रविवार, 6 मई 2018

भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके स्वागत तथा अभिनन्दनके लेल रौतहटमे भी चलल हए विशेष छलफल
भारतके प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी इहे सुकरके दिन नेपाल भ्रमणके क्रममे प्रदेश २ के राजधानी जनकपुर आरहल छत । प्रधानमन्त्री मोदीके जनकपुर आगमनके दिन प्रदेश २ के सरकार सार्वजनिक विदा देले हए । प्रधानमन्त्री मोदीके आगमनके विशेष बनाबेला रौतहटमे भी विशेष छलफल गोष्ठी संचालन कएलगेल हए । वैशाख २८ गते सुकरके दिन प्रधानमन्त्री मोदीके जनकपुरमे नागरिक अभिनन्दन करेके कार्यक्रम भी रहल हए । नागरिक अभिनन्दनके विशेष एवं भव्य बनाबेके लेल रौतहटके सदरमुकाम गौरमे विशेष छलफल सम्पन्न भेल हए । प्रदेश २ के भौतिक पूर्वाधार मन्त्री जितेन्द्र सोनल एवं कृषि तथा सहकारी राज्यमन्त्री योगेन्द्र यादव भारतके प्रधानमन्त्री मोदीके नागरिक अभिनन्दन विशेष बनाबेला रौतहटके विभिन्न क्षेत्रके लोगसे छलफल कएले छत । कार्यक्रममे रौतहटके स्थानीय तहके निर्वाचित जनप्रतिनिधि, स्थानीय प्रशासन, सरकारी तथा गैर सरकारी संस्थाके प्रमुख लोगके सहभागिता रहल रहे ।

रौतहटके नेपाल पुलिसके एसपि यज्ञविनोद पोखरेलके भेल हए सरुवा
नेपाल प्रहरी रौतहटके प्रमुख एसपि यज्ञविनोद पोखरेलके सरुवा भेल हए । अपन कार्यावधि पूरा कके एसपि पोखरेल जिलासे लौटरहल छत । रौतहटसे एसपि पोखरेलके सरुवा नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय कार्यालयमे भेल हए । एसपि पोखरेलके सरुवा प्रहरी प्रधान कार्यालय नक्सालके जनसम्पर्क तथा प्रचार प्रसार शाखामे भेल हए । अबब रौतहटके नयाँ एसपिके रुपमे रवीन्द्र केसी आरहल छत । जुनियर प्रहरी अधिकृत शिक्षालय भरतपुरसे एसपि केसी रौतहट आबेबाला भेल छत ।

प्रदेश २ मे दीपेन्द्र चौहानके प्यानल ही भेल हए विजयी
नेपाल पत्रकार महासंघके प्रदेश २ के निर्वाचनके नतिजा सार्वजनिक भेल हए । दू प्यानलमे भेल निर्वाचनमे दीपेन्द्र चौहानके नेतृत्वमे रहल सम्पूर्ण प्यानल ही विजयी बनल हए । दीपेन्द्र चौहानके नेतृत्वमे माओवादी निकट पे्रस सेन्टर, एमाले निकट प्रेस चौतारी आ काँग्रेस निकट प्रेस युनियन संयुक्त रुपसे चुनाव लडल रहे । नेपाल पत्रकार महासंघके केन्द्रीय कार्य समिति प्रेस सेन्टर आ प्रेस युनियनके कब्जामे रहल हए । एही कारणसे सेन्टर, चौतारी आ युनियन मिलके चुनाव लडेमे सफल भेल रहे । प्रदेश २ के कार्य समितिमे दीपेन्द्र चौहान अध्यक्ष, केसी लामिछाने आ रिंकुकुमारी मिश्र उपाध्यक्ष, किरणकुमार कर्ण महासचिव, गुरुप्रसाद गौतम आ राम नारायण विश्वास सचिव, प्रवीण साह कोषाध्यक्ष, आ भोजराज भटराई, धीरेन्द्र राय, अजितकुमार सिंह, शैलेन्द्र झा, राजनकुमार सिंह, जितलाल श्रेष्ठ, जगत राई, वैद्यनाथ चौधरी आ अजयकुमार साह सदस्यमे निर्वाचित भेल छत । प्रदेश २ के पहिल निर्वाचनमे माओवादी, एमाले आ काँग्रेस पक्षधर पत्रकारके संस्थाके संयुक्त प्यानल विजयी भेल हए ।

सिन्डिकेटके विपक्षमे रहल हए रौतहटके स्थानीयबासी
यातायातके क्षेत्रके रहल सिन्डिकेटके विपक्षमे रौतहटिया नागरिक रहल हए । सिन्डिकेटसे एकओर नागरिकके शोषण होरहल हए त दोसरओर सरकारके भी ठगी होरहलासे सर्वसाधारण सिन्डिकेटके विपक्षमे रहल हए । कुछ साल पहिले तेलके भाओ अति उच्च रहल अवस्थामे तोकलगेल गाडीके भाडा तेलके भाओ गिरते गेलाके बाद भी सिन्डिकेटके कारण ही कम नकएले रहे । सिन्डिकेटके माध्यमसे सडकपर कब्जा कके यातायात व्यावसायी लोग सर्वसाधारणसे अति उच्च दरमे भाडा असुलते आरहल हए । नेपालके तुलनामे बिहारमे वर्तमान समयमे तेलके भाओ बहुत बेसी होएलाके बाद भी गाडी भाडा नेपालके तुलनामे कम रहल हए । नेपाल सरकार यातायात क्षेत्रके सिन्डिकेट तोरेला चालले कदमके रौतहटके लोग भी समर्थन करइत यातायातके साथे अन्य क्षेत्रके सिन्डिकेट भी तोरेला आग्रह कएले हए । 

कटहरियाके हथियाहीमे सडकके होरहल हए ढलान
रौतहटके कटहरिया नगरपालिकाके विभिन्न गाँओमे सडकके ढलान होरहल हए । कटहरियाको वार्ड नम्बर २ के हथियाही टोलामे सडकके ढलान होरहल हए । सडकके ढलानके नगरके  प्रमुख सियाराम कुशवाहा स्थलगत निरीक्षण कएले छत । अइसही बितल सावनमे आएल दाहरसे क्षति भेल लाल बकैया नदीके बान्हके भी निरीक्षण कएले छत । कटहरिया नगरपालिका अन्तर्गतके भसेढवा, बहादुरपुर, कटहरिया आ कर्कच खण्डके मरम्मत करेके लेल गम्भीर छलफल आ निरीक्षण भी कएलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।

हास्यव्यंग्यके साथ विश्व हँसी दिवस भेल हए सम्पन्न

शारीरिक आ मानसिक स्वास्थ्यसे जुटल रहेबाला आ आदमीके खुसी देखाबेबाला हँसीके विषय विश्वव्यापी बनरहल हए । एही क्रममे आजके दिन विश्व हँसी दिवस मनाबलगेल हए । नेपालके साथे विश्वके अन्य देशमे भी हँसी दिवस सम्पन्न भेल हए । नेपालमे भी कुछ हास्य व्यंग्यात्मक संस्था अइसन कार्यक्रमके आयोजना कके लोगके खुसी बनाबेके प्रयास कएले हए । रौतहटमे भी हाँस्य दिवसके विषयमे जानकारी राखेबाला सामाजिक संजाल फेसबुकपर हँसी दिवसके शुभकामना आदानप्रदान कएले हए । कुछ लोग चुटकिला सुनके सुनाके आ फेसबुकपर अपलोड कके हँसी दिवस मनएल्े हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें