मंगलवार, 8 मई 2018

गरुडाके सबसे साक्षर वार्ड हए ४ आ सबसे निरक्षर वार्ड नम्बर १ जयनगर
रौतहटके गरुडा नगरपालिकाके साक्षरता बहुत कम रहल हए । गरुडा नगरपालिकाके जनसंख्या  २०६८ के जनगणनाके मोताबिक ५० हजार ५०६ रहल हए । कुल जनसंख्यामे पुरुषके तुलनामे महिलाके जनसंख्या कम रहल हए । गरुडा नगरपालिकामे २६ हजार १८ पुरुष आ २४ हजार ४ सय ८८ महिलाके जनसंख्या रहल हए । जिलाके बीचोबीच परेबाला गरुडा नगरपालिका तत्कालीन ९ गो गाविस मिलके बनल रहे । हरेक गाविसके एगो वार्ड बनाके निर्माण भेल गरुडाके क्षेत्रफल ४४.५ वर्ग किलोमिटर रहल हए । गरुडा नगरपालिकामे १ हजार १३६ नागरिक प्रति स्क्वायर किलोमिटरमे बसोबास कररहल हए । बसोबासके दृष्टिसे गरुडाके घना आवादी कहल जासकइअ । २०५८से २०६८ के जनगणनाके बीचके जनसंख्याके वृद्धिदर देखलापर २.७७ रहल हए । समग्र गरुडाके साक्षरता दर ४१.१७ रहल हए । वास्तवमे गरुडा नगरपालिकाके साक्षरताके बहुत कम कहल जासकइअ । गरुडा नगरपालिकामे सबसे बेसी साक्षर वार्ड नम्बर ४ गरुडा रहल आ सबसे कम साक्षर वार्ड नम्बर १ जयनगर रहल हए । जयनगरके साक्षरता दर २५.४७ आ गरुडाके साक्षरता दर ६५.८२ रहल हए ।

नदीमे डुबके रौतहटमे दू बालिकाके भेल हए मृत्यु
रौतहटमे नदीमे डुबके दू बालिकाके मृत्यु भेल हए । रौतहटके राजपुर नगरपालिकामे नदीमे डुबके दुगो बालिकाके एकेबेर मृत्यु भेल हए । राजपुर नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ६ मे रहल कोरिया नदीमे डुबके दू जने मुस्लिम बालिकाके मृत्यु भेल हए । पुलके नजदिकमे रहल मनधरके पानीमे डुबके राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ के शेख मैजा आलमके ७ बरसके बेटी अनिजा खातुन आ शेख फोसैदके ६ बरसके बेटी सोमैया खातुनके डुबके घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल हए । मृतक दुनुके पोस्टमार्टमके बाद आफन्तके जिमा लगाबलगेल हए । घटनाके विषयमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल हए । एहीबीच मंगलवार सँझियापहर दारु पिके गौरमे एकजनेके मृत्यु भेल हए । अत्यधिक मदिरा सेवन कएलाके बाद बेहोस होके गिरलापर गौरमे एकजने वृद्धके मृत्यु भेल हए । हाथमे बोतल लेले अवस्थामे ही मृत्यु भेल वृद्धके पहिचान नखुलल हए । घटनाके विषयमे रौतहट पुलिस अनुसन्धान करहल हए ।

दू दिनके गर्मीसे बनल सर्वसाधारण परसान, भारतके मौसमके मधेसमे भी परसकले प्रभाव
दिनसे गर्मी खूब चढल हए । गर्मीके कारण सर्वसाधारण परसान बनल हए । दुपहरियामे अत्यधिक गर्मी होएलासे सर्वसाधारण परसान बनल हए । कुछ दिन पहिलेतक वैशाखमे ठन्ढी होरहल कहेबाला लोग भी अब गर्मी बेसी होएलागल कहरहल हए । गर्मीके कारण ठन्ढा पेय पदार्थके बिक्री बढल हए । गर्मीसे लोग पंखामे बैठके खोजरहल हए । अइसही ठन्ढाके खोजइत लोग घरमे आ गाछीके बैठके प्रयास कररहल हए । दुपहरियाके लोग रास्ता चलनाइ बन्द कएले हए । अइसही दुपहरियामे पढाइ होरहल विद्यालयमे विद्यार्थी गर्मीसे परसान होरहल देखलगेल हए । एहीबीच भारतके तेरहगो राज्यमे मंगलवार हाइ एलर्ट कराबलगेल हए । मंगलवार आ बुधवार बेसी राज्यमे आन्ही आ पानी ओबेके सम्भावना रहलासे हाइ एलर्ट कराबलगेल हए । उत्तर प्रदेश आ बिहारमे भी एलर्ट कराएलगेलासे उहाँके आन्ही आ पानीके असर नेपालके मधेसमे भी परसकेके सम्भावना रहल कुछ लोग अनुमान कएले हए ।
तिनतलापरसे गिरके वीरगंजमे एकजने महिलाके भेल हए मृत्यु
पर्साके वीरगंज महानगरपालिकामे एकजने महिलाके तीन तलापरसे गिरके मृत्यु भेल हए । पर्साके वीरगंज महानगरपालिका वार्ड नम्बर ११ श्रीपुरके रहनिहार ६३ बरिसके जगीयादेवी साह कनुइनके मंगलवार अपने तीनतला घरके खिडकीसे गिरलापर मृत्यु भेल हए । तीनतलापरसे गिरलासे महिलाके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । घटनाके विषयमे प्रहरी अनुसन्धान कररहल हए ।

संविधान संशोधन करइत स्थानीय तहके अधिकार कटौती करेला शिक्षक महासंघ देले हए चेतावनी

स्थानीय तहमे व्यवस्था कएलगेल विद्यालय संचालनके संवैधानिक अधिकार कटौती करेला शिक्षक महासंघ माग कएले हए । विद्यालय तहके शिक्षाके तिनु तहके सरकार संयुक्त रुपसे कार्यसूचीमे राखेके माग शिक्षक महासंघ कएले हए । विद्यालय तहके शिक्षा व्यवस्थापनके नामपर संघीय मामिला मन्त्रालय आ स्थानीय तहके अनावश्यक हस्तक्षेप बन्द करेके माग करइत मंगलवार शिक्षा मन्त्री गिरिराजमणि पोखरेलके ज्ञापन पत्र बुझाके महासंघ अपन मागपर गम्भीर होएला चेतावनी देले हए । महासंघके ज्ञापनपत्रमे सिधा भाषामे संविधान संशोधनके बात नलिखल हए लेकिन महासंघके माग पुरा करेला सबसे पहिले संविधान संशोधन करनाइ जरुरी होई । महासंघ एइसे पहिले भी स्थानीय सरकारके नीति नियम नमानेके धमकी देते आएल हए । स्थानीय सरकार शिक्षा सुधारके लेल निर्माण करेबाला कौनो भी नीति नियम नमानेके कहके शिक्षक महासंघ देते आए अभिव्यक्ति गम्भीर गैर जिम्मेवार मात्रे नहोके सामुदायिक शिक्षाके सुधारप्रति गम्भीर नरहल प्रमाणके रुपमे देखलगेल आरोप लागरहल हए । संविधानमे विद्यालय शिक्षाके अधिकार स्थानीय सरकार मातहत कएलापर दलगत राजनीतिमे सक्रिय शिक्षकलोगके नजदिकके सरकारसे नियमन होएलासे संवैधानिक प्रावधानके विरोध शिक्षकलोग करत आरहल आरोप आलोचक लोगके रहल हए । शिक्षक महासंघद्वारा बुझाबलगेल ज्ञापनपत्रमे बारम्बार स्थगित होइत आएल अस्थायी शिक्षकके परीक्षाके मिति तोकेला, संवैधानिक शिक्षा आयोग गठन करेला, मौलिक हकके रुपमे रहल शिक्षाके लागू करेला, विद्यालयमे रिक्त शिक्षक दरबन्दीपर विज्ञापन करेला, दश बरिस एकेगो तहमे कार्यरत शिक्षकके सामूहिक पदोन्नति करेला, प्रारम्भिक बाल शिक्षा कार्यकर्ताके लेल दरबन्दी सिर्जना करेला, साबिकके उच्च माविमे कार्यरत शिक्षकके दरबन्दी प्रबन्ध करेला लगायतके २३ बुँदा रहल हए । साथमे रातह शिक्षकके व्यवस्थापन करेला आ सभी शिक्षक तथा कर्मचारीके तलब भत्ता बढाबेला, सभी शिक्षक कर्मचारीके पोसाक भत्ताके भी माग कएलगेल हए । नमुना विद्यालयके नाओपर पहुँचबालाके बजेट देबेके काम रोकेला आ सार्वजनिक शिक्षाके लेल कम्तीमे बीस प्रतिशत शिक्षा बजेट निर्माण करेला शिक्षक महासंघ माग कएले हए ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें