प्रदेश
२ के मानव विकास सूचकांक रहल हए बहुत कम
मधेस
प्रदेशके मानवीय सूचकांक लगायत सभी सूचक बहुत कमजोर रहल देखलगेल हए । राष्ट्र बैंक
प्रकाशित कएले गरिबी तथा मानव विकास सूचकांकमे प्रदेश २ बहुत कमजोर रहल देखलगेल हए
। प्रदेश २ अपना परोसी प्रदेश १ आ ३से गरिबीके सभी सूचकांकमे बहुत कमजोर रहल तथ्यांकमे
देखलगेल हए । प्रदेश १ मे बहुआयामिक गरिबीके दर १९.७ प्रतिशत आ प्रदेश ३ मे बहुआयामिक
गरिबीके दर प्रतिशत १२.२ रहल हए जबकि प्रदेश २ मे बहुआयामिक गरिबीके दर प्रतिशत ४७.९
रहल हए । अइसही गरिबीके दर प्रदेश १ मे १६ प्रतिशत आ प्रदेश ३ मे १५.३ प्रतिशत रहल
हए जबकि प्रदेश २ मे गरिबीके दर २७.७ प्रतिशत रहल हए । अइसही गरिबीके विषमता प्रदेश
१ मे ३.६ प्रतिशत आ प्रदेश ३ मे ४.८ प्रतिशत रहल हए जबकि प्रदेश २ मे गरिबीके विषमता
७.१ प्रतिशत रहल हए । अइसही गरिबीके गहनता
प्रदेश १ मे १.१ प्रतिशत आ प्रदेश ३ मे १.६ प्रतिशत रहल हए जबकि प्रदेश २ मे गरिबीके
गहनता २.४ प्रतिशत रहल देखलगेल हए । अइसही मानव विकास सूचकांकमे प्रदेश १ के सूचक ०.५०४
आ प्रदेश ३ के सूचकांक ०.५४३ रहल हए जबकि प्रदेश २ के मानव विकास सूचकांक ०.४२१ रहल
हए । एतने न गरिबके संख्याके दृष्टिकोणसे भी प्रदेश २ गरिब लोगके प्रदेश रहल तथ्यांकसे
देखलगेल हए । प्रदेश १ मे ७ लाख १८ हजार ३६२
गरिबके संख्या रहल हए अइसही प्रदेश ३ मे गरिबके संख्या ८ लाख ३४ हजार ७९७ रहल हए जबकि
प्रदेश २ मे १४ लाख ८३ हजार ८८४ गरिब रहल हए । प्रदेश २ सभी ओरसे सभी किसिमसे गरिब
रहल देखलगेल हए । देशके सभी प्रदेशके औसत देखलापर प्रदेश २ औसतसे भी गरिब रहल हए ।
मानव विकासके सभी सूचकमे प्रदेश २ बहुत कमजोर रहल देखलगेल हए ।
पतौराके
उत्खनन बहुत महत्वपूर्ण साबित होएके बनल हए सम्भावना
रौतहटके
मौलापुर नगरपालिकाके पतौरामे रहल शिव मन्दिरके उत्खनन होरहल हए । देशके विशिष्ट पुरातत्वविद तारानन्द मिश्रके नेतृत्वमे
चारजनेके टोली कररहल उत्खननसे महत्वपूर्ण उपलब्धि हासिल होएके सम्भावना बढल हए । उत्खननसे
देखलगेल संरचना आ इँटालगायतके वस्तुसे मन्दिर कर्णाटकालीन होसकेके सम्भावना बढल हए
। बंगालके कर्णाटवंशी नान्यदेव स्थापना कएले डोय राज्यके तिरहुत भी कहल जाए । डोय राज्यके
राजधानी सिमराँव रहे जेकरा कालान्तरमे सिम्रौनगढ कहलगेल । सन् १०९७ मे नान्यदेव सिम्रौनगढ
राजधानी बनाके राज्य सुरु कएले रहे । नान्यदेवके दुगो बेटा रहे मल्लदेव आ गंगदेव ।
मल्लदेव चिकौरके राजा बनलक आ गंगदेव सिम्रौनगढके । गंगदेव अत्यन्त शक्तिशाली राजा बनल
। गंगदेवके बादमे हरिसिंहदेव राजा बनल रहे । सम्भवतः उहे हरिसिंहदेवके समयमे ही मुस्लिमद्वारा
आक्रमण भेल रहे । ओही आक्रमणके सिकार मन्दिर भेल अनुमान रहल हए । पतौराके मन्दिरके
उत्खननके बादमे एकर वास्तविकता पत्ता चलेके उत्खननमे प्रत्यक्ष संलग्न विजय यादव निर्बिज
जानकारी करएले छत ।
जिला
प्रहरी कार्यालय लाखोके सामान कएले हए बरामद
जिला
प्रहरी कार्यालय रौतहट बितल एक हप्तामे लाखोके सामान बरामद कएले हए । बितल जेठ २५ गतेसे
एने भन्सार चोरी पैठारी कके लेआएल लत्ताकपडा करिब एक लाख बेरानमे हजार नौ सय बीस रुपैयाके
बरामद करइत भन्सार चलान कएले हए । अइसही इलेक्ट्रोनिक्स सामान करिब चौदह हजार आठ सय
बीस रुपैयाके बरामद कएले हए । अइसही सात हजार बीस रुपैयाके मदिराजन्य पदार्थ बरामद
कएले हए । अइसही छेआलिस हजार साठ रुपैयाके
विविध सामान भी बरामद करइत रौतहट पुलिस भन्सार चलान कएले हए । एही अवधिमे दुगो दारु
भठीके नष्ट करइत करिब हजार लिटर अवैध मदिरा भी बरामद कके नष्ट कएले हए । फरार प्रतिवादी
भी एकजने पक्राउ परल हए । अइसही मोटरसाइकिल चोरीमे संलग्न रहल तीन जनेके भी पुलिस पक्राउ
कएले हए । अइसही काठ चोरी पैठारीमे एक सय एकावन क्यु फिटसे बेसी बरामद कएले हए । अइसही
एगो चोरीके बोलेरो गाडी पक्राउ कके रौतहट पुलिस अनुसन्धान कररहल हए । अइसही चोरीके
चारगो मोटरसाइकिल नियन्त्रणमे लेके भन्सार बुझाबेके प्रक्रियामे रहल हए ।
बाराके
सिम्र्र्रौनगढमे निशुल्क आयुर्वेद शिविर भेल हए सम्पन्न
बाराके
सिम्रौनगढमे निशुल्क आयुर्वेद शिविर सम्पन्न भेल हए । बाराके सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड
नम्बर ९ बसबरियामे एक दिवसीय निशुल्क आयुर्वेद स्वास्थ्य शिविर सम्पन्न भेल हए । बरबरियामे
रहल नेपाल राष्ट्रिय निम्न माध्यमिक विद्यालयके प्रांगणमे भेल शिविरमे तीन सय जनेके
स्वास्थ्य परीक्षण कएलगेल हए । साथमे आवश्यक दबाइ भी प्रदान कएलगेल हए । नगरपालिका
कार्यालयद्वारा आयोजित शिविरमे वीरगंज, कलैया आ सिम्रौनगढके दशजने चिकित्सक स्वास्थ्य
परीक्षण कएले रहलन । शिविरमे मेयर विजय शंकर यादव, उपमेयर रीमादेवी यादव, प्रमुख प्रशासकीय
अधिकृत दुर्गानाथ शर्मा, डा. सहदेव पँडित, राजेन्द्र साह, अशोक कुमार झालगायतके लोगके
उपस्थिति रहल रहे ।
एसइइ
परीक्षाके रिजल्ट आरहल हए १० गतेके भित्तर
चैतमे
सम्पन्न एसइई परीक्षाके रिजल्टके तैयारी होरहल हए । इहे असार महिनाके दश गतेके भित्तरमे
एसइइ परीक्षाके रिजल्ट आबेके सम्भावना रहल
हए । परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डसे आएल जानकारीके मोताबिक
बितल चैत महिनामे सम्पन्न भेल एसइइ परीक्षाके रिजल्ट इहे असार १० गतेके भित्तरमे आरहल
हए । एसइइ परीक्षा देके बैठल सम्पूर्ण परीक्षार्थी रिजल्टके प्रतीक्षा कररहल हए । दश
गतेके भित्तर आबेबाला रिजल्टके शिक्षासे जुटल सभी क्षेत्र आ व्यक्ति भी प्रतीक्षा कररहल
हए । अभी भी एसइई परीक्षाके महत्व बहुत जादा रहल सर्वसाधारण लोग भी कररहल प्रतीक्षासे
मालुम होरहल हए ।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें