शनिवार, 16 जून 2018

मुस्लिम समुदाय हर्षोल्लासपूर्वक मनारहल हए ईद
रौतहटके मुस्लिम समुदाय हर्षोल्लासपूर्वक ईद मनारहल हए । एक महिनाके कठिन रोजाके बाद शनिवार मुस्लिम समुदाय ईद मानरहल हए । एतबारके दिन भी ईद मनाबल जारहल हए । ईदके अवसरपर प्रदेश सरकार एतबारके दिन सार्वजनिक छुटी देले हए । जनसंख्याके दृष्टिसे सबसे बेसी मुस्लिम समुदाय रहल रौतहटमे ईद शान्तिपूर्ण किसिमसे मनाबल जारहल हए । मुस्लिम समुदायके ईदपर हिन्दू समुदाय भी हर्ष प्रकट करइत पबनीके बधाई देले हए । निर्वाचित जनप्रतिनिधिलोग भी मुस्लिम समुदायके ईद पर्वके बधाई तथा शुभकामना देले हए । एकीबीच संघीय संसदके सदस्य एवं राजपा नेपालके अध्यक्ष मन्डलके सदस्य अनिल कुमार झा एगो विज्ञप्ति निकालके मुस्लिम धर्मावलम्बीके महान पर्व ईदके शुभकामना व्यक्त कएले छत ।

मेयर यादवके पुत्रके मृत्युपर फोरमके प्रदेश समिति कएले हए श्रद्धान्जलि
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादवके जेठ पुत्र सुनिल कुमार यादवके असामयिक दुखद मृत्यु होएलापर संघीय समाजवादी फोरम नेपालके मधेस प्रदेश समितिके ओरसे श्रद्धान्जलि व्यक्त कएलगेल हए । शनिवार बैठल प्रदेश समितिके बैठकसे मृतक यादवके परिवारजनप्रति समवेदना भी व्यक्त कएलगेल हए । प्रदेश समितिके नाम तराई मधेस प्रदेश समितिसे बदलके मधेस प्रदेश समिति भी कएलगेल बैठकमे सहभागी फोरम नेपालके मधेस प्रदेश सदस्य वृजकिशोर प्रसाद यादव जानकारी करएले छत ।

शिक्षक विज्ञापन होएलासे युवा समुदायमे बढल उत्साह
एक साथ प्राथमिक, निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके शिक्षक पदके लेल स्थायी विज्ञापन होएलाके बाद शिक्षक बनेके रास्ता देखरहल युवा समुदायमे उत्साह बढल हए । आइएड, बिएड आ एमएड कके शिक्षक लाइसेन्स भी प्राप्त करचुकल हजारो युवकमे विज्ञापनसे उत्साह बढल हए । शिक्षक बनेके सपना देखरहल युवा समुदाय विज्ञापन प्रकाशित होइतेमे शिक्षकके परीक्षाके तैयारी कररहल हए । शिक्षक सेवा आयोगके तैयारीके लेल निकलल पुराना किताबके अध्ययन सुरु करदेले हए । अइसही पहिले प्राविमे नाम निकालले शिक्षक अपन शैक्षिक योग्यता एवं लाइसेन्सके मोताबिक निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके शिक्षकके तैयारी भी करेके सुरुआत कएले हए । रौतहटमे भी शिक्षक अध्यापन अनुमतिपत्र (लाइसेन्स) प्राप्त करचुकल सयकडो युवा समुदाय शिक्षक सेवा आयोगके तैयारी सुरु कएले हए । विज्ञापन अनुसार आगामी आसिन ११ गते माध्यमिक, १२ गते निम्न माध्यमिक तथा १३ गते प्राथमिक तहके शिक्षकके परीक्षा होएबाला भेल हए ।

रौतहटके पिपरामे युवा नेता शम्भु साह क्रिकेटके कएले छत उदघाटन
रौतहटके दुर्गा भगवती गाँओपालिकामे क्रिकेटके उदघाटन कएलगेल हए । एक समारोहबीच नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (नेकपा)के युवा नेता शम्भु साह मारुती चैलेन्जर जिलास्तरीय टी–ट्वेन्टी नकाउट क्रिकेट प्रतियोगिताके उदघाटन कएले छत । मारुति चैलेन्जर क्लबद्वारा आयोजित प्रतियोगिताके प्रमुख अतिथि शाह आ दुर्गा भगवती गाँओपालिकाके प्रमुख अरुण साह बैटिङ आ बलिङ करइत खेलके सुरुआत कएले छत । युवा नेता साह प्रतियोगिताके उदघाटन रिबन काटके कएले छत । भलोहियामे आयोजित प्रतियोगितामे स्थानीय निर्वाचित जनप्रतिनिधि, भद्रभलादमी, क्रिकेटप्रेमी युवा समदायके भव्य उपस्थिति रहल रहे ।

जुद्ध मावि गौरके प्रधान शिक्षकके जिम्मेवारी सम्हारले छत चन्देश्वर राउत

रौतहटके सबसे पुरान स्कुलके रुपमे रहल गौरके जुद्ध माध्यमिक विद्यालयके प्रधान शिक्षकके जिम्मेवारी चन्देश्वर राउत सम्हारले छत । प्रधान शिक्षक वैद्यनाथ प्रसाद साह उमरके हिसाबसे सेवा निवृत्त होएलाके बाद विद्यालयमे कार्यरत शिक्षकमे वरिष्ठ होएलाके नातासे शिक्षक राउत प्रधान शिक्षकके जिम्मेवारी सम्हारले छत । साहित्य, संगीत, लेखन तथा अन्य क्षेत्रमे भी विशेष रुचि रहल शिक्षक राउत गौरके महादेवपटीके स्थायी बासिन्दा छत । देशके ही चौथका पुरान विद्यालयके गर्व प्राप्त जुद्ध मावि गौर राणा शासन कालके समयमे ही स्थापित हए । प्रधानमन्त्री माधव कुमार नेपाल लगायतके लोग भी पढले जुद्ध माध्यमिक विद्यालय गौरके गर्वके आउरो वृद्धि करेके प्रतिक्रिया नव प्रधान शिक्षक राउत देले छत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें