बुधवार, 25 अप्रैल 2018

भुइँकपके तीन बरिस भेल पूरा, सर्वासाधारणमे मनोवैज्ञानिक त्रास कायम
पछिलका समयमे आएल लमहर भुइँकपके आई तीन बरिस पूरा भेल हए । बितल २०७२ साल बैसाख १२ शनिवारके दिन दुपहरियामे लगातार दू बेर आएल भुइँकपसे नेपालमे जनधनके बहुत लमहर क्षति पुगल रहे । करिब आठ रेक्टर स्केलके आएल भुइँकपके अभीतक मनोवैज्ञानिक त्रास कायम रहल हए । भूइँकपसे पछिम नेपालके छोडसे सभी जगह क्षति पुगल रहे । मधेसमे भी ओतने धक्का महसुस कएलगेल रहे । अभीतक पराकम्प महसुस कएल जारहल ओई भूइँकपके याद अखनीके पुस्ता बहुत निमनसे करते आएल हए । बहुत युवक तथा बुढ पुरनियालोग अभी भी रातमे सुतलापर भुइँकपके सपना देखरहल हए । भुइँकपके केतना महिनातक विभिन्न संस्थाद्वारा मनोैज्ञानिक प्रभाव कम करेला मनोविमर्श तथा मनोसामाजिक विमर्श सेवा संचालन कएलगेल रहे । भुइँकपसे देशमे अरबोके भौतिक क्षति पुगल रहे करिब एक हजार आदमी मारलगेल रहे । औइसही अभौतिक क्षतिके गणना अपुरणीय बनल रहे । भुइँकपमे अपांग भेल सैकडो लोग अभी भी भुइँकपके नाओ सुनके ही डेरा रहल हए । नेपालमे आएल भुइँकपसे पुगल क्षतिके लेल अनेको देशसे सहयोग पुगाबलगेल रहे ।

नेपाली काँग्रेसके रौतहट काठमान्डु सम्पर्क समिति भेल हए गठन
नेपाली काँग्रेस निकट रौतहट काठमान्डु सम्पर्क समिति गठन कएलगेल हए । सुबास कोइरालाके सभापतित्वमे गठित ३५ सदस्यीय समितिमे उपसभापति सन्तु यादव रहल छत । समितिके सचिवमे विजय अधिकारी, सहसचिवमे मोहम्मद फिरोज आलम, कोषाध्यक्ष पृथ्वीनारायण यादव रहल छत । समितिके सदस्यमे नितेशकुमार गुप्ता, जनक भारती, सुस्मा दाहाल कार्की, हरि मैनाली, प्रमोद कोइराला, मोहम्मद कसिम अख्तर, भैरवलाल महतो, यमन लामिछाने, निरन्जन चौधरी, प्रहलाद मैनाली, मोहम्मद इम्तियाज आलम, सुशील कुशवाहा, चन्देश्वर प्रसाद साह, भागवत चौधरी, देवराज अधिकारी, नीरविक्रकम बहादुर अस्थानी, राजेश गिरी, शेख मन्जिर, सतिष कुमार राउत, विन्देश्वर राय यादव, दीपेन्द्र शर्मा, नरेन्द्र यादव, सुमन शर्मा, सुनिप पोखरेल, कविता अधिकारी, रविन्द्र यादव, दिनानाथ शर्मा, ज्ञानप्रसाद यादव लगायतके लोग रहल छत । अइसही पाँच सदस्यीय सलाहकार समितिके चयन कएलगेल खबर भी प्राप्त भेल हए ।

सबा एक लाख रुपैयासे बेसीके सामान सशस्त्र प्रहरी कएले हए बरामद
सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके टोली भारतसे भन्सार छलके लेआएल सामान बरामद कएले हए । भारतसे नेपालके ओर बीआर २२ एच ४१५० नम्बरके मोटरसाइकिलपर विभिन्न किसिमके कपडालत्ता आ स्टेशनरी सामान लेआरहल अवस्थामे पक्राउ कएले हए । सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटसे खटल टोली मोटरसाइकिल सहित सामानके भी पक्राउ कएले हए । पक्राउ परल सामानके मूल्य करिब एक लाख बत्तीस हजार तीस रुपैया रहल हए । पक्राउ परल सामानके गौर भन्सार कार्यालयमे बुझाबलगेल सशस्त्र प्रहरी कार्यालय रौतहट जानकारी करएले हए ।

गौर नगरपालिका नगर शिक्षा ऐन विपरीत विद्यालय संचालन नकरेला देले हए चेतावनी
रौतहटके गौर नगरपालिका नगर शिक्षा ऐन २०७४ के मोताबिक ही निजी विद्यालय सचालनके लेल सूचना जारी कएले हए । शिक्षा ऐनके विपरीत संचालन भेल विद्यालयके अनुमति चाहे स्वीकृति ही खारेज करेके चेतावनी भी नगरपालिका देले हए । गौर नगरपालिकाके भित्तर संचालित कुछ निजी विद्यालय संचालनमे रहल लेकिन अनुमति नलेले आ कुछ विद्यालयके पूर्व प्राथमिक विद्यालय तथा प्राथमिक तहके अनुमति रहलापर भी अनुमतिसे बेसी कक्षा संचालन कररहल देखलगेल गुनासो आएल हए । सूचनामे अनुमति नलेले चाहे अनुमतिसे बेसीके कक्षा संचालन कररहल विद्यालयके अनियमित आ गैरकानुनी कहइत अइसन कामके बन्द करेके अनुरोध कएलगेल हए । साथे नगरपालिकासे खटल अनुगमन टोलीके निरीषणके क्रममे नगर शिक्षा ऐन २०७४ विपरीत विद्यालय संचालन कएल मिललापर प्राप्त अनुमति वा स्वीकृति ही खारेज करेके प्रावधान रहल जानकारी कराएलगेल हए ।

वेवारिसे मोटरसाइकिलके सशस्त्र पुलिस चलान कएले हए भन्सार
सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहटके टोली एगो बेवारिसे मोटरसाइकिल भन्सार चलान कएले हए । रौतहटके गौर नगरपालिका वार्ड नम्बर ४ टिकुलियामे वेवारिसे अवस्थामे रशल नम्बर प्लेट नरहल एक सय पचास सिसिके पलसर मोटरसाइकिल फेला पारले हए । फेला परल मोटरसाकिलके मूल्य करिब पचास हजार रुपैया रहल हए । पक्राउ परल मोटरसाइकिलके जिला भन्सार कार्यालय गौरमे पेठाबलगेल हए । मोटरसाइकिलके कौनो कागजपत्र नरहल आ आसपासमे पुछलापर मोटरसाइकिलके अपन कहेबाला कौनो नआएल सीमा सुरक्षा कार्यालय रौतहट जनएले हए ।

पर्सामे आगलगी होएलासे लाखो रुपैयाके भेल हए क्षति
पर्सा जिलामे एगो गाँओमे आगलगी होएलासे लाखो रुपैयाके क्षति पुगल हए । पर्सा जिलाके विन्दबासिनी गाँओपालिका वार्ड नम्बर ३ झौवागुठीमे आगलगीसे लाखो रुपैयाके क्षति पहुचल हए । झौवागुठीके रहनिहार बालजित दास आ हुनकर भाइ लक्ष्मण दासके फुसके घरमे भेल आगलगीसे लाखोके क्षति भेल हए । आगलगी होएलासे घरमे रहल अन, लत्ता कपडा, घर समेत जरल हए । आगलगीसे करिब तीन लाख रुपैया बराबरके क्षति पुगल हए । स्थानीयबासीके सहयोगमे पुलिसद्वारा आगलगीपर काबु पाएलगेल रहे । बिजुली सर्ट होके आगलगी भेल प्रारम्भिक अनुसन्धानसे देखलगेल हए । घटनाके विषयमे थप अनुसन्धान पुुलिस कररहल खबर प्राप्त भेल हए ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें