मंगलवार, 1 मई 2018

एक दिने निःशुल्क आयुर्वेद स्वास्थ्य शिविर सम्पन्न
रौतहटके चन्द्रपुर नगरपालिकामे एक दिने निशुल्क आयुर्वेद स्वास्थ्य शिविर सम्पन्न भेल हए। चन्द्रपुर नगरपालिकाके सहयोग आ जिला आयुर्वेद स्वास्थ्य केन्द्र रौतहटके आयोजनामे जनज्योति उच्च मावि चन्द्रनिगाहपुरमे सम्पन्न एक दिने निःशुल्क आयुर्वेद स्वास्थ्य शिविर चन्द्रपुर नगरपालिकाके विभिन्न वडा से करिब पाँच सय रोगी उपचारके लेल आएल जिला आयुर्वेद स्वास्थ्य केन्द्र रौतहट जनएले हए । विभिन्न रोगसे ग्रसित रोगीसब शिविरमे आके उपचार करएलाके वाद रोगीसब आवश्यकता अनुसारके औषधी भि निःशुल्क वितरण कएल गेल जिल आयुर्वेद स्वास्थ्य केन्द्र रौतहटके निमित प्रमुख विनय झा जानकारी करएले हए। पछिला कुछ समयमे आयुर्वेद प्रति आम आदमिके विश्वास घटल बात बजारमे आएलाके वाद भि आयुर्वेद शिविरमे सहभागीसबके देखलाके वाद ओइसन कहनाम सब गलत सावित भेल देखल गेल हए। आयुर्वेद शिविरमे अपना जिवन हि आयुर्वेद प्रति सर्मित कएले व्यक्तिसबके समान समेत  कएल गेल रहे । कार्यक्रममे डा. नन्द किशोर झा आ डा. शालीग्रम शर्माके प्रमाणपत्र देके सम्मानित कएल गेल हए । उदघाटना कार्यक्रममे सम्बोधन करइत चन्द्रपुर नगरपालिकाके मेयर रामचन्द्र चौधरी सदैब आयुर्वेदके सहयोग करेके प्रतिबद्धता जनएले रहलन। कार्यक्रममे चन्द्रपुर नगरपालिका वडा नम्बर ४ के वडाध्यक्ष खडठ बहादुर कुशवाहाके अध्यक्षतामे उदभाटना कार्यक्रम सम्पन्न भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें