शुक्रवार, 15 जून 2018

आकाशसे भेल वर्षामे देखलगेल कादोके मात्रा, स्थानीय भेल अचम्मित
आकाशसे वर्षा होएलापर कादो भी आबले कहलापर कौनोके जल्दी पत्यार नहोई लेकिन बिफेके रातमे आ शुक्रबार सँझियापहर भेल वर्षामे कादोके मात्रा देखलगेल हए । हल्का फुहीफाही परलाके बाद कपडापर कादोके दाग देखलगेल हए । आकाशसे गिरल बुनीके मोबाइलके स्क्रिनपर लोकके देखलापर माटीके दाग लागल देखलगेल गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ के मनोज कुमार सहनी बतएले छत । गौरसे गरुडा आबेके क्रममे पत्रकार राजेश्वर पाण्डेके चस्मा आ देहपर भी आकाशके बुन्दके साथे कादो देखलगेल हए । गरुडाके बहुत लोग अपना मोटरसाइकिलपर पानीके साथे कादो बरसल देखले हए । वायुमन्डलमे अत्यधिक धुरागरदासे प्रदूषणके मात्रा बढलाके कारण अइसन समस्या होएके अनुमान कएलगेल हए । दू तीन बेर निमनसे वर्षा नहोएलातक अइसन समस्या होसकेके अनुमान हए ।

जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट संचालन करेबाला भेल हए जनचेतना कार्यक्रम
जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनचेतना कार्यक्रम संचालन करेबाला भेल हए । गृह प्रशासन सुधार कार्य योजना २०७४ अन्तरगत टोलाटोलामे प्रहरी अभियान कार्यक्रम संचालन करेके सिलसिलामे गौर नगरपालिकाके प्रत्येक वार्डके तीन तीनगो टोलामे विभाजन कके जनचेतना कार्यक्रम संचालन करेबाला भेल हए ।  प्रहरीके ओरसे सडक तथा ट्राफिक नियम, स्कुल सम्पर्क कार्यालय, धुम्रपान मद्यपान विरुद्धमे जनचेतना कार्यक्रम संचालन करेबाला भेल हए । असार ८ से १० गतेतक गौर नगरपालिकाके सभी वार्डके सभी टोलामे जनचेतनामूलक कार्यक्रम संचालन होएके जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

बालक हत्या आरोपमे प्रहरी आ शिक्षक भी तनाएल हए अनुसन्धानमे
गत शनिवार रातमे रौतहटके कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ९ डुमरियासे अपहरण कके आइतवार रातमे हत्या कके १२ वर्षीय बालक सन्नी देवल कहाएबाला युवराज साहके हत्याके आरोपमे एकजने प्रहरी आ एकजने शिक्षक भी अनुसन्धानमे तनाएल हए । घटनाके अनुसन्धानके क्रममे प्रहरी नियन्त्रणमे रहल कटहरिया ९ के वडाध्यक्षके भाइ होसनारायण यादव नेपाल प्रहरीमे कार्यरत छत । बालक अपहरण भेल दिन शनिवार दुपहरियामे बारा जिलाके मुसहरनिया प्रहरी चौकीमे डिउटीमे लौटल प्रहरी यादवउपर भी पीडित किटानी जाहेरी देले हए । जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रहरी प्रवक्ता डिएसपि रामकुमार दानी जिला प्रहरी कार्यालय बाराके प्रहरी जवान यादवके रौतहटमे हाजिर कराबेके लेल पत्राचार कएलगेल बतएले छत । जिला प्रहरी कार्यालय बाराके प्रहरी प्रमुख एसपि मीरा चौधरी जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटमे प्रहरी जवान यादवके हाजिर कराबेला पत्र आएल स्वीकारइत निजके हाजिर कराबेके विषयपर अपन उपर जानकारी कराएलगेल जानकारी करएले छत । पीडितके काका ओमप्रकाश साह देले जानकारी अनुसार बालक अपहरण होएल दिन पाँच क्वीन्टल बासमती आ एक क्वीन्टल दाल प्रहरी यादव भोज खिआबेला अपनेसे लेगेल बतएले छत । यादवके घरमे गाई मरलासे संस्कृतिअनुसार कर्म कके जातके भोज खिआबेके  चलनअनुसार दाल आ चामल लेगेल बतबइत ओमप्रकाश साह अपहरणके योजनामे प्रहरी यादव भी संलग्न होसकेके होएलासे अनुसन्धान करनाइ जरुरी रहल बतएले छत । हत्या कएलगेल बालकके अपहरणमे प्रयोग कएलगेल हतियार आ गोली कहाँसे बरामद भेल रहल विषयपर गहन अनुसन्धान सुरु कएले हए । बालक हत्याके आरोपमे पक्राउ परल शक्ति यादव हत्यामे प्रयोग कएलगेल हथियार वृन्दावन नगरपालिकाके मावि बरगजवाके शिक्षक कृष्ण यादवसे किनले बयान देले आधारपर शिक्षक यादवके भी अनुसन्धानके क्रममे प्रहरी नियन्त्रणमे लेले हए । शिक्षक यादवके नियन्त्रणमे लेके प्रहरी अनुसन्धान कररहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रवक्ता डिएसपि रामकुमार दानी बतएले छत । शिक्षक यादवउपर अनुसन्धानके लेल जिला अदालत रौतहट म्याद थप कएले नागरिक दैनिकके पत्रकार मदन ठाकुर खबर प्रकाशित कएले हए ।

निमावि आ माविके लेल भी खुलल हए शिक्षकके विज्ञापन
शिक्षक सेवा आयोगसे निम्न माध्यमिक तह आ माध्यमिक तहके लेल भी खुला विज्ञापन प्रकाशित भेल हए । स्थायी शिक्षक पदके लेल निमावि आ मावि तहके लेल शुक्रबार विज्ञापन कएलगेल हए । निमावि आ माविके विज्ञापन क्षेत्रके किसिमसे कएलगेल हए । हरेक विषयके अलग अलग विज्ञापन होएलासे हरेक क्षेत्रमे सिटके संख्या बँटाएल हए । माध्यमिक आ निम्न माध्यमिक तहके विज्ञापनमे मध्यमांचल विकास क्षेत्रमे भी पर्याप्त सिट देखलगेल हए । असार ३१ गतेतक इच्छुक योग्य उमेदवारलोग परीषामे सहभागिताके लेल दरखास्त देसकेके कहलगेल हए । परीक्षा आगामी आसिन १२ गते शुक्रबार होएके सूचनामे कहलगेल हए । निम्न माध्यमिक तहके लेल प्रमाणपत्र तह आ माध्यमिक तहके लेल स्नातक योग्यता तोकलगेल हए । सम्बन्धित विषयमे स्नातक होके लाइसेन्स लेले उमेदवार होसकेके विज्ञापनमे उलेख कएलगेल हए । 


शिक्षक सेवा आयोगके खुललासे युवावर्गमे बढल हए उत्साह
शिक्षा सेवा आयोगद्वारा प्राथमिक शिक्षक पदके लेल खुला विज्ञापन कएलगेलासे सर्वसाधारण युवामे उत्साह देखलगेल हए । शिक्षक सेवा आयोगसे विज्ञापन खुललाके बाद शिक्षक लाइसेन्स लेके बेरोजगार रहल चाहे कम रकममे बोर्डिङमे पढारहल युवा समुदायमे उत्साह देखलगेल हए । शिक्षक सेवाप्रति अपनाके समर्पित करेबाला लोगके लेल सुवर्ण अवसरके रुपमे अमकीबेरके विज्ञापनके मानलगेल हए । अस्थायी शिक्षकके लेल भी विज्ञापन खुले जारहल हए ।

प्रत्येक निर्वाचन क्षेत्रमे विकासके लेल प्रदेश सरकार देले हए पचास लाख रुपैया
प्रदेस सरकार प्रत्येक निर्वाचन क्षेत्रमे पचास लाख रुपैया विनियोजन कएले हए । शुक्रबार प्रदेश सभामे जारी भेल आर्थिक वर्ष २०७५।७६के बजेटमे प्रतेक निर्वाचन क्षेत्रमे पचास लाख रुपैया विनियोजन कएलगेल हए । प्रदेश सभामे आर्थिक मामिला तथा योजनामन्त्री विजय यादवद्वारा पेश कएलगेल बजेटमे सांसदके योजनामे खर्च करेला प्रत्येक निर्वाचन क्षेत्रमे पचास लाख रुपैया विनियोजन कएले छत । प्रदेश सरकार सडक निर्माणके १ अवै २६ करोड, हर खेतमे पानी आ हर हाथमे काम योजनाके लेल ५२ करोड, मुख्यमन्त्री स्वच्छता अभियानमे २१ करोड, मुख्यमन्त्री बेटी पढाउ योजनाके लेल २० करोड रुपैया बजेट विनियोजन कएलगेल हए । ओइसही मुख्यमन्त्री राहत आ पुनस्थापना कोषमे १५ करोड विनियोजन कएलगेल हए । निशुल्क दलित शिक्षा आ छात्राबास निर्माणके लेल ८ जिलामे ८ करोड, खिलेगा मधेस खेलेगा मधेस नारासहित सुरुआत भेल कार्यक्रममार्फत युवा खेलकुद विकासमे ९ करोड ७४ लाख आ युवाके कृषिमे आकर्षित करेला १६ करोड रुपैया बजेट विनियोजन कएलगेल हए । प्रदेश सरकार पहिलबेर विनियोजन कएले कार्यक्रमके चारुओरसे प्रशंसा होरहल हए । 

बारामे आगलगीसे करिब दू लाखके भेल हए क्षति
बारा जिलामे आगलगीके करिब दू लाख रुपैया बराबरके क्षति भेल हए । बारा जिलाके आदर्श कोतवाल गाँओपालिका वार्ड नम्बर ४ हर्नैया टोलाके रहनिहार सिताराम ठाकुर लोहारके घारीमे आग लगलासे करिब दू लाख रुपैयाके क्षति पहुँचल हए । आगलगीसे दू लाख रुपैया बराबरके धनमाल जरके नष्ट भेल प्रहरी स्रोतसे खबर प्राप्त भेल हए ।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें