बुधवार, 27 जून 2018

जिलाके शिक्षक संगठन सब एकेस्वरमे असार १७ से सावन २९ तक सामुदायिक विद्यालयमे गर्मी आ तयारी विदा देबेके कएले हए निर्णय

नेपाल शिक्षक महासंघमे आबद्ध शिक्षकके पाँचगो संगठन मिलके इहे असार १७ गते एतबारसे लेके सावन ३० गतेतक जिलाके सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालयमे गर्मी आ तयारी बिदा देबेके निर्णय कएले हए । विगतमे भी अस्थायी शिक्षकके स्थायी होएबाला लिखित परीक्षाके सन्दर्भमे एक हप्तासे लेके दश दिनतक जिलाके सामुदायिक विद्यालयमे पढाइ बन्द करेके प्रचलन समेतके ध्यान देइत एक सालमे नेपाल सरकारसे चालू शैक्षिक सत्रमे प्राप्त विदाके भी ध्यानमे रखइत विदाके सिमाके भित्तर ही रहके असार १७से सावन २९ तक अस्थायी शिक्षकके तयारी तथा गर्मी विदा देबेके निर्णय कएलगेल हए । अस्थायी शिक्षकके स्थायी करेके परीक्षा असारके अन्तिम हप्तामे होरहल हए । असार १७ से सावन २० तक जिलाके सम्पूर्ण सामुदायिक विद्यालय बन्द रहेके आ सावन ३० गते सामुदायिक विद्यालय खोलेके निर्णय होएलासे एई सालके प्रथम त्रैमासिक परीक्षा भादोमे होएके करिब निश्चित भेल हए । महासंघमे सम्मिलित रहल नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन, अखिल नेपाल राष्टिय शिक्षक संघ, नेपाल शिक्षक संघ, नेपाल शिक्षक मंच आ संघीय समाजवादी शिक्षक फोरम नेपालके रौतहट जिलाके प्रमुख पदाधिकारीलोगके सदरमुकाम गौरमे भेल संयुक्त बैठकसे असार १७ से सावन २९ तक तयारी तथा गर्मी विदा देबेके संयुक्त निर्णय कएलगेल हए । अस्थायी शिक्षकलोग अभी अति विशिष्ट अवस्थासे गुजररहलाके चलते विगतके प्रचलन तथा अभ्यासके साथे वर्तमान समयके गम्भीरताके भी ध्यानमे रखइत अइसन संयुक्त निर्णय कएलगेल नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन रौतहटके अध्यक्ष धर्मेन्द्र सिंह बुधवार जानकारी करएले छत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें