बुधवार, 20 जून 2018

गरुडाके एकजने नवयुवक क्रिकेटके क्षेत्रमे बनारहल राष्ट्रियस्तरमे पहिचान
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडाके एकजने नवयुवक क्रिकेटके क्षेत्रमे राष्ट्रिय स्तरमे अपन पहचान स्थापित कररहल हए । गरुडा गाँओके मोहन कुमार साहके लडका मणिरत्न साह राष्ट्रिय स्तरमे अपन पहचान बनारहल हए । नेपालके अन्डर १९ क्रिकेट टिममे सहभागी होएमे साह सक्षम भी होगेल हए । मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडाके बिए द्वितीय बरिसके विद्यार्थी भी रहल मणिरत्न साह अभी मलेसियामे खेले पहुचल हए । राष्ट्रिय खेलकुद परिषदके १९ जुनके प्रकाशित सूचनामे मलेसियामे २३ जुनसे लेके २८ जुनतक होएबाला त्रिपक्षीय क्रिकेट प्रतियोगितामे सहभागी लोगके लिस्टमे साहके नाम १४ खेलाडीमे १० नम्बरपर रहल हए । देशमे अपन पहचान स्थापित कररहल गरुडाके युवा खेलाडी साहके प्रतिभा उच्च रहलासे देशके क्रिकेटके क्षेत्रमे निमन पहचान स्थापित करसकेके सम्भावना रहल मध्यरौतहट बहुमुखी क्याम्पस गरुडाके क्याम्पस चिफ प्रेमलाल साह बतएले छत । एसे पहिले भारत लगायतके देशमे जाके खेलचुकल नवयुवक खेलाडीप्रति गरुडाके आशा आ भरोसा बहुत बढल हए । जिलासे जितेन्द्र मुखिया पहिलबेर देशके क्रिकेट टिममे पहुँचके जिलाके नाम राशन कएले रहे । गरुडाके नवयुवक साह देशके अन्डर नाइन्टिन टिममे परेबाला पहिल क्रिकेटर रहल हए । नेपालके फुटबलके महिला राष्ट्रिय टिममे रौतहटके वर्चस्व रहते आएल हए । देशमे गरुडाके आ विदेशमे नेपालके मान, सम्मान आ पहिचान बढाबेमे गरुडाके नवयुवक मणिरत्न साह मणि बनके चमकेके शुभकामना रेडियो मधेस मसलाके ओरसे रहल हए । रेडियोके सम्पूर्ण स्रोताके ओरसे नवयुवक क्रिकेटर साहके सफलताके लेल लाखो लाख शुभकामना हए ।


गरुडा माविके विद्यार्थीद्वारा कएलगेल जनचेतना रैली प्रदर्शन
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडा बजारमे अवस्थित नमूना माध्यमिक विद्यालयके विद्यार्थीलोग बुधवारके दिन जनचेतना रैली प्रदर्शन कएले हए । गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ मे रहल नेपाल पुलिस स्कुलके कक्षा ४ मे अध्ययनरत आ कटहरिया नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ डुमरिया गाँओमे घर रहल युवराज साहके हत्याराके कारबाहीके साथे विद्यालयके शान्ति क्षेत्र घोषणा करेके माग करइत हजारो विद्यार्थी रैली प्रदर्शन कएले हए । मावि गरुडाके प्रांगणसे निकलल विद्यार्थीके विशाल रैली हत्या कएलगेल बालकके फोटाके साथे विभिन्न किसिमके नारा लिखल प्ले कार्ड भी प्रदर्शन कएले हए । एसे पहिले नेपाल पुलिस स्कुल गरुडा आ कटहरियामे भी अइसने रैली निकालल गेल रहे ।

रौतहटमे उखके उब्जनी बेसी होएके रहल हए अनुमान
रौतहट जिलामे चालू आर्थिक वर्षसे आगामी आर्थिक वर्षके लेल उखके खेती बढल हए । उखके लेल वर्षा भी निमन होएलासे उखके उब्जनी बढेके सम्भावना बढल हए । अभीतक उख खेतीमे खास कौनो रोग देखाइ नपरलासे किसान उत्साहित बनल हए । उखके खेती बढल आ उब्जनी भी बढेके सम्भावना होएलासे सामान्यतया उख निमन होएके देखलगेल हए । जेठ जइसन महिनामे सुख्खाके कारणसे उखमे कौनो रोग नलगलाके कारण उख भी निमन होरहल हए । उखके देखके जिलाके किसान खुसी होरहल लेकिन चिनीमिलसे समयपर पैसा नदेलाके कारण कुछ निराशा भी होरहल हए । सरकार उख किसानके पैसा देबाबेला कोसिस कररहलासे भी किसानमे कुछ उत्साहित भेल देखलगेल हए ।



पर्साके वीरगंजमे मिलल हए अपरिचित युवकके लास
पर्सा जिलाके वीरगंज महानगरपालिकामे एगो अज्ञात पुरुष युवकके लास मिलल हए । वीरगंज महानगरपालिकाके वार्ड नम्बर १६ मितेरी पुलके नजदिक एगो युवकके लास मिलल हए । पुलके नजदिक नाम, थर, वतन नखुलल करिब पचीस बरिसके एकजने पुरुषके लास मिलल प्रहरी जनएले  हए । घटनाके विषयमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल हए ।


बारा जिलामे पिटाइसे ही एकजने वृद्धके भेल हए मृत्यु
बारा जिलामे मारामारीके कारण एकजनेके मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके निजगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर १२ रामथलीके रहनिहार ६७ बरिसके राम बहादुर भलोनके पिटाइके कारण मृत्यु भेल हए । बितल जेठ २७ गते रामथलीके ही रहनिहार ५५ बरिसके वीर बहादुर मोक्तान आ ४० बरिसके धन बहादुर बल मिलके राम बहादुर भलोनके पिटाइ कएले रहे । पिटाइके बाद गम्भीर घाएल भेल भलोनके इलाज भरतपुरमे भेल रहे । भरतपुर अस्पतालसे मंगलवारके दिन रिफर भेल भलोनके बुधके दिन मृत्यु भेल हए । भलोनके पिटेबाला वीर बहादुर आ धन बहादुरके पुलिस पक्राउ कएले हए । घटनाके सम्बन्धमे पुलिस थप अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

मकवानपुरके दूजने बारामे लागू औषधसहित परल हए पक्राउ

बारा जिलामे लागू औषध सहित दूजने पक्राउ परल हए । पक्राउ परेबाला दुनुजने मकवानपुर जिलाके रहल हए ।  मकवानपुर जिलाके हेटौँडा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १३ के रहनिहार २२ बरिसके संजीव पराजुली आ १५ बरिसके सुदेश थिंगके बारा पुलिस पक्राउ कएले हए । जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिकाके वार्ड नम्बर २२ मे रहल एक नम्बर पुलके नजदिकसे लागू औषध नाइटोभेट ६० थान, इस्पास्मा ८ थान, फेनारगन ७ थान आ ना ४३ प ६४९७ नम्बरके मोटरसाइकिल सहित बारा पुलिस पक्राउ परल हए । घटनाके सम्बन्धमे पुलिस थप अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें