सोमवार, 30 अप्रैल 2018

शुभकामना आदानप्रदानके साथ मनाबलगेल हए बुद्ध जयन्ती
रौतहटमे भी शुभकामना आदानप्रदानके साथ बुद्ध जयन्ती मनाबलगेल हए । २५ सय बरिस पहिले मधेसके ही लुम्बिनीमे एगो राज परिवारमे जन्म लेले सिद्धार्थ गौतम एगो बेटाके जन्म होएलाके बाद अपन राजपाट आ घरके छोडके ज्ञानके खोजीमे निकलगेल रहे । भारतके बिहारमे रहल गयाके नजदिकके बोध गयामे ज्ञान प्राप्त कएले सिद्धार्थ गौतमके नाओ गौतम बुद्ध होगेल । अपन जीवनभर अन्धविश्वासके विपक्ष आ मानवताके पक्षमे निरन्तर उपदेश देबेबाला गौतम बुद्धके अपना जीवनमे ही लाखो समर्थक बनगेल रहे । लाखो लोग बौद्ध भिक्षु बनल रहे । हुनका जीवनमे ही बहुत लोग तथागतके भगवान मानेलागल रहे । गौतम बुद्धके मृत्यु भारतके ही कुशीनगरमे भेल रहे । नेपालके मधेसमे जनम लेले एगो मधेसी लइकाके बौद्ध धर्मके संसारके विभिन्न देशमे राजधर्मके रुपमे रहल हए । गौतम बुद्धके जन्म, ज्ञान प्राप्ति आ मृत्यु तिनु घटना वैशाख पुर्नेमाके दिन ही भेल मानलगेल हए । रौतहटमे अत्यन्त अल्प संख्यामे रहल बौद्ध धर्मावलीलोग सोमवार साँझमे अपना घरमे दीपावली कके बौद्ध जयन्ती मानरहल हए । बुद्ध जयन्तीके अवसरपर बौद्ध धर्मावलम्बी गुम्बामे पूजा आ प्रार्थना कएले हए । अन्य सर्वसाधारण रौतहटिया नागरिक भी शुभकामना आदान प्रदान करइत बुद्ध जयन्ती मनएले हए । एसियाके तारा मानेजाएबाला गौतम बुद्धसे शान्तिके सन्देश लेल जाइअ ।

बजेट तर्जुमा सम्बन्धी तालिम चन्द्रपुरमे भेल हए सुरु
बजेट तर्जुमा सम्बन्धी दू दिवसीय तालिम चन्द्रपुरमे सुरु भेल हए । संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालयद्वारा प्लान इन्टरनेशनल नेपालके सहजीकरणमे आयोजित बजेट तर्जुमा सम्बन्धी दू दिवसीय तालिम चन्द्रपुरमे सुरु भेल हए । नगरपालिका तथा गाँओपालिकाके लेल आयोजित तालिम सोमवार आ मंगलवार चलेबाला हए । तालिममे रौतहटके सभी नगरपालिका तथा गाँओपालिका सहभागी रहल हए । तालिममे पालिका प्रमुख तथा पालिकाके प्रशासकीय प्रमुखके सहभागिता रहल हए ।

मृत अवस्थामे रौतहटमे मिलल हए एगो महिलाके लास
रौतहटमे एगो महिलाके लास मिलल हए । रौतहटके राजपुर नगरपालिका वार्ड नम्बर ७ मे रहल भकुवा नदीके किनारमे एगो महिलाके लास मिलल हए । करिब पचास बरिसके उमरके रहल महिलाके पहिचान नखुलल हए । घटनाके विषयमे रौतहट पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कमजोर बनेके सम्भावना बढल हए प्रदेश दू के सुरक्षा व्यवस्था
प्रदेश २ के सुरक्षा व्यवस्था कमजोर बनेके सम्भावना बढल हए ।  प्रदेशके पहिल प्रहरी प्रमुखके रुपमे कार्यभार सम्हारले एआईजी विजय कायस्थ रिटाएर होएलाके बाद प्रदेशके प्रहरी प्रमुख कमान्डरविहीन बनल हए । नेपाल प्रहरीके प्रमुख प्रकाश अर्यालके साथे नेपाल प्रहरीके ९ एआइजी, १६ डिआइजी आ २ एसएसपि रिटाएर भेल रहलन । ओइमे प्रदेश २ के प्रहरी प्रमुख एआइजी कायस्थ आ एकजने एसएसपि छत । इहे बैसाखके अन्तिम ओर भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी नेपालके भ्रमणके क्रममे प्रदेश २ के राजधानी जनकपुर आरहल अवस्थामे प्रदेश २ के नेपाल प्रहरी प्रमुख कमान्डरविहीन अवस्थामे रहनाइ सुरक्षाके दृष्टिसे चुनौतीपूर्ण रहल कुछ लोगके कहनाम रहल हए ।  भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीके जनकपुरमे भव्य स्वागत तथा अभिनन्दनके तैयारी चलरहल हए । भारतके बिहारके साथे प्रदेश २ के खुला सिमान जुटल रहलाके कारण भी सुरक्षा चुनौती बढल कुछ प्रहरी अधिकृत लोगके कहनाम रहल हए । नेपाल प्रहरीके प्रवक्ता मनोज न्यौपाने रिक्त भेल पदपर बढुआ करेके काम नेपाल सरकारके रहल बतबइ छत । नेपाल प्रहरीके विभिन्न प्रमुख पद ही रिक्त रहल अवस्थामे सभीपर बढुआ कके समयमे ही कामकाजमे लगानाइ उचित रहल सुरक्षाप्रति चासो राखेबाला दोसरोके भी कहनाम रहल हए । भारतीय प्रधानमन्त्री मोदीके जनकपुर आगमन विशेष होएलासे प्रदेश २ के सुरक्षा व्यवस्था विशेष कडा होएके पत्रकार मदन ठाकुर समाचार लिखले छत ।

सबारी दुर्घटनामे बारामे एक भारतीय सहित दू जनेके भेल हए मृत्यु
बारा जिलामे अलग अलग सबारी दुर्घटनामे एक भारतीय सहित दू जनेके मृत्यु भेल हए । बारा जिलाके फेटा गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ रहवाईस्थित ना १ त ५२२८ नम्बरके टेक्टरपर सबार पर्सा कालिकामाई गाँओपालिका वार्ड नम्बर २ के रहनिहार १४ बरिसके श्री रामचन्द्र साह सोनार टेक्टरपरसे गिरलापर गम्भीर घाएल भेल रहे । गम्भीर अवस्थामे सोनारके जिला अस्पताल कलैयामे इलाजके लेल भर्ना कएलापर सोनारके इलाजके क्रममे ही मृत्यु भेल हए । दुर्घटनाके बाद टेक्टर चालक फरार भेल हए । फरार टेक्टर चालकके बारा पुलिस खोजी कररहल हए । अइसही बारा जिलाके सुवर्ण गाँओपालिका वार्ड नम्बर ७ सन्फुलुवामे रहल बिआर ०५ ०३०९ नम्बरके जिपसे भारतके पूर्वी चम्पारण जिलाके रहनिहार २२ बरिसके युवक अखिलेश बैठाके ठोकर मारलासे घटनास्थलपर ही मृत्यु भेल हए । भारतीय जिपसे भारतीय नागरिकके ही ठोकर मारलाके जिपके डाइबर बेपत्ता होगेल हए । फरार डाइबरके बारा पुलिस खोजी कररहल हए ।

बाराके सिम्रौनगढमे एक महिलाके अपना घरमे ही हत्याके कएलगेल हए प्रयास
बारा जिलाके सिम्रौनगढ नगरपालिकाके एगो गाँओमे एगो महिलाके अपना घरमे ही अज्ञात व्यक्तिद्वारा हत्याके प्रयास कएलगेल हए । बारा जिलाके सिम्रौनगढ नगरपालिका वार्ड नम्बर १० देवापुर टेटा गाँओमे एगो महिलाके अपना घरमे ही हत्याके प्रयास कएलगेल हए । स्थानीय असरफ अन्सारीके २१ बरिसके घरबाली पिंकी खातुनके अपना घरमे ही हत्याके प्रयास कएलगेल हए । बाहरसे घरमे अएलापर असरफ अपना घरबालीके मुहसे खुन गिरइत बेहोस अवस्थामे बिछौनापर देखलाके बाद तत्काल नजदिकके ही क्लिनिकमे इलाजके लेल भर्ना कएलन । पाँच घन्टा लगातार इलाज चललापर खातुनके होश खुलल हए । होश खुललापर नकाब पहिरले एकजने घरमे पइँसके मुँह दाबके बेल्ट आ पगहासे नटी कसले खातुन बतएले हए । नटी कसके हत्या करे चाहेबालाके अपने नचिन्हले खातुनके कहनाम हए । एसे पहिले भी खातुनके जान मारेला अज्ञात व्यक्ति धमकी देले खातुनके कहनाम रहल हए । 

टेक्टरपरसे गिरके पर्सामे एकजने बालकके भेल हए मृत्यु

चलइत टेक्टरपरसे गिरके पर्सामे एकजने बालकके मृत्यु भेल हए । पर्सा जिलाके पर्सागढी नगरपालिका वार्ड नम्बर ६ बागेश्वरी तित्रौनामे ना ३ त ५७२५ नम्बरके टेक्टरपर काम करेबाला स्थानीय एक युवकके मृत्यु भेल हए । टेक्टरपर काम करेबाला १५ बरिसके योगेन्द्र सहनी टेक्टरपरसे गिरके घाएल भेल रहे । घाएल सहनीके एडभान्स अस्पताल वीरगंजमे इलाज होइरहे लेकिन थप इलाजके लेल काठमान्डु लेजाएके क्रममे रास्तामे ही मृत्यु भेल हए । घटनामे संलग्न रहल टेक्टरके डाइबर फरार रहल हए । फरार टेक्टर डाइबरके खोजी पर्सा पुलिस कररहल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें