिक दृष्टिसे संरचना बहुत महत्वपूर्ण रहलासे एकर प्रचार प्रसारमे सामूहिक प्रयास होनाइ जरुरी रहल स्पष्ट कएले छत । 
रौतहट आ सर्लाहीके दूजने आदमी गाँजासहित सर्लाहीसे परल हए पक्राउ
रौतहटके एकजने सर्लाहीमे गाँजासहित पक्राउ परल हए । सर्लाहीके एकजनेके साथे ही रौतहटके आदमी भी पक्राउ परल हए । रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर १ के रहनिहार ४८ बरिसके सागर लामा आ सर्लाही जिलाके बागमती नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के ६५ बरिसके प्रेम लामा लागू औषध गाँजासहित पक्राउ परल हए । बागमती नगरपालिका वार्ड नम्बर १२ मे रहल बागमती नदीके तटबन्धपर दुनुजने सबार ना ५१ प ९४२० आ ना ५१ प ९२०५ नम्बरके मोटरसाइकिलके चेकजाँच कएलापर करिब तीस किलो गाँजा बरामद भेल हए । घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान होरहल प्रहरी जनएले हए ।
किसानके रकम नदेबेबाला चिनी मिलके विरोधमे सरकार उठारहल हए कडा कदम
किसानसे उँख किनके उखके मूल्य किसानके नदेबेबाला चिनी मिलउपर सरकार कडा रुख अपनारहल हए । उखके मूल्य नदेबेबाला चिनी उद्योगके कारबाही करेके लेल सरकार तैयारी कररहल हए । मधेसके विभिन्न जिलामे रहल चिनी मिल जे किसानके उखके मूल्य भुक्तानी नकरेबाला जिलाके प्रमुख जिला अधिकारीके बोलाके तत्काल छलफल करइत रकम भुक्तानी करेके व्यवस्था मिलाबेके निर्णय भी सरकार कएले हए । चिनी मिलके उद्योगी लोग तत्काल कृषकके उखके रकम भुक्तानी देबेला नमानलापर कानुन बमोजिम कारबाही करेके विषयमे सात दिनके भित्तर गृह मन्त्रालयमे सिफारिश करेला प्रमुख जिला अधिकारी लोगके निर्देशन देलगेल गृह मन्त्रीके सचिवालय जनएले विभिन्न संचार माध्यमपर खबर आएल हए । अइसही मापदन्ड विपरीत चलरहल क्रसर उद्योगके भी कारबाही करेके विषयमे सरकार तैयारी कररहल खबर आएल हए ।
परोसीके पिटाइसे पर्सामे एकजने वृद्धके भेल हए मृत्यु
पर्सा जिलामे परोसीके पिटाइसे एकजने वृद्धके मृत्यु भेल हए । पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर २१ ताजपुरमे परोसीके पिटाइसे एकजनेके ज्येष्ठ नागरिकके मृत्यु भेल हए । बितल जेठ २४ गते ४६ बरिसके धुपलाल महतो, ओकर बेटा अजय महतो आ विजय महतो मिलके परोसी ६८ बरिसके जगन्नाथ महतोके पिटले रहे । पिटाइसे गम्भीर घाएल भेल महतोके इलाज वीरगंज हेल्थ केयर अस्पतालमे चलइत रहे । जमिनके विषयके लेके भेल विवादके क्रममे दुनु परोसीमे मारपिट भेल रहे । ज्येष्ठ नागरिक महतोके इलाजक क्रममे अस्पतालमे ही मृत्यु भेल हए । मारामारी करेबाला परोसी फरार होगेल हए । फरार तिनुजनेके खोजी करइत घटनाके सम्बन्धमे आवश्यक अनुसन्धान चलरहल प्रहरीके कहनाम रहल हए ।

पर्साके एकजने चोरीके आरोपमे काठमान्डुमे परल हए पक्राउ
पर्साके एकजने चोरीके आरोपमे काठमान्डुमे पक्राउ परल हए । काठमान्डु महानगरपालिका वार्ड नम्बर ७ चावहिल चुच्चेपाटी भाटभटेनीमे रहल गोल्छा अर्गनाइजेसनसे संचालित हिम इलेक्ट्रोनिक्स सामसुँग मोबाइल दोकानसे विभिन्न मोडलके मोबाइल ८३ थान आ नगद समेत कके २८ लाख १८ हजार ९ सय २० रुप्सैया बराबरके चोरी करेके काममे संलग्न रहल दूजने पक्राउ परल हए । पक्राउ परेबालामे पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर ७ घर होके रक्सौलमे रहइत आएल ३६ बरिसके जितेन्द्र रौनियार आ रामेछाप जिलाके खाँडदेवी गाँओपालिका वार्ड नम्बर घर होके टोखा नगरपालिका वार्ड म्बर ५ बसुन्धरमे रहइत आएल ३३ बरिसके जयराम श्रेष्ठ रहल हए । महानगरीय अपराध महाशाखासे खटल पुलिसके टोली दुनुजनेके चोरी कके लेगेल विभिन्न मोडलके २८ थान मोबाइल सहित काठमान्डु उपत्यकाके विभिन्न स्थानसे पक्राउ कके चोरी मुदामे आवश्यक कानुनी कारबाहीके लेल सोमवार महानगरीय प्रहरी वृत्त गौशालामे पेठाएलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें