शनिवार, 28 अप्रैल 2018

मावि गेडहीके पहिल अभिभावक भेला भेल सम्पन्न
रौतहटके गरुडा नगरपालिका वार्ड नम्बर २ मे रहल माध्यमिक विद्यालयमे प्रथम अभिभावक भेला सम्पन्न भेल हए । चार बरिससे विद्यालय व्यवस्थापन समिति नरहल विद्यालयमे विद्यालय व्यवस्थापन समिति गठन करेला प्रथम अभिभावक भेला सम्पन्न भेल हए । पहिल अभिभावक भेलामे दुसरका अभिभावक भेला शनिवार ही दुपहरियामे करेके निर्णय भेल लेकिन दुपहरियामे लोगके व्यस्तताके चलते आगामी २० गते फेर अभिभावक भेला तोकलगेल हए । विद्यालय व्यवस्थापन समिति निर्माण करेला विभिन्न विषय आ पक्षपर सकारात्मक छलफल भेल हए । भेलामे स्रोत व्यक्ति नागेन्द्र साह, नगर शिक्षा संयोजक मौजेलाल राय यादव, वडाध्यक्ष विशुनदयाल सहनी लगायत गेडहीके प्रमुख राजनीतिक कार्यकर्ता, बुद्धिजीवी, समाजसेवी, अभिभावक लगायतके उपस्थिति रहल रहे ।

दुपहरियाके करिब एक बजेसे चपुर आ गरुडाके एनटिसि मोबाइल सेवा बनल अवरुद्ध
रौतहटके गरुडा आ चन्द्रपुरमे करिब पाँच घन्टा एनतिसिके मोबाइल सेवा अवरुद्ध रहल  हए । करिब एकबजेसे नेपाल टेलिकमके सिममे टाबर देखानाइ बन्द कएलाके बाद साँझके छओ बजेमे कुछ मिनट बाँकी रहलापर मात्रे आएल हए । चन्द्रपुरमे भी नेपाल टेलिकमके टाबर अवरुद्ध बनल पत्रकार यादवराज पुरी जानकारी करएले छत । करिब पाँच घन्टा टाबर अवरुद्ध रहलासे सर्वसाधाराण् उपभोक्ता बहुत परसान बनल रहे ।

गढीमाई नगरपालिकाके दुगो वार्ड भेल हए खुला दिसामुक्त

रौतहटके गढीमाई नगरपालिकाके दुगो वार्ड खुला दिसामुक्त घोषणा भेल हए । गढीमाई नगरपालिकाके वार्ड नम्बर ६ आ ७ धर्मपुर एक समारोहबीच खुला दिसामुक्त घोषित भेल हए । जिला समन्वय समिति रौतहटके सभापति राम एकबाल राय यादव दुगो वार्डके खुला दिसामुक्त घोषणा कएले छत । वडा नम्बर ६ के रामा सिंहासन राय यादवके अध्यक्षता तथा वडा नम्बर ७ के वडाध्यक्ष जुबैर अन्सारीके सहअध्यक्षतामे भेल कार्यक्रममे जिला प्रशासन कार्यालय रौतहटके सहायक प्रमुख जिला अधिकारी, नगर प्रमुख श्यामप्रसाद यादव, उपमेयर शुभद्रा गुप्ता, गढीमाई नगरपालिकाके प्रशासकीय प्रमुख नरहरि विक, विभिन्न वार्डके वडाध्यक्षके साथे नगरपालिकाके सम्पूर्ण कर्मचारी आ जनसमुदायके उपस्थिति रहल रहे । कार्यक्रममे मन्तव्य व्यक्त करेबाला विभिन्न क्षेत्रके लोग गाँओ खुला दिसामुक्त होएलासे सभ्यताके ओर अग्रसर भेल कहइत खुसी व्यक्त कएले छत । गढीमाई नगरपालिका कार्यालयके सामाजिक शाखा प्रमुख रामगीर मुखियाद्वारा सञ्चालित कार्यक्रममे गाँओके खुला दिसामुक्त बनाबेमे सहयोगी भूमिका निर्वाह करेबाला विभिन्न महानुभावके सम्मानित कएलगेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें