शनिवार, 5 मई 2018

रौतहट उद्योग वाणिज्य संघके नवनिर्वाचित समितिके शपथ ग्रहण कार्यक्रम भेल हए सम्पन्न
रौतहट उद्योग वाणिज्य संघके नवनिर्वाचित जिला कार्य समितिके शपथ ग्रहण कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए । तथर्द समितिके संयोजक देवप्रयाग गुप्ताके अध्यक्षतामे संघके गौरस्थित कार्यालयमे सम्पन्न शपथ ग्रहण समारोहमे नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघके केन्द्रीय सदस्य तथा परिवहन समितिके सभापति अशोक टेमानीके प्रमुख आतिथ्यमे निर्वाचन समितिके संयोजक डा. नन्दकिशोर झा निर्वाचित अध्यक्ष तथा सदस्य लोगके शपथ ग्रहण करएले छत । पंडितप्रसाद जयसवालके अध्यक्षतामे संघके नयाँ कार्यसमिति चयन भेल हए । शपथ ग्रहण कार्यक्रममे सम्पूर्ण निर्वाचित सदस्यके सहभागिता रहल रहे । कार्यक्रममे जिला समन्वय समिति रौतहटके सभापति राम एकबाल राय यादव, प्रमुख जिला अधिकारी गोविन्द रिजाल, नेपाल प्रहरीके एसपि यज्ञविनोद पोखरेल, गौर नगरपालिकाके मेयर अजय गुप्ता, कर कार्यालयके प्रमुख बलिराम यादव, नागरिक समाज रौतहटके अध्यक्ष जगन्नाथ केशरी, खड्गप्रसाद बम्जन, नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघके पूर्व केन्द्रिय सदस्य धर्मनाथप्रसाद जयसवाल, लगायतके लोग मन्तव्य व्यक्त करइत रौतहट उद्योग वाणिज्य संघके आगामी तीन बरिसमे होसकेबाला सम्पूर्ण सहयोग करेके प्रतिबद्धता व्यक्त कएले छत । उद्योग वाणिज्य संघके विभिन्न किसिमसे सहयोग करेबाला दर्जनो लोगके सम्मान भी कएलगेल कार्यक्रममे उपस्थित सभीके संघके पूर्व महासचिव वृजकिशोर यादव स्वागत आ संचारकर्मी संजय मित्र कार्यक्रमके संचालन कएले रहलन । कार्यक्रममे संघके सुन्दर किसिमसे संचालन करेके प्रतिबद्धता नवनिर्वाचित अध्यक्ष जयसवाल व्यक्त कएले छत ।
कर्कचके एगो बालक हए चार दिनसे बेपत्ता
रौतहटके देवाही गोनाही नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ कर्कचके एगो बालक चार दिनसे बेपत्ता रहल हए । बुधवारके दिन सबेरे साइकिलसे पढे जाएके लेल कटहरिया निकलल १४ बरिसके राजकिशोर यादव वेपत्ता भेल हए । स्थानीय श्यामबाबु यादवके लडका राजकिशोर यादव कटहरियामे त्रिशक्ति बोर्डिङमे कक्षा ७ मे पढइत हए । बुधके दिन सबेरे स्कुलके निकलल बालक यादव स्कुल नजाके वेपत्ता भेल हए । चार दिनसे बालकके खोजी होरहल लेकिन केनहु नदेखलगेल अभिभावक श्यामबाबु यादवके कहनाम रहल हए ।
नेपाल पत्रकार महासंघके प्रदेश निर्वाचन भेल सम्पन्न
नेपाल पत्रकार महासंघके प्रदेश निर्वाचन सम्पन्न भेल हए । देशके सातो प्रदेशमे एक साथ संघके प्रदेशस्तरीय निर्वाचन सम्पन्न भेल हए । एही क्रममे रौतहटमे भी प्रदेश निर्वाचन सम्पन्न भेल हए । महासंघके रौतहट शाखा कार्यालय गौरमे जिलाके सम्पूर्ण मतदाताके लेल मतदान केन्द्र तोकलगेल रहे । ७७ मतदाता रहल रौतहटमे ६७ मत गिरल हए । जिलामे केन्द्रीय गठबन्धनके पक्षमे बेसी भोट गिरल होसकेके पूर्व अनुमान कएलेल हए । निर्वाचन सम्पन्न होएलाके तुरन्त बाद मतगणना सुरु होएके जिला शाखाके सभापति रवीन्द्र साह जानकारी करएले छत ।
बिषाधियुक्त आम नखाएके लेल अपति कएले हए उपभोक्ता मन्च

उपभोक्ता हित संरक्षण मंच जिला कार्य समिति रौतहट अभि के समयमे मिल रहल आम विषधिमुक्त रहलासे आम किनके नखाएके लेल अपिल कएले हए । रौतहट लगायत तराई क्षेत्रमे बजारमे विक्रिके लेल राखलगेल आम नखाएवाला आ विषाधियुक्त रहलासे खएलापर सर्वसधारण विरामी होरहलासे नआएके लेल अपिल कएले हए । बहुत नाफा आर्जन करेके उद्देश्यके साथे मौषम आ सिजन विपरित विषदी प्रयोग कके जबरजस्ति पियर बनाके भारतसे नेपालके बजारमे लेआएल आम खएलासे रिङ्गटा लगकेके, वाकवाकी आबेके, पेटमे धाह मारके जइसन समस्या आरहल हए। ओहीसे अभि बजारमे रहल काब्रोहाईड्रेड लगायतके मन्द विषदी प्रयोग भेल आम खरिद कके सेवन नकरेके लेल आम उपभोक्तासे अनुरोध कएल गेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें