मंगलवार, 26 जून 2018

नवयुवा समुदायमे बढरहल हए लागू पदार्थके लत
रौतहटके नवयुवामे लागू पदार्थ दुव्र्यसनके लत बढरहल देखलगेल हए । मध्यरौतहट गाँजा, चरस आ अंग्रेजी दबाइसम्बन्धी दुव्र्यसन खासे नहए लेकिन धुम्रपान आ मद्यपानसम्बन्धी दुव्र्यसन नवयुवा समुदायमे बढते गेल हए । नवयुवा समुदाय सिकरेट पिएके आ विभिन्न किसिमके मदिराके सेवन करेके लत बेसी बढरहल हए । पचास प्रतिशतसे  बेसी नवयुवामे हानिकारक शिखर, गुटका, पराग जइसन कम नसालु लेकिन बहुत हानिकारक सामानके उपभोग करेके आदत बढइतगेल हए । चौक चौराहापर छोटकी पाउचमे बन्द रहल सामग्री खाएके शानके रुपमे मानके अधिकांश नवयुवा खराब आदतके सिकार होरहल देखलगेलासे स्वास्थ्य चेतनाके अभिवृद्धि जरुरी रहल बुद्धिजीवीलोगके कहनाम हए ।

अत्यधिक वर्षा होएलासे ग्रामीण समुदायमे बढल कुछ परसानी
सोमवार रातमे मध्यरौतहटमे अत्यधिक वर्षा भेल हए । मेघजर्गन र टनकाके बहुत लमहर आवाजसहित भेल वर्षासे ग्रामीण समुदायमे कुछ समस्या देखलगेल हए । झकडके साथ भेल वर्षाके कारण ग्रामीण समुदायके कुछ घरमे पानी पइँसल, टाट गिरल आ गरिब वर्गके समस्या भी भेल हए । कुछ सडक बहुत खराब भेल हए । गरुडा नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ४ गरुडाके मेथुर चौकसे पुरुब करिब सरकारी विद्यालयतकके रास्ता अत्यन्त खराब बनल हए । अइसही वार्ड नम्बर ३ मलाहीमे स्वागतद्वारसे पछिम पेट्रोल पम्पतके रास्ता बहुत खराब बनल हए । कुछजगह पोखरीके जइसन सडकपर ही पानी जमल हए । सर्वसाधारणके पैदल चलेमे आ सबारी साधन लेके चलेमे बहुत दिक्कत होरहल हए । मध्यरौतटके अन्य गाँओमे भी कादोके समस्या देखलगेल हए । गाँओके मूल सडकके निमन बनाबेला स्थानीयबासी सम्बन्धित निकायसे आग्रह कएले हए ।

वृद्धके मृत्यु कराबेमे जिम्मेवार रहल आरोपमे निजगढमे दू जने परल पक्राउ

पिटाइके कारण एकजने वृद्धके मृत्यु भेल विषयमे अनुसन्धानके लेल दूजनेके पुलिस नियन्त्रणमे लेल हए । पक्राउ परेबालामे बाराके निजगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर १२ रामथलीके ४० बरिसके धनमान बल आ ५० बरिसके वीर बहादुर मोक्तान रहल हए । बितल जेठ २७ गते सामान्य विवादमे झगडाके रुप लेइन रामथलीके ही ७३ बरिसके राम बहादुर भ्लोनके उठा उठाके पटकले रहे । पिटाइसे गम्भीर घाएल भेल वृद्धके इलाज अस्पतालमे चलइत रहे । इलाजके करएलापर भी निमन नहोएलासे असार ५ गते वृद्धके मृत्यु भेल रहे । मृत्यु होएलापरके बाद वृद्धके पिटाइके संलग्न रहल आरोपमे निजगढ पुलिस दू जनेके नियन्त्रणमे लेके गम्भीरतापूर्वक अनुसन्धान कररहल इलाका प्रहरी कार्यालय निजगढके प्रहरी निरीषक विक्रम लामा जानकारी करएले छत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें