बुधवार, 9 मई 2018

भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके आगमनके घरघरमे होरहल हए चर्चा
भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी शुक्रबारके दिन नेपाल आरहल छत । दु दिनहा नेपाल भ्रमणके सुरुआत प्रदेश २ के राजधानी जनकपुरसे होएबाला होएलासे एकर व्यापक चर्चा होरहल हए । हर घरमे भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके आगमनके चर्चा चलरहल हए । भारत जइसन देशके शक्तिशाली प्रधानमन्त्रीके नेपाल भ्रमणके सुरुआत जनकपुरसे होएबाला होएलासे ई प्रदेशके ही शान बढल कहल जारहल हए । प्रधानमन्त्री मोदीके आगमन होएके दिन प्रदेश सरकार सार्वजनिक विदा देलाके कारणसे भी ओई दिनके विशेष महत्वके साथे लेलगेल कहल जारहल हए । भारतके प्रधानमन्त्री मोदीके आगमनके चर्चा हर कार्यालय, क्लब, विद्यालय, चाय दोकानसे लेके घर घरमे होरहल हए । भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके आगमनके चर्चा एना होरहल हए जेना अपना घरमे कौनो विशिष्ट मेहमानके आगमन होरहल हए । एई चर्चासे एकओर मोदीप्रति सर्वसाधारणके आकर्षण स्पष्ट होरहल हए त दोसरओर मोदीके लोकप्रियता भी स्पष्ट होरहल बुद्धिजीवीलोगके कहनाम हए ।

रौतहटसे करिब दश हजार सर्वसाधारण जनकपुर पुगेके हए अनुमान
भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके जनकपुरमे शुकरके दिन होए जारहल नागरिक अभिनन्दनमे करिब दश हजार रौतहटिया नागरिक सहभागी होएके प्रारम्भिक अनुमान कएलगेल हए । रौतहटसे विभिन्न पार्टी मिलाके करिब डेढ सय बस जनकपुर जारहल हए । अइसही हरेक स्थानीय तहके सरकारके नेतृत्वमे एकसे लेके पाँचगो तक छोटका गाडी शुक्रबार जनकपुर पुगरहल हए । रौतहटसे छोटका गाडी करिब पाँच सयके संख्यामे जनकपुर पुगेके अनुमान रहल संघीय समाजवादी फोरम नेपालके मधेस प्रदेश सदस्य वृजकिशोर यादव जानकारी करएले छत । निजी सबारीसे लेके बसतक सम्पूर्ण गाडीमे रौतहटसे सर्वसाधारण मोदीके नागरिक अभिनन्दनमे सहभागी होरहल हए । भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके नागरिक अभिनन्दनके साक्षी बनेला रौतहटसे जाएबाला सर्वसाधारण नागरिकके संख्या एहीसे स्पष्ट होरहल हए कि रौतहटके छोटकासे लेके बड्का सभी गाडी ओई दिनके लेल बुक होगेल आ सैकडो गाडी भारतसे भी बुक कराके लोग जनकपुर पुगरहल हए ।

सबेरके वर्षासे इँटाके पथिया भेल ठप, किसान बनल खुसी
बुधबार सबेरे करिब अढाई बजे हल्का आन्हीके साथे आएल पानीसे रौतहटमे इँटाके पथिया करिब ठप भेल हए । लगातार वर्षासे बचइत कुछ इँटा व्यावसायी इँटाके पथिया जारी रखले रहे लेकिन बुधवार सबेरमे जमके वर्षा होएलासे इँटाके पथिया पूर्ण रुपसे रुकल हए । एई सिजनके लेल इँटा पाथेके काम पूर्ण रुपसे रुकल एकजने इँटा व्यावसायीके कहनाम हए । बुधबार सबेरे भेल वर्षासे खेतमे पानी लागेलाके कारण इँटा पाथेके अवस्था बिलकुल नरहलाके कारण इँटाके पथिया रुकल हए । जमके भेल वर्षाके कारण पाथल इँटा गललासे लाखो रुपैयाके नोक्सानी भी इँटा व्यावसायीके भेल हए । वर्षासे इँटा व्यावसायीके घाटा लागल लेकिन सर्वसाधारण किसान बहुत खुसी भेल हए । वर्षासे उँख आ तरकारी बालीके बहुत फाएदा कएले हए । साथमे वातावरणपर भी बहुत सकारात्मक प्रभाव परल हए । खेतमे पानी लागेलासे खेतमे खर्ह जामेके आ बादमे उगल घाममे जोतिया कएलापर खर्ह जरके खेतके फाएदा होएबाला होएलासे किसानके वर्षासे फाएदा भेल गरुडाके प्रेमलाल साहके दाबी हए । वर्षासे सर्वसाधारण किसान खुसी भेल साह बतएले छत ।

आन्हीसे रौतहटमे एकजनेके घरमे भेल हए सबा एक लाखके क्षति
आन्हीसे रौतहटमे एकजनेके घरमे करिब सबा एक लाख रुपैया बराबरके क्षति पहुँचल हए । रौतहटके राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ के रहनिहार नागेन्द्र बैठाके घर आन्हीसे उधिया देलाके चलते क्षति पुगल हए । घर उघियाके गिरलासे दुगो मालजाल जँताके मरगेल आ घर भी खत्तम होएलासे करिब एक लाख पचीस हजार रुपैया बराबरके क्षति पुगल जिला प्रहरी कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

पिटाइसे गम्भीर घाएल एकजनेके सर्लाहीमे भेल हए मृत्यु
मारामारीमे गम्भीर घाएल भेल एकजनेके सर्लाहीमे मृत्यु भेल हए । इहे बैसाख बीस गते बिफेके दिन मारामारी होके गम्भीर घाएल एकजनेके इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । दारु पिले बिषयके लेके भेल झगडासे मारामारी भेल रहे । सर्लाही जिलाके गोडैता नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ के रहनिहार ६० बरिसके शिवलोचन महतोके बेसी मार परलाके बाद स्थानीय मेडिकलमे इलाज चलइत रहे । इलाजके क्रममे ही महतोके मंगलवार मृत्यु भेल हए । महतोके मृत्यु होएलाके बाद झगडा करेबाला स्थानीय ५० बरिसके राम एकबाल महतोके पुलिस पक्राउ कएले हए । घटनाके तत्काल देखलगेल दोषीके नियन्त्रणमे लेके सर्लाही पुलिस अनुसन्धान कररहल हए ।

करिब पाँच किलो चरेश सहित पर्सामे एकजने युवक परल हए पक्राउ
पर्सा पुलिस एकजने युवकके पाँच किलो चरेश सहित पक्राउ कएले हए । पर्सा जिलाके पकाहा मैनपुर गाँओपालिका वार्ड नम्बर ४ लहावर थकरीसे कालिकामाई गाँओपालिका वार्ड नम्बर १ तिनडोबिया गाँओके रहेबाला २२ बरिसके युवक चन्दन पटेलके करिब पाँच किलो चरेश सहित पर्सा पुलिस पक्राउ कएले हए । अस्थायी प्रहरी पोस्ट बिन्दबासिनी आ प्रहरी चौकी खेस्राहासे खटल प्रहरीके टोली भिस्वासे बीरगंजके ओर जारहल बीआर २२ सि ०४३२ नम्बरके मोटरसाइकिलके चेकजाँच कएलापर पटेलके पाससे करिब पाँच किलो चरेश बरामद भेल हए । चरेश आ मोटरसाइकिल सहित नियन्त्रणमे लेके पुलिस चरेसके बिषयमे अनुसन्धान कररहल हए ।

गिरलापर बेहोस भेल एकजने मजदुरके बारामे भेल हए मृत्यु
धारापर कपडा फिँचके लौटेके क्रममे गिरके बेहोस भेल एकजने मजदुरके बारामे मृत्यु भेल हए । बाराके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर ८ मे रहल इमलीपटिके राजेश मेटल क्रयाप उद्योगके कार्यरत मजदुरके कपडा फिँचलाके बाद धारापरसे लौटेके क्रममे गिरल रहे । लमजुङ जिलाके दोर्जी गाँओपालिका वार्ड नम्बर १ मे घर रहल आ उद्योगमे काम करते आरहल ५१ बरिसके भरत गिरी धारापर गिरलापर बेहोस होगेल रहे । बेहोस होएलापर गिरीके इलाजके लेल वीरगंज हेल्थ केयर अस्पतालमे लेजाएके क्रममे रास्तामे ही मृत्यु भेल हए ।

आन्हीसे सिम्रौनगढमे पाँच लाखसे बेसी भेल हए क्षति, एकजनेके टुटल गोड

बुधबार भोरबामे आन्हीके साथे आएल वर्षासे बारामे भी क्षति पुगल हए । बारा जिलाके सिम्रौनगढ नगरपालिकामे आन्हीसे करिब पाँच लाख रुपैया बराबरके क्षति पुगल हए त एकजनेके गोड भी टुटल हए । सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ के ४० बरिसके अब महम्मद सहित १० जनेके घर आन्ही उडएले हए । अइसही एगो मुर्गी फारमके भी छपर उडएलासे साठगो मुर्गी मरल हए । सभी मिलाके पाँच लाख दश हजार रुपैयासे बेसीके क्षति पुगल हए । अइसही चोट लागके स्थानीय २० बरिसके विनोद महतोके गोड टुटल  हए । महतोके इलाज भारतमे होरहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें