गुरुवार, 3 मई 2018

रेडियो मधेस मसलासे नगर सन्दर्भ नयाँ कार्यक्रम होरहल हए सुरु
मध्य मधेसके सबसे प्रिय रेडियोके रुपमे रहल रेडियो मधेस मसलाके अपन उत्पादनके रुपमे नया कार्यक्रम सुरु भेल हए । गरुडा नगरपालिका कार्यालय गरुडा आ रेडियो मधेस मसला एफएमके संयुक्त सहकार्यमे नयाँ कार्यक्रम सुरु होरहल हए । नयाँ कार्यक्रमके नाओ नगर सन्दर्भ रहल हए । नगर सन्दर्भ कार्यक्रममे गरुडा नगरपालिकासे सम्बन्धित सम्पूर्ण गतिविधिपर नजर रखइत हरेक गरुडाबासीके आवाज जनजनतक पुगाबेके काम हाई । गरुडा नगरपालिकाके विकास, निर्माण, शिक्षा, स्वास्थ तथा गरुडा नगरपालिकाके काम कारबाहीपर जनताके अपेक्षा आ आलोचना लगायत सम्पूर्ण सामग्रीस भरल पुरल नगर सन्दर्भ कार्यक्रम संचालन होरहल हए । हप्ताके दू दिन शुक्रबार आ सोमवार साँझके साढे ७ बजेसे आठ बजेतक आ पुनः प्रसारण एतबार आ बुधके दिनके एक बजेसे डेढ बजेके समयमे सम्पूर्ण स्रोतालोग नगर सन्दर्भ सुन सकइछी । गरुडा नगरपालिकाके काम कारबाहीके विषयमे भी सर्वसाधारण अपन धारणा राख सकइछी । कार्यक्रमके विषयमे अपन राय रेडियो मधेस मसला एफएमके सामाजिक संजाल फेसबुकपर अपन विचार प्रस्तुत करसकइछी । अइसही नगरपालिकाके विषयमे होरहल सकारात्मक कामके भी जनजनमे पहुचाबेला अपन भूमिका निर्वाह करसकइछी । अपन विचार, समाचार, सुझाव चाहे नगरपालिकाके विषयमे कौनो कमी कमजोरी हए त रेडियो मधेस मसला एफएमके इमेल आइडी चबमष्यmm।लभधक।अयmमे भी अपन विचार भेज सकइछी । नगरबासीसे सिधा सरोकार राखेबाला विषय, टिप्पणी आ प्रतिक्रियाके नगर सन्दर्भ कार्यक्रममे प्राथमिकताके आधारपर स्थान देहल जाई । गरुडा नगरपालिका आ रेडियो मधेस मसला एफएमके सहकार्यमे होएबाला पहिल कार्यक्रम होएलासे प्रबुद्ध स्रोतालोगके ध्यान नगर सन्दर्भ कार्यक्रमके ओर जाएके विश्वास नगरपालिका आ रेडियो मधेस मसला एफएम रखले हए ।

शिक्षक पटेलके मृत्युपर शोक मनाबेला आग्रह कएले हए शिक्षक संगठन
रौतहटमे कार्यरत अवस्थामे एक जने शिक्षकके मृत्यु भेल हए । आधारभूत विद्यालय देवाहीमे कार्यरत एकजने शिक्षकके मृत्यु भेल हए । देवाहीमे रहल सशस्त्र प्रहरी बल नेपालके बेस कैम्पके नजदिकमे रहल आधारभूत विद्यालयमे कार्यरत देवाही गोनाही नगरपालिका वार्ड नम्बर ८ के घरभेल शिक्षक फेकु प्रसाद पटेलके मृत्यु भेल हए । कुछ दिनसे बेमार रहल शिक्षक पटेलके मृत्यु होएलापर नेपाल राष्ट्रिय शिक्षक संगठन श्रद्धान्जलि व्यक्त कएले हए । संगठनके रौतहट अध्यक्ष मणिशंकर लाल निधि संगठनके ओरसे शिक्षक पटेलप्रति श्रद्धान्जलि व्यक्त करइत जिलाके सम्पूर्ण विद्यालयमे शोक मनाबेला आग्रह कएले छत ।

मावि गेडहीमे दुसरका अभिभावक भेला भेल हए सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ गेडहीमे रहल सामुदायिक विद्यालयके दुसरका अभिभावक भेला सम्पन्न भेल हए । चार बरिससे बेसी समयसे विद्यालयमे व्यवस्थापन समिति नरहलापर विद्यालयके व्यवस्थापनमे समस्या आरहल अवस्थामे समिति गठनके लेल गत वैशाख १५ गते पहिलबेर व्यवस्थापन समितिके भेला बोलाबलगेल रहे । अभिभावक लोगके पहिल भेलासे आन्तरिक कुछ नीति नियम बनबइत शान्तिपूर्ण सम्पन्न होएलापर दुसरका अभिभावक भेला वैशाख २० गते तोकलगेल रहे । वैशाख २० गते भी मावि गेडहीके अभिभावकके साथे विभिन्न बुद्धिजीवी तथा समाजसेवी, राजनीतिक कार्यकर्ता लगायतके उपस्थिति रहल रहे । दुसरका अभिभावक भेलामे विद्यालय व्यवस्थापन समितिके गठन नहोए सकल हए । तिसरका अभिभावक भेल फेर जेठ २ गते होएके सहमति बनल विद्यालयके प्रधान शिक्षक रेणु गुप्ता जानकारी करएले छत ।

मोटरसाइकिल दुर्घटनामे मौलापुरमे एकजने युवकके भेल हए मृत्यु
मोटरसाइकिल दुर्घटनामे मौलापुरके एकजने युवकके मृत्यु भेल हए । मौलापुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ५ मे रहल भित्री सडक खण्डके भकुवा नदीके पुलपर बा ३३ प २०९० नम्बरके मोटरसाइकिल दुर्घटना होएलासे मोटरसाइकिल चलाबेबाला युवकके घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । मोटरसाइकिल चलाबेबाला युवक देवाही गोनाही नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ के रहनिहार १९ बरिसके सन्तोष पटेलके मोटरसाइकिल दुर्घटनामे घटनास्थलमे ही मृत्यु भेल हए । घटनाके विषयमे रौतहट पुलिस अनुन्धान कररहल हए ।

सबारी दुर्घटनामे परके बारामे एकजने ज्येष्ठ नागरिकके भेल हए मृत्यु

बारा जिलामे सबारी दुर्घटनामे एकजने वृद्धके मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके जितपुर सिमरा उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १ मे रहल सडकपर ना ७ ख ७४१ नम्बरके टैँकरके ठोकरसे एगो पैदल यात्री वृद्धके मृत्यु भेल हए । मृत्यु होएबालामे ७० बरिसके वृद्ध स्थानीय रत्नप्रसाद पौडेल रहल हए । टैँकरके ठोकरसे गम्भीर घाएल होएलाबाद पौडेलके इलाजके लेल नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल वीरगंजमे पेठएलाके बाद इलाजके क्रममे ही पौडेलके मृत्यु भेल हए । टैँकरके चालक आ टैँकरके बारा पुलिस नियन्त्रणमे लेके आवश्यक कारबाही अगाडि बढएले खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें