रविवार, 29 अप्रैल 2018

गरुडाके करिब दर्जन स्कुलमे बढल हए विद्यार्थीके संख्या
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ गरुडामे रहल करिब एक दर्जन विद्यालयमे विद्यार्थीके संख्या बढल देखलगेल हए । गरुडा चौक, बजार आ गाँसो सहितके जनसंख्यासे बहुत बेसी गरुडाके विद्यालयमे विद्यार्थीके उपस्थिति देखलगेल हए । गरुडामे रहल दुगो सामुदायिक आ अनेक संस्थागत विद्यालय सभीमे विद्यार्थीके संख्या पर्याप्त पुगल देखलगेल हए । नयाँ खुलल संस्थागत विद्यालयमे भी विद्यार्थीके संख्या निमन देखल जारहल हए । नमुना माध्यमिक विद्यालय गरुडा आ अनाथालय प्राथमिक विद्यालय गरुडामे पर्याप्त विद्यार्थी रहल हए । अइसही संस्थागत विद्यालयमे न्यु डिभाइन लाइट, पुलिस बोर्डिङके गरुडामे रहल शाखा विद्यालय, जेम्स पब्लिक, मध्यरौतहट, बाबा विद्या निकेतन, प्रेरणा विद्या मन्दिर, द रिडर्स लगायतके विद्यालयमे अपेक्षाकृत पर्याप्त विद्यार्थी देखलगेल हए । अइसही एई सालसे नयाँ संस्थागत विद्यालयके रुपमे संचालनमे आएल गुरुकुल आ सिभिल बोर्डिङ भी पर्याप्त मात्रामे विद्यार्थी संकलन करेमे सफल भेल देखलगेल हए । संस्थागत विद्यालयमे लगानी आ सुविधा बढइत गेलासे आसपासके अन्य गाँओसे विद्यार्थी आरहल हए । अइसही गरुडासे चन्द्रपुरमे रहल प्रसादी एकेडेमी आ बालचनपुरमे रहल एभर ग्रिन बोर्डिङके साथे जिंगडियामे रहल नेपाल पुलिस बोर्डिङमे भी पर्याप्त विद्यार्थी जारहल हए । गरुडामे विद्यार्थीके उपस्थिति आ विद्यालयके संचालनमे आएल प्रतिस्पर्धाके देखके गरुडाके शैक्षिक हबके रुपमे विकास होरहल बुद्धिजीवीलोगके कहनाम रहल हए ।

मौसम बनल अनुकूल, सर्वसाधारण किसान बनल हए खुस
खेतके तैयारी कररहल आ उखमे सिंचाइ कररहल किसानके लेल एतवारके सबेरेके वर्षा बहुत काम कएले हए । सबेरे भेल वर्षासे सर्वसाधारण किसान खुसी बनल हए । गहुँ आ मसुरी करिब अपना घरमे लेआएल किसान खेतके तैयारी कररहल अवस्थामे वर्षा भेल हए । उख आ मुङके खेती कएले किसानके बहुत फाएदा भेल हए । अइसही बेमौसमी तरकारी खेती करेबाला किसानके भी निमन फाएदा भेल हए । उत्तरी क्षेत्रके मकै किसानके भी वर्षासे निमन फाएदा भेल हए । सबेरमे वर्षा भेल आ दिनभर खासे घाम नउगलासे सर्वसाधारण किसान दिनभर काम करइत देखलगेल हए ।

संगीतकार सन्तोष राजके बज्जिकामे काम करेके हए चाहना
नेपाली आ मैथिलीके विशिष्ट संगीतकार सन्तोष राज बज्जिका भाषामे भी काम करेके इच्छा व्यक्त कएले छत । रौतहटके गरुडा आएल गायक, नायक तथा विशिष्ट संगीतकार राज विजय यादव निर्बिजके साथे मिलके बज्जिका भाषाके लेल काम करेके इच्छा व्यक्त कएले छत । उदितनारायण, शारदा सिन्हाजइसन संसारमे प्रतिष्ठित गायक लोगके साथे संगीत कम्पोज कएले राजके संगीत रहल नेपाली कथानक चलचित्र नेप्टे ३० चैत शुक्रबार ही रिलिज भेल हए । नेप्टेके एगो गीतके यु–ट्युबके छओ लाखसे बेसी दर्शक देखचुकल   हए । संगीतकार राजके हिन्दीमे रहल एगो गीतके पैतीस लाखसे बेसी दर्शक यु–ट्युबमे देखचुकल हुनकर दाबी हए । अंग्रेजी फिलिममे भी संगीत देचुकल विशिष्ट संगीतकार राजके मैथिली, भोजपुरी, नेपाली, हिन्दी लगायतके भाषामे दर्जनो म्युजिक भिडियो निर्माण भेल हए । बज्जिका भाषाके विकास देखके अपना भी बज्जिकापर काम करेके चाहना रहल विशिष्ट संगीतकार राज बतएले छत ।

बाराके झरोखर पोखरी पररहल हए अतिक्रमणके चपेटमे
बारा जिलाके सिम्रौनगढ क्षेत्रमे रहल ५२ बिघाके मानव निर्मित पोखरी अतिक्रमणके चपेटमे परल हए । बढइत अतिक्रमण आ मरम्मत सम्भारके अभावमे ५२ बिघाके पोखरी अब २२ बिघामे सिमट गेल हए । नेपाल भारत सिमानके दशगजके साथे रहल पोखरी करिब आठ सय बरिस पुरान रहल मानलगेल हए । पछिलका कुछ बरिससे नेपाल आ भारत दुनु पक्षसे पोखरीपर अतिक्रमण होरहल हए । दुनु पक्षसे पोखरीके किनारपर गाई भैँसी बान्हेके, छोटमोट फुसके घर बनाबेके आ पोखरीके माटी काटेके जइसन काम होरहल स्थानीयके कहनाम हए । तत्कालीन अवस्थामे कृत्रिम तरिकासे निर्माण भेल पोखरीके किनारपर लगाबलगेल आम, लिची, कटहर जइसन विभिन्न जातके गाछके चलते जङलजइसन रहल क्षेत्र भी अब छेहर बनते जारहल हए । गुठी संस्थान वीरगंजके मातहतमे पोखरी रहल हए लेकिन २०३५ सालसे कचोर्वा गाविस एकरा आमदनीके स्रोत बनएले हए । पोखरीके आमदनी लेबेके लेकिन संरक्षणके ओर ध्यान नदेलासे पोखरी संकटमे परते जारहल हए । ऐतिहासिक सिम्रौनगढ क्षेत्रमे पोखरी होएलासे पोखरीके रेखदेखके जिम्मा सिम्रौनगढ नगरपालिका अपना हाथमे लेके संरक्षण आ प्रचार प्रसार कएलापर पर्यटकीय क्षेत्र होएके सम्भावना रहल स्थानीय पत्रकार रामेश्वर मेहता जानकारी करएले छत ।

सोनाजइसन लौकेबाला पियर पदार्थ बारामे भेल हए बरामद
बारामे एकजने युवक सोनाजइसन पियर पदार्थ पुलिस बरामद कएले हए । बाराके सिमरा जितपुर उपमहानगरपालिका वार्ड नम्बर १४ मे रहल दुधौरा नदीके कातसे सोनाजइसन पियर लौकेबाला फाइन गोल्ड ९९.९ लिखल करिब पाँच सय ६७ ग्रामके एगो धातु पुलिस बरामद कएले हए । बेहरी एरियामे स्थानीय ३६ बरिसके जितेन्द्र चौधरी सोनाजइसन लौकेबाला पियर पदार्थ बेचरहल सूचना पुसिलके प्राप्त होएलापर इलाका प्रहरी कार्यालय सिमरासे खटल प्रहरीके टोली चौधरी दुधौरा नदीके बालुमे उक्त पदार्थ बिगके भागल रहे । सामान बरामद कके बारा पुलिस फरार रहल चौधरीके खोजतलास कररहल हए । सामानके विषयमे भी बारा पुलिस अनुसन्धान कररहल खबर हए ।

अरबके जनसंख्याके जेतना युपिमे १० आ १२ के विद्यार्थी कएले हए पास

भारतके उत्तर प्रदेशमे कक्षा १० आ १२ के रिजल्ट माध्यमिक शिक्षा परिषद निकालले हए । दुनु परीक्षामे करिब ७४ प्रतिशत परीक्षार्थी उत्तीण भेल हए । माध्यमिक शिक्षा परिषदके रिजल्टके मोताबिक कक्षा १० रिजल्टमे २२ लाख ७६ हजार ४४५ आ कक्षा १२ के रिजल्टमे १८ लाख ८६ हजार ५० विद्यार्थी पास भेल हए । कक्षा १० आ १२ दुनुके मिलाके ४१ लाख ६२ हजार ४९५ परीक्षार्थी पास भेल हए जे कुवैत देशके जनसंख्याके करिब बराबर रहल हए । अरब देश कुवैतके जनसंख्या ४१ लाख ३६ हजार ५२८ रहल हए । भारतके एगो प्रान्तके निकलल दुगो कक्षाके रिजल्टमे पास परीक्षार्थीके एतना एगो देशके कुल जनसंख्या होनाइ एगो संयोगके बात रहल भारतीय मिडियासब उलेख कएले हए ।  

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें