कक्षा १२ के परीक्षाके
पूर्व सन्ध्यामे गरुडामे बढल हए चहलपहल
राष्ट्रिय
परीक्षा बोर्डद्वारा लेबे जाएबाला कक्षा १२ के परीक्षा शुक्रबारसे सुरु होरहल हए ।
परीक्षाके सम्पूर्ण तयारी पूरा भेल हए । जिलाके विभिन्न विद्यालयमे नयाँ परीक्षा केन्द्र
कायम कके भी परीक्षा लेल जारहल हए । मध्यरौतहटके गरुडामे परीक्षाके पूर्व सन्ध्यामे
विद्यार्थीके चहलपहल बढल हए । गरुडा, मलाही, धरहरी आ सखुअवा धमौरा केन्द्रपर परीक्षा
देबेबाला बाहरके परीक्षार्थीके भीड गरुडामे लागल हए । गरुडाके करिब सभी लज परीक्षार्थीसे
भरल हए । चारगो केन्द्रके लेल गरुडा बजार अपनेआपमे एगो केन्द्र होएलासे बाहरिया विद्यार्थी
आ ओकर अभिभावकके कारण गरुडा बजारपर चहल पहल बढल हए ।
मौसममे सुधार अएलासे
जनजीवनमे परल सकारात्मक प्रभाव
बिफेके
दिनके मौसम सर्वसाधारणके अनुकुल रहल हए । आधा बैसाखमे दिनभर पुर्वैया हावा चलल आ खासे
घाम उगलासे सर्वसाधारण दिनभर काम करइत देखलगेल हए । हल्का बादल लागल आ दिनभर पुर्वैया
हावा जोरसे बहलासे गर्मीके तनिको अहसास नभेल हए लेकिन गरदा धुरा उडलासे कुछ परसानी
बढल हए । सबेरेसे साँझतक एके किसिमके शान्त मौसम रहलासे सर्वसाधारणके बैसाखके जइसन
तनिको मौसम नलागल हए । वैसाखके मौसम अनुकूल नबुझएलासे खेतीपाती, बन्द बेपार आ अन्य
गतिविधि भी निमनसे चलल हए । कुछ दिन पहिले घाम अत्यधिक बढलाके कारण जनजीवन प्रभावित
भेल रहे बिफेके मौसमसे सभी पक्षके सकारात्मक बनएले हए । दिनभर हल्का ठन्ढा हावा चलइत
रहलाके कारण हल्का ठन्ढा पदार्थके बिक्री दोसरा दिनके तुलनामे बहुत कम बिक्री भेल हए
। हल्का ठन्ढा पेय पदार्थके बिक्री प्रभावित होएलाके अलाबा बाँकी सम्पूर्ण दृष्टिसे
मौसम अनुकुल रहल हए ।
सिम्रौनगढ नगरपालिकामे
संघर्ष समिति भेल हए गठन
बाराके
सिम्रौनगढ नगरपालिकामे होरहल अनियमितताके रोकेला संघर्ष समितिके गठन कएलगेल हए । सिम्रौनगढ
नगरपालिकासे होरहल विकास निर्माणके काममे अनियमितता भेल कहइत स्थानीयबासीके भेलासे
संघर्ष समितिके गठन कएलगेल हए । नगरपालिकाके विकास निर्माणमे होरहल अनियमितता नियन्त्रण
करेला आ विकास निर्माणके कार्यके प्रभावकारी रुपसे अगाडि बढाबेला भेला आयोजना कएलगेल
आ ओकरे निगरानीके लेल संघर्ष समिति गठन कएलगेल बताबलगेल हए । एमाले सिम्रौनगढ नगर समितिके
अध्यक्ष गगनदेव प्रसाद कुशवाहाके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेलासे कुशवाहाके ही अध्यक्षतामे
१३ सदस्यीय संघर्ष समिति गठन कएलगेल खबर प्राप्त भेल हए ।
अव्यवस्थित मास
बिक्रीविरुद्ध पर्सामे चलाएगेल हए अभियान
पर्सा
जिलाके रंगपुर लगायतके क्षेत्रमे अव्यवस्थित किसिमसे अस्वस्थ मास बिक्री वितरण होरहल
हए । गर्मीके समयमे खसी आ मुर्गाके मास खुला रुपस बेचलापर अस्वस्थकर होरहल आ मास खाके
उपभोक्ता बेमारी पररहल देखलगेल हए । मास ऐन २०५५ के विपरीत जिलाभर मास बिक्री होरहलापर
भी सम्बन्धित स्थानीय निकायके ध्यान पुगे नसकल हए । स्थानीय तह गठन होएलाके बाद भी
स्वस्थ मास बिक्रीके लेल गाँओपालिका आ नगरपालिकाके ओरके कौनो पहल नहोरहल हए । पर्साके
विभिन्न गाँओपालिका आ नगरपालिकामे खुला रुपसे मुर्गा आ खसीके मास बेचलापर माछी झुकइत
रहेके आ धुरा गरदा परइत रहेके देखके भी सम्बन्धित निकाय मौन रहल देखलगेल हए ।
हर साल शिक्षामे
घटते जारहल हए बजेट
नेपालके
बजेट हर साल शिक्षाके क्षेत्रमे प्रतिशतके दृष्टिकोणसे घटइगेल हए । शिक्षाके सुधारके
लेल देशके कुल बजेटमे कम्तीमे बीस प्रतिशत बजेट आवश्यक रहल मान्यता हए लेकिन नेपालमे
चालू आर्थिक वर्षमे ९.९१ प्रतिशत बजेट मात्रे रहल हए । आर्थिक वर्ष २०६७।६८ मे कुल
बजेटके १७.११ प्रतिशत बजेट शिक्षाके क्षेत्र रहे लेकिन हर साल घटइगेलासे गुणस्तर सुधार
चुनौतीपूर्ण बनल विश्लेषण कएल जारहल हए । चालू आर्थिक वर्षमे शिक्षाके लेल एक अरब छबीस
अरब बजेट विनियोजन भेल हए जेमेसे साठ अरब शिक्षक कर्मचारीके तलब भत्तामे खर्च होरहल
हए । शिक्षा सुधारके कार्यक्रम एसडिपिमे बत्ती अरब रुपैया मात्रे विनियोजन भेल हए ।
बजेट घटते गेलासे शिक्षाके गुणस्तरमे अपेक्षित सुधार नहोरहल विश्लेषण कएलगेल हए ।
आगामी आर्थिक वर्षमे
भी शिक्षामे कम बजेट होएके बढल हए सम्भावना
आगामी
आर्थिक वर्षमे भी शिक्षाके बजेट कम होएके सम्भावना बढल हए । कुल बजेटके बीस प्रतिशत
शिक्षामे बजेट होएके अन्तर्राष्ट्रिय मान्यता रहल आ देश भी विश्वके विभिन्न मंचपर प्रतिबद्धता
जनएले हए । वाम गठबन्धनके घोषणापत्रमे भी शिक्षाके प्राथमिकता देबेके बात उलेख कएलगेल
हए लेकिन एगो कार्यक्रममे शिक्षा मन्त्री गिरिराजमणि पोखरेल आगामी आर्थिक वर्षमे भी
शिक्षामे बजेट नबढेके संकेत कएले छत । शिक्षाके लेल विश्वव्यापी कार्य सप्ताहके अवसरपर
बिफेके दिन आयोजित अन्तरक्रियामे बोलइत शिक्षा मन्त्री पोखरेल बेजे बढाबेला राजनैतिक
दल तथा शिक्षा क्षेत्रमे क्रियाशील संघ संस्थाके लबिंग करेके अपेक्षा व्यक्त कएले छत
।
समुन्दरमे विशाल
पुल निर्माण कएले हए चीन
समुन्दरमे
विशाल पुल निर्माण कके चीन अपन इन्जिनियरिङ दक्षताके परिचय संसारके देले हए । नयाँ
पुल हङकङके चीनके दक्षिणी सहर झुहाइ आ मकाओके गैमलिंग एनक्लेभसे जोडरहल हए । समुन्दरमे
निर्माण भेल पुलके कारण तीन घन्टाके दुरी घटके अब तीस मिनटमे सीमित भेल हए । पुलके
निर्माणमे नौ वर्ष लागल हए । पुलके निर्माणमे लागल स्टिलसे साठगो नयाँ एफिल टाबरके
निर्माण होसकइअ । पुल ४ लाख २० हजार टन स्टिलसे निर्माण भेल हए । पुल निर्माण करेला
चीन सरकार १६.८ बिलियन डलर खर्च कएले हए । पुलके निर्माणमे बहुत कठिनाइके सामना करेके
परल रहे । सबसे कठिन निर्माण ६.७ किलोमिटर गुफामे सडक निर्माण करनाइ रहे । पुलके विशेषता
इ हए कि पानीमे डुबल एगो सुरुङके निर्माण भी कएलगेल हए । सुरक्षाके दृष्टिकोणसे पानीमे
डुबल सुरुङबाला सडकके निर्माण कएलगेल हए । एई पुलपर कौनो भी आदमी पैदल नचल सकइअ । समुन्दरमे
बनल अभितकके सबसे लमहर पुल इहे रहल हए ।
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें