बुधवार, 2 मई 2018

जनसाहित्य मंच रौतहट भेल हए पुनर्गठन
भाषा साहित्य आ संस्कृतिके क्षेत्रमे कार्यरत जनसाहित्य मंच रौतहटके पुनर्गठन भेल हए । रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडाके मित्रनगरमे रहल तुलसीलाल स्मृति प्रतिष्ठानमे जनपक्षीय साहित्यकार लोगके भेलासे जनसाहित्य मंचके पुनर्गठन कएलगेल  हए । साहित्यकार श्याम सहनी चन्द्रांशुके अध्यक्षता तथा पूर्व साँसद रामकुमार भटराईके प्रमुख आतिथ्यमे भेल जनपक्षीय साहित्इकार लोगके भेलासे चन्द्रांशुके ही संयोजकत्वमे १५ सदस्यीय जनसाहित्य मंच रौतहटके पुनर्गठन कएलगेल हए । मंचमे साहित्यकार रेणु गुप्ता, भोला पासवान, मौजेलाल साह, संगीता कुमारी सहनी, राम दिनेश प्रसाद, सफिन्द्र प्रसाद यादव, सत्यनारायण सहनी, समतोलिया मुखिया लगायतके लोग रहल हए । भेलामे जनसाहित्य मंच प्रदेश २ के संयोजक भागवत आचार्यलगायत अन्य विभिन्न लोगके सहभागिता रहल संयोजक चन्द्रांशु जानकारी करएले छत ।

मई दिवस गरुडामे संयुक्त रुपमे भेल हए सम्पन्न

रौतहटके गरुडामे मई दिवस संयुक्त रुपसे मनाबलगेल हए । रौतहटके गरुडा स्थित श्री राम सुगर मिल्समे औपचारिक रुपसे दर्तामे रहल चारगो मजदुर संगठन मिलके संयुक्त रुपसे मई दिवस मंगलवार मनएले हए । १२९ मा मई दिवसके अवसरपर सभी मजदुर युनियनके संलग्नतामे विभिन्न नारा लगबइत पहिले बजार परिक्रमा कएलगेल रहे । बजार परिक्रमाके बाद उद्योग परिसरमे पुगके सभामे परिणत भेल कार्यक्रममे मन्तव्य व्यक्त करइत विभिन्न मजदुर नेतालोग मजदुरके हक हितमे आवाज उठएले छत । कार्यक्रम भव्यतापूर्वक सम्पन्न भेल मजदुर नेता प्रेमशंकर पाण्डे जानकारी करएले छत ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें