सोमवार, 25 जून 2018

शिक्षक सेवा आयोगके तयारी कक्षा गरुडामे भेल हए सुरु
रौतहटके गरुडामे शिक्षक सेवा आयोगके तयारी कक्षा सुरु भेल हए । शिक्षक सेवा आयोगद्वारा प्रकाशित विज्ञापनमे निम्न माध्यमिक आ माध्यमिक तहके लेल तयारी कक्षा सुरु भेल हए । गरुडा बजारमे रहल नमूना माध्यमिक विद्यालयमे सोमवारके दिन शिक्षक सेवा आयोगके तयारीके कोचिङ कक्षा सुरु कएलगेल हए । तयारी कक्षाके शुभारम्भमे मावि गरुडाके प्रधान शिक्षक प्रभु राउत पटेल, मावि गेडहीगुठीके प्रधान शिक्षक रेणुकुमारी गुप्ता, मावि श्रीपुर नयाँ गम्हारियाके प्रधान शिक्षक राम आधार पासवान, मावि पिपरियाके प्रधान शिक्षक सत्येन्द्रप्रसाद यादव, मावि वीरनगराके प्रधान शिक्षक नागेन्द्र यादव, मावि समनपुरके प्रधान शिक्षक देवेन्द्र साह, मावि बरजगवाके प्रधान शिक्षक राम कृपाल राय यादव लगायतके लोग शुभकामना मन्तव्य देइत कोचिङसे अत्यधिक लाभ उठाबेके आग्रह कएले छत । कार्यक्रममे प्रशिक्षक अनिल कुमार निधि, देवेन्द्र साह, सञ्जय मित्र लगायतके लोग अत्यधिक परीक्षार्थीके परीषममे उत्तीर्ण कराबेके लेल अपनेलोग हर सम्भव प्रयास करेके प्रतिबद्धता व्यक्त करइत जेतना होसके ओतना निमनसे तैयारी करेला प्रशिक्षार्थी लोगके आग्रह भी कएले छत ।

सुनील यादवके श्राद्धपर श्रद्धा व्यक्त करे पुगल हजारो लोग
गरुडा नगरपालिकाके मेयर इन्नु राय यादवके जेठ पुत्र सुनील यादवके सोमवार श्राद्ध सम्पन्न भेल हए । गरुडाके होनहार युवकके रुपमे रहल सुनील यादवके असमयमे ही असामयिक दुखद देहान्त होएल रहे । हिन्दू कर्मके मोताबिक श्राद्धपर श्रद्धा व्यक्त करेला हजारो लोग हुनका घरपर पुगल रहे । मेयर यादवके दुरापर पूर्व माननीय एवं नेपाली काँग्रेस रौतहटके अध्यक्ष कृष्णप्रसाद यादव, पूर्व माननीय बबन सिंह, नेपाली काँग्रेसके विभिन्न जिला पदाधिकारी, क्षेत्रीय समितिके पदाधिकारी, संघीय समाजवादी फोरम नेपालके प्रदेश तथा केन्द्रीय सदस्यके साथे जिला समितिके पदाधिकारी, नेकपाके विभिन्न नेता, राजपाके भी विभिन्न नेतागणके साथे उद्योगपति, व्यावसायी, शिक्षक, कर्मचारी, समाजसेवी, सर्वसाधारणके उपस्थिति रहल रहे ।

क्रिकेटसे ही देशके सेवा करेके चाहना रखले हए नवयुवक मणिरत्न
देशके सेवा करेके अनेक क्षेत्र क्षेत्र होखले । हर क्षेत्रमे इमानदारीके साथ काम कएलापर देशके सेवा होसकइअ । देशप्रति बफादारी, इमानदारी आ मन, वचन तथा कर्मसे सेवा करेके चाहना राखेबाला कहीँ रहके देशके सेवा करसकइअ । आजके समयमे खेलकुद भी देशसेवाके एगो महत्वपूर्ण क्षेत्र बनल हए । खेलकुदमे भी क्रिकेटके स्थान बहुत महत्वपूर्ण हए । क्रिकेटके ओरी नवयुवकलोगके ध्यान बहुत जल्दी खिचारहल हए । एही कारणसे क्रिकेट खेलमे अत्यधिक प्रतिस्पर्धा भी होरहल हए । प्रतिस्पर्धारुपी चुनौतीके अवसरके रुपमे लेके गरुडाके एगो नवयुवक क्रिकेटके क्षेत्रमे अपन पहचान स्थापित करइत देशके सेवा करेके सपना बोकले हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका ४गरुडाके मोहनकुमार साहके लडका अठार बरिसके लडका मणिरत्न साहमे क्रिकेटके मार्फत ही देशके सेवा करेके जुनुन हए । अभी अन्डर नाइन्टिन क्रिकेट टोलीमे छनोट होके प्रशिक्षण लेइत विभिन्न प्रतियोगितामे सहभागी भी होरहल नवयुवक मणिरत्न साह क्रिकेटके क्षेत्रमे अपन बहुत लमहर सम्भावना देखरहल हए । नेपालके अन्डर नाइन्टिन टिममे छनोट होके भारतके आगरा आ झाँसीमे जाके देशके लेल खेलचुकल साह २३ जुनसे २८ जुनतक मलेसियामे चलेबाला क्रिकेट प्रतियोगितामे सहभागी भेल छत । क्रिकेटमे बलिङ आ बैटिङ दुनु कररहल नवयुवक साह अपनेआपके क्रिकेटके अलराउन्डर बतबइछत । मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडामे स्नातक द्वितीय वर्षमे अध्ययनरत नवयुवक साहके प्रशंसा करइत नेपाली क्रिकेटके एगो बहुत लमहर सम्भावनायुक्त खेलाडीके रुपमे अपने देखले बतबइछत । क्याम्पसके ओरसे देशके राजधानीमे भी भेल प्रतियोगितामे अपना क्याम्पसके विजयी बनबयत शिर उँच बनएले बतबइछत । नवयुवक खेलाडी साहके पिता मोहनकुमार साह शिक्षाके साथे बच्चासे ही क्रिकेटमे विशेष रुचि रहल बतएले छत । क्रिकेटप्रति अपना बच्चाके जुनुन देखके अपनेलोग भी प्रभावित होएलाके बाद प्रोत्साहन देलाके कारण देशके अन्डर नाइन्टिन टिममे सहभागी होएके मोका मिलल आ अपनाके बहुत खुसी लागरहल बतएले छत । क्रिकेट खेलके देशके सेवा करेके सपना अपन रहल नवयुवक मणिरत्न साहके कहनाम हए । रौतहटसे जितेन्द्र मुखिया बिन राष्ट्रिय टोलीमे सहभागी होके अपन नाम कमएलाके कारण अपनामे भी साहस आएल आ देशके सेवा करेके लेल अपने प्रयास कररहल नवयुवक साहके कहनाम हए । नवयुवक साह अन्डर नाइन्टिन टिममे छनोट होएलासे रौतहटबासीमे ही खुसी छाएल आ रौतहटके सम्पूर्ण क्रिकेटप्रेमीमे नयाँ उत्साह जागल गरुडाके क्रिकेट खेलाडी राजेश्वरनाथ पाण्डे बतएले छत ।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें