गुरुवार, 14 जून 2018

गरुडाके मेयर यादवके ज्येष्ठ सुपुत्रके हृदयाघातके कारण भेल हए असामयिक देहावसान
गरुडा नगरपालिकाके नगर प्रमुख इन्नु राय यादवके ज्येष्ठ सुपुत्र सुनिल कुमार यादवके हृदयाघातके कारण अल्पायुमे ही दुखद देहावसान भेल हए । गरुडा चौकपर आएमइके कारोबार करते आरहल करिब पैतीस बरिसके इमानदार एवं लगनशील युवक सुनिल कुमार यादवके बुधवार रातमे हृदयाघातके कारण मृत्यु होएके खबर हए । बुधवार रातके करिब दश बजे ही हल्का पेट दर्द कएले आ इलाज भी भेल लेकिन बितइत रातके साथे फेर पेटमे दर्द भेल पारिवारिक स्रोतके कहनाम हए । इलाजके लेल अपनेसे ही गाडीमे बइठल युवक यादव छातीमे जोरसे दर्द भेल बतएले रहलन । रातके करिब दू बजे असह्य दर्द होएलापर इलाजके लेल गरुडा चौकपर लेआबलगेल लेकिन अवस्था नाजुक होएलासे तुरन्त रेफर कएलगेल रहे । यादवके चन्द्रनिगाहपुर अस्पतालमे इलाजके लेल लेगेलाके बाद उहाँके चिकित्सक मृत घोषित कएले रहे । सुनिल कुमार यादव जइसन होनहार युवकके देहावसान होएल खबर सुनके सुरुमे कौनोके पत्यार नलागल रहे । युवक यादवके अन्तिम दर्शनके लेल हजारो लोग दुरापर पुगल रहे । रौतहटके विभिन्न क्षेत्रके वरिष्ठ लोग मृतक यादवप्रति श्रद्धान्जलि अर्पण कएले हए । मृतक यादवके अन्तिम संस्कार सम्पन्न भेल हए ।

युवक यादवके देहावसानसे गरुडा पुरा बनल हए शोकाकुल
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादवके ज्येष्ठ सुपुत्र सुनिल कुमार यादवके असामयिक दुखद देहावसानसे पूरा गरुडा शोकाकुल बनल हए । बिफेके दिन सबेरे होइत इँजोतके साथे गरुडामे शोकके लहर पूरा फैलल रहे । गरुडाके करिब अधिकांश सामुदायिक विद्यालय स्वतःस्फूर्त बन्द होगेल रहे । अधिकांश सामुदायिक विद्यालयमे सबेरे विद्यार्थीके उपस्थिति न्युन रहल आ शिक्षकके भी उपस्थिति कम होएलाके साथे अधिकांश विद्यालयमे शोक मनाके विद्यालय बन्द भेल रहे । कुछ संस्थागत विद्यालय भी शोकमे बन्द रहल देखलगेल हए । अइसही मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडा भी शोक मनाके पठनपाठन बन्द कएलगेल रहे । सबेरेसे गरुडा चौकपर यादवके असामयिक देहावसानके चर्चा ही चलइत रहे । कुछ दोकान भी बन्द रहल देखलगेल । शोकके असर गरुडाके बेपार भी परल देखलगेल हए ।

माधवनारायण नगरस्तरीय हाजिरजबाब प्रतियोगिता भेल सम्पन्न
रौतहटके माधव नारायण नगरपालिकामे नगरस्तरीय हाजिरजबाफ प्रतियोगिता सम्पन्न भेल हए । नगरस्तरीय अतिरिक्त क्रियाकलाप अन्तरगत माध्यमिक विद्यालयस्तरीय हाजिरजबाब प्रतियोगिता मावि माधोपुरमे सम्पन्न भेल हए । नगरके शिक्षा संयोजक स्रोत व्यक्ति वीरेन्द्र प्रसाद साहके अध्यक्षता तथा उपमेयर श्रीमती सिमन साहके प्रमुख आतिथ्य आ नगरके निमित्त कार्यकारी प्रमुख प्रलभ कायस्थके विशिष्ट आतिथ्यमे भेल कार्यक्रममे मावि माधोपुर प्रथम, देवी मावि सखुअवा द्वितीय, सरस्वती मावि खेसरहिया तृतीय आ राधाकृष्ण मावि शान्त्वना पुरस्कार प्राप्त कएले रहे । पुरस्कृत चारो माविके प्रमाणपत्र आ मेडल प्रदान कएलगेल नगरके शिक्षा संयोजक वीरेन्द्र प्रसाद साह जानकारी करएले छत ।

माधवनारायण नगरपालिकाके विद्यार्थीके प्रदान कएलगेल होमवर्क डायरी
रौतहटके माधवनारायण नगरपालिकाके विद्यार्थीके होमवर्क डायरी प्रदान कएलगेल हए । माधव नारायण नगरपालिका अन्तर्गतके विद्यालयमे अध्ययनरत कक्षा ४ से १० के सम्पूर्ण छात्राके विद्यार्थीके होमवर्क डायरी प्रदान कएलगेल हए । अइसह िप्रत्येक कक्षामे दुगोके दरसे विद्यार्थी लगबुक डायरी भी प्रदान कएलगेल हए । साथमे नगरके सम्पूर्ण शिक्षकके शिक्षक डायरी प्रदान कएलगेल हए । विद्यार्थीसे शिक्षकतक सम्पूर्णके डायरी प्रदान कएलगेलासे शिक्षाके गुणस्तरीय बनाके शिक्षामे सुधार आबेके आशा कएलगेल माधव नारायण नगरपालिकाके शिक्षा संयोजक वीरेन्द्र प्रसाद साह जानकारी करएले छत ।

मोटरसाइकिल देहपर गिरलासे एगो बालिकाके रौतहटमे भेल हए मृत्यु
देहपर मोटरसाइकिल गिरलासे रौतहटमे एकजने बालिकाके मृत्यु भेल हए । रौतहटके परोहा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ लौकाहामे एगो बालिकाके देहपर बालिकाके मृत्यु भेल हए । लौकाहाके शम्भु साहके चार बरिसके बेटी इन्सी कुमारी साहके बिफेके दिन अपने घरमे अङनामे रोकके राखल बिआर ०५ एन २८२१ नम्बरके मोटरसाइकिलके कातमे खेलेके क्रममे मोटरसाइकिल देहपर गिरल रहे । चार बरिसके बालिकाके देहपर मोटरसाइकिल गिरलाके चिपाके बालिकाके घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल प्रहरी जनएले हए । घटनाके विषयमे प्रहरी थप अनुसन्धान होरहल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

शिक्षक सेवा आयोग प्राथमिक तहके विज्ञापन कएले हए खुला
शिक्षक सेवा आयोग प्राथमिक तहके विज्ञापन खुला कएले हए । देशभरमे ९ हजार ९ सय ९६ हजार पदके लेल स्थायी शिक्षकके लेल आयोग विज्ञापन खोलले हए । आयोगके मोताबिक खुलातर्फ ५ हजार ४९८, महिलातर्फ १ हजार ४२१, दलित महिलातर्फ ४९, मुस्लिम महिलातर्फ १७, आदिबासी जनजातितर्फ १ हजार २१५, मधेसीतर्फ ९८६, दलिततर्फ ४०५, अपांगतर्फ २२५ आ पिछडल क्षेत्रतर्फ १८० जनेके आरक्षणके विज्ञापन कएलगेल हए । प्राथमिक तहके विज्ञापनमे शिक्षकके उम्मेदवारके योग्यता प्रवीणता प्रमाणपत्र तह वा सो सरह तोकलगेल हए । शिक्षा विषयमे कम्तीमे दश महिने तालिम लेले होएलापर भी दरखास्त देल जासकइअ । अपांगता भेल व्यक्तिके हकमे तालिम नहोएलापर भी उमेदवार होसकइअ । उमेदवारके लेल दरखास्त देबेके अन्तिम मिति २०७५ असार ३० गतेतक तोकलगेल हए । अन्तिम मिति २०७५ असार ३० गतेतक १८ बरिस उमर पूरा होके ४० बरिस नपुगल व्यक्ति ही उमेदवार होसकइअ लेकिन राहत दरबन्दीपर कार्यरत शिक्षकके हकमे उमरके हक नलागेके आयोग स्पष्ट कएले हए ।

रौतहटमे प्राथमिक तहके लेल खुलल हए २८ सिटके विज्ञापन

शिक्षक सेवा आयोग रौतहटमे स्थायी शिक्षकके लेल विज्ञापन खोलले हए । पहिल चरणमे प्राथमिक तहके लेल रौतहटमे २८ सिट खोलले हए । देश भरमे ९ हजार ९ सय ९६ सिटके विज्ञापन खुला कएले शिक्षक सेवा आयोगसे रौतहटमे २८ सिट मात्र विज्ञापन खुलल हए । रौतहटमे खुलातर्फ १४ महिलातर्फ ४ दलित महिला आ मुस्लिम महिलातर्फ एगोको सिट नरहल हए । रौतहटमे आदिबासी जनजातितर्फ ३  मधेसी तर्फ ३ दलिततर्फ १ आ अपांगतर्फ १ सिट रहल हए । रौतहटमे पिछडल क्षेत्रतर्फ एकोगो सिट नरहल हए । रौतहटमे परोसी सर्लाही आ बारा जिलाके तुलनामे बहुत कम सिटपर विज्ञापन भेल हए ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें