शुक्रवार, 27 अप्रैल 2018

सत्याग्रहके सुशासन सम्बन्धी एक दिवसीय अन्तरक्रिया गरुडामे भेल सम्पन्न
रौतहटके गरुडामे सत्याग्रह वीरगंजके आयोजनामे स्थानीय तहमे सुशासन विषयक एक दिवसीय अन्तरक्रिया सम्पन्न भेल हए । नमुना मावि गरुडामे विद्यालयके प्रधान शिक्षक प्रभु राउतके अध्यक्षता तथा गरुडा नगरपालिकाके नगर प्रमुख इन्नु राय यादवके प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न कार्यक्रममे गरुडाके राजनीति कार्यकर्ता, शिक्षक, समाजसेवी, बुद्धिजीवी, सञ्चारकर्मी, वडाध्यक्ष तथा सर्वसाधारणके सहभागिता रहल रहे । कार्यक्रमके वक्तालोग गरुडा नगरपालिकामे सुशासनके लेल विभिन्न सुझाव प्रस्तुत कएले छत । कार्यक्रमके उदेश्यके विषयमे सत्याग्रह वीरगंज संस्थाके प्रमुख एवं बीबीसी नेपाली सेवामे विश्लेषक तथा अग्रज पत्रकार चन्द्रकिशोर प्रकाश पारले रहलन । सञ्चारकर्मी सञ्जय मित्रद्वारा संचालित कार्यक्रममे उपस्थित सभीके पत्रकार प्रेमचन्द्र झा स्वागत कएले रहलन । कार्यक्रममे मन्तव्य व्यक्त करेबाला सभी लोग अइसन कार्यक्रम कम्तीमे तीन महिनामे एकबेर होइत रहेके अपेक्षा कएले छत ।

कक्षा १२ के परीक्षा पहिल दिन शान्तिपूर्ण भेल सम्पन्न
राष्ट्रिय परीक्षा बोर्डद्वारा सञ्चालित कक्षा १२ के परीक्षा शान्तिपूर्ण सम्पन्न भेल हए । परीक्षाके पहिल दिन अनिवार्य अंग्रेजी विषय शान्तिपूर्ण रुपसे सम्पन्न भेल हए । सबेरे सात बजेसे सुरु भेल परीक्षा दश बजेतक चलल हए । पूरा तीन घन्टातक चलल परीक्षा जिलामे अत्यन्त शान्तिपूर्ण ढंगसे सम्पन्न भेल हए । कुछ परीक्षा केन्द्रपर सुरक्षाकर्मी हथियारसहित परीक्षा हलमे प्रवेश कएले गुनासो भी सुनलगेल हए लेकिन विद्यार्थी तथा शिक्षकसे एकर पुष्टि नहोएसकल हए । परीक्षाके मर्यादित बनाबेला अनुगमन भी कडा बनाएलगेल हए । स्थानीय सरकारद्वारा भी परीक्षाके अनुगमन कएलजारहल हए । मध्यरौतहटके सभी परीक्षा केन्द्रपर अंग्रेजी विषयके परीक्षा शान्तिपूर्ण सम्पन्न भेल हए । पहिलबेर कक्षा १२ के परीक्षाके रिजल्ट ग्रेड प्रणालीमे आबेबाला भेल हए । रिजल्ट ग्रेड प्रणालीमे आबेबाला होएलासे परीक्षाके प्रति अधिकांश परीक्षार्थी सकारात्मक देखलगेल हए ।


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें